Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ तिमोथी 4:2 - केवट नया कारार

2 झुट्ठा शिक्षकसब छल-कपट करेवाला हैछै। जेरंके गरम लुहासे झरकलके बाद चमडा बोद्र भ्याजैछै, ओहिने करिके ओकरासिके महसुस नैहैछै कि ऊसब सही करैछै कि गलत करैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ तिमोथी 4:2
18 Iomraidhean Croise  

कहिनेकी झुट्ठा ख्रीष्टसब आर झुट्ठा परमेश्वरके वक्तासब ऐतै, अगर सम्भव हुए ते उटा आदमीसिके धोखा दियैके लिए जकरा परमेश्वर चुन्लकै छे, ऊसब चिन्ह आर झुट्ठा चमत्कार कर्तै।


“झुट्ठा परमेश्वरके वक्तासिसे होशियार र जे तोरसिकेलगत नोक्सानी नैकरेवाला भेंडाके भेष बदलीके आबैछै, मगर वास्तवमे हानीकारक डरलग्गा खटिहासब छै, जे आदमीसिके हमला करैछै।


एत्तेतक कि तोरसिके आपने विश्वासीसिके समूहसे आदमीसब ऐतौ, जे विश्वासीसिके आपन तरफ लज्याके आपन चेला बनाबैले उल्टा-पुल्टा शिक्षा देतौ।


कहिनेकी ऊसब परमेश्वरके स्वीकार करना मूर्खता सोचल्कै, सेल्याके परमेश्वर भी उटा सभे अनुचित काम करैके लिए ओकरासिके ओकरसिके बेकम्मा मनके वशमे छोडी देल्कै।


कहिनेकी एरंको आदमीसब आपनसिके प्रभु ख्रीष्टके नै, मगर आपन पेटके लिए सेवा करैछै, आर ओकरसिके मिठ्ठ-मिठ्ठ बोली आर चापलुसीवाला बातसे सिधा-साधा आदमीसिके धोखा दैछै।


सेल्याके, आब अपनासिके बच्चासिके जुगुर नै होना चाही। आब अपनासब उटा नावके जुगुर नैहु जकरा लहर आगु पाछु धक्लैछै आर हावा इन्हर-उन्हर घुमाबैछै। एकर मतलब छै कि चलाक आर ठग आदमीसब आब आपन झुट्ठा शिक्षासे अपनासिके धोखा नै दिए सकैछै।


ऊसब आब खराब काम करैके लिए दोषी महसुस नैकरैछै, सेल्याके ऊसब खुदके खराब काम करैके लिए द्या देल्कै छे। ऊसब लगातार सभे किसिमके अनैतिक काम करैछै आर ऊसब यी चीजसिके ललसा करैले कहियो बन्द नैकरैछै।


ऊसब परमेश्वरके भक्त हुऐके देखावा कर्तै, मगर ऊसब खुदके भक्त बनाबे सकेवाला शक्तिके इन्कार कर्तै। एरंको आदमीसिके संगे संगत नैकर।


यी भूतसिके लगत झुट्ठा चमत्कार करैके क्षमता रहै आर ऊसब जैके ऊ आदमीसिके जमा कैल्कै, जेसब यी संसारके सभे देशमे राज्य कर्ते रहै, ताकी ऊसब सर्वशक्तिमान परमेश्वरके महान दिनमे ओकर विरुद्धमे लडै करैके लिए ज्या सकै। यी उटा दिन छै जब परमेश्वर आपन दुश्मनसिके नाश कर्तै आर आपन आदमीसिके बचैतै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan