Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ तिमोथी 4:6 - केवट नया कारार

6 यदि तुहें विश्वासी भ्या-बहिनसिके हमर सिखैल बातसिके निरन्तर सिखैभैं, जकर बारेमे हमे तोरा एखन निर्देशन देलियौ छे आर तुहें विश्वासके सन्देशद्वारा मजगुत कैल गेल्हैं छे आर बढियाँ शिक्षाके अनुसरण कैल्हैं छे ते, तुहें येशू ख्रीष्टके एकटा बढियाँ सेवक हैभैं।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ तिमोथी 4:6
39 Iomraidhean Croise  

तब फेर येशू चेलासिके कहैल्कै, “हरेक विश्वासी जे परमेश्वरके विधि-विधानके सिखाबैछै आर परमेश्वरके राज्यके विषयमे भी बुझ्ल छै, उटा आदमीसब एकटा घरके मालिकके जुगुर छै, जकर लगत भण्डार कोठा छै, जे आपन भण्डार कोठासे नया आर पुरना दोनो मूल्यवान चीजसब बाहार निकालैछै।”


हमे भी शुरुहैसे सावधानीके साथ सभे बातके जाँच कैलियै छे आर तोर खातिर एकटा क्रम मुताबिकके विवरण लिखैले हमरा बढियाँ लाग्लै।


उटा समयमे ओत्ते एक स बीस झन विश्वासीसब जमा भेलै रहे, ऊ सभैके बीचमे पत्रुस खडा भ्याके कहे लाग्लै,


सेल्याके होशियार रह आर मनमे याद राख कि तीन बरसतक दिन-रात लोर बहैते सभे आदमीके हमे चेतावनी देते रहियै।


हमे तोरासिके सभे कुछु करिके देखैलिहौं, कि तहुँसब अहिने करिके कडा मेहनत क्याके कमजोरसिके सहायता करे पड्तहौं। प्रभु येशूके वचन याद राख कि ऊ आपनहैं कहैल्कै छे, ‘लेनासे देना आरहौ आशिषमय छै।’ ”


मगर हमे तोरासिके जे बात याद दिलाबैके लिए चाहैछियौ से बात लिखैके साहास करैछियौ। परमेश्वर हमरा ऊ आदमीसिके लिए आपन चुन्ल आर भेज्ल चेलाके रुपमे अनुग्रह देल्कै छे, जे गैर-यहूदी आदमीसब छै। हमे ओकरासिके येशू ख्रीष्टके बारेमे खुश-खबरी सुन्याके यहूदी पुजारीके रुपमे परमेश्वरके सेवा करैछियै। एरंके हमे ओकरासिके एकटा दानके रुपमे परमेश्वरके लगत आने सकैछियै जकरासे ऊ खुश छै, कहिनेकी पवित्र आत्मा ओकरासिके शुद्ध बनैल्कै छे।


सेल्याके हमे तोरसिकेलगत तिमोथीके भेजैछियौ। ऊ प्रभुमे हमर प्यारा आर विश्वासयोग्य बेटा छै। आर ऊ तोरासिके यी बात फेर याद दिलैतौ कि हमे येशू ख्रीष्टके अनुयायीके रुपमे केरं व्यवहार करैछियै, जेरंके हमे जते भी जैछियै ओत्करो मण्डलीमे सिखाबैछियै।


कि ऊसब ख्रीष्टके सेवक छै? हमे पागलके जुगुर बोलैछियै। हमे ओकरसिसे बढिके छियै। हमे ओकरसिसे बेसी मेहनत कैलियै छे, ओकरसिसे बेसी बन्दी बनैल गेलियै छे, अनगन्ती बेर मार खैलियै छे, कतनें बेर हमे मर्ते-मर्ते बच्लियै छे।


जे हमरासिके नया करारके सेवक हुऐके क्षमता देल्कै छे, यी करार लिख्ल विधि-विधानके नै मगर पवित्र आत्माके छै। कहिनेकी मूसाके लिख्ल विधि-विधानके पालन करैके परिणाम मौत छै मगर पवित्र आत्मा कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दैछै।


मगर हर तरहसे हमेसब देखाबैछियै कि हमेसब परमेश्वरके सच्चा सेवकसब छियै। हमेसब धीरजसे समस्यासिके, कठिनाईसिके आर सभे प्रकारके विपत्तिसिके सहन करैछियै।


प्रभुके संगतिमे प्रिय विश्वासी भ्या आर विश्वासयोग्य सेवक तुखिकस तोरासिके यी सभे बात बतैतौ, ताकी तहुँसब भी जानी लहैं कि हमे केरंको अवस्थामे छियै आर कि करैछियै।


कहिनेकी हमरलगत तिमोथीके जुगुर स्वभावके दोसर कोय नैछै, जे शुद्ध मनसे तोरसिके चिन्ता करै।


मगर तोरासिके मालुम छौ कि केरंके तिमोथी अपने आपके विश्वासयोग्य देखैल्कै छे। जेरंके बेटा बाबुके सेवा करैछै ओहिने करिके ऊ हमरसंगे खुश-खबरी फैलाबैमे हमरसंगे मेहनत कैल्कै छे।


सेल्याके परमेश्वर जे सच्चाई पहलहैसे प्रकट कैल्कै छे अपनासब ओकर मुताबिक जिये पडैछै।


ख्रीष्टके वचनके बारेमे हरदम विचार कर, ताकी ऊ तोरसिके काम आर सोचमे नियन्त्रण करौ। पुरा बुद्धिमानीसे एक दोसरके सिखा आर चेतावनी दहैं आर आपन-आपन मनमे धन्यवादके साथ परमेश्वरके लिए भजन, स्तुति आर आत्मिक गीत गा।


हमरसिके प्रिय विश्वासी भ्या तुखिकस हमर सभे बात तोरासिके बतैतौ। ऊ एकटा विश्वासयोग्य सहकर्मी छै आर ऊ हमरसंगे प्रभुके सेवा करैछै।


आर हमेसब तिमोथीके, जे ख्रीष्टके खुश-खबरी प्रचार करैमे हमरसिके विश्वासी भ्या आर परमेश्वरके सेवक छै, ओकरा तोरसिकेलगत भेज्लियौ ताकी ऊ तोरासिके विश्वासमे स्थिर कराबौ आर तोरसिके विश्वासके विषयमे तोरासिके उत्साह दौ।


उटा विधि-विधान ऊसब आदमीसिके लिए भी छै जे व्यबिचारी, समलिंगी, आदमीके दास बनाबैके लिए अपहरण करेवाला आदमी, झुठ बोलेवाला आदमी, सच बोलैके वादा करिके भी झुठ बोलेवाला आदमी आर ऊ आदमीसिके लिए भी जे उटा सभे कुछु करैछै जकरा सही शिक्षा अपनासिके करैसे रोकैछै।


तुहेंसब केरंके आपन जीवन जियैछैं आर तुहेंसब कि सिखाबैछैं उटा बातमे होशियार र आर ओकरा करैमे लाग्ल र। नतिजा स्वरुप तोरसिकेद्वारा परमेश्वर तोरासिके खुदके आर सुनेवाला आदमीसिके भी बचैतै।


अगर कोय झुट्ठा शिक्षा सिखाबैछै आर आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके देल सही शिक्षा आर परमेश्वरके आदर हुएवाला निर्देशनसंगे सहमत नैहैछै ते,


सेल्याके हमे तोरा याद दिलाबैछियौ कि उटा वरदानसिके फेरसे प्रज्वलित कर जे वरदान परमेश्वरके द्वारा तोरा तब देल गेलौ जब हमे तोर मथामे हात राख्लियौ रहे।


मगर तिमोथी, तोरा बढियाँसे मालुम छौ कि हमे कि सिखाबैछियै आर केरंके जियैछियै, हमर जीवनके मकसद कि छै आर हमे कि विश्वास करैछियै। तोरा मालुम छौ कि हमे धीरज धारण करैछियै आर सभे प्रकारके आदमीसिके प्रेम करैछियै, हमे कठिनाईसब सहलियै छे।


कहिनेकी एरं समय आबैछै, जब आदमीसब सच्चा शिक्षाके स्वीकार करैले नैचहतै, मगर अपने आपके पसन्द हुएवाला बात खाली सुने चाहैछै आर ऊसब झुट्ठा शिक्षकसब खोज्तै जेसब ओकरासिके आपन मन-पसन्दके बात सिखैतै।


मगर तीतस, तुहें विश्वासीसिके खाली उहे बात सिखा जे येशू ख्रीष्टके विषयमे सही शिक्षासिसे मिलैछै।


जेरंके नवजात शिशु आपन मयाँके शुद्ध दुधके ललसा करैछै, ओहिने करिके तोरा परमेश्वरके वचन सिखैके इच्छा राखना चाही ताकी तुहेंसब आत्मिक रुपसे परिपक्क बने सक्हैं। तब अन्तमे, परमेश्वर तोरा यी संसारके खराब चीजसिसे पूर्ण रुपसे बच्या लेतौ।


सच्चा शिक्षासे भटकेवाला आदमीसब आर ख्रीष्टके शिक्षा मुताबिक नैचलेवाला आदमीसब परमेश्वरके सम्बन्धमे नैरहैछै। मगर ख्रीष्टके शिक्षा मुताबिक चलेवाला आदमी परमेश्वर पिता आर ओकर बेटा, येशू ख्रीष्टके सम्बन्धमे रहैछै।


जब कि तुहेंसब यी सच्चाईसे पहेलासे ही परिचित छैं, तैय्योपर भी एत्ते हमर मकसद यी याद दिलाना छै कि प्रभु इस्राएलीसिके दास बनैल जैसे बचैल्कै आर ओकरासिके मिश्र देशसे बाहार आनल्कै, मगर पाछु परमेश्वर ओकरासिके सभैके जान मारल्कै, जेसब मरुभूमीमे ओकरापर भरोसा नैकैल्कै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan