Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ तिमोथी 4:13 - केवट नया कारार

13 जबतक हमे ओत्ते नैऐबै विश्वासीसिके उत्साह देते आर सिखैते ऊँचा आवाजमे धरमशास्त्र पढ।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ तिमोथी 4:13
20 Iomraidhean Croise  

तुहेंसब धरमशास्त्र होशियारी साथ अध्ययन करैछैं, कहिनेकी तुहेंसब सोचैछैं कि ओकरामे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन मिलैछै। आर हमर बारेमे गवाही दिएवाला इहे धरमशास्त्र छै।


यी यहूदी आदमीसब थेसलोनिके सहरके यहूदी आदमीसिसे बेसी भला रहै। कहिनेकी ऊसब बहुते उत्सुकताके साथ वचन स्वीकार कैल्कै आर यी बातसब ठीके एरं छै कि नैछै कहिके सभे दिन धरमशास्त्रमे पढिके खोजै।


आर हमेसब प्रार्थना, वचनके प्रचार आर शिक्षा दियैके सेवामे पुरा समय देबै।”


यदि कक्रहौ उपदेश दिएवाला वरदान मिल्लै छे ते, ऊ उपदेश दियैके काममे लाग्ल रहक। यदि कक्रहौ दोसरसिके जरुरतके पुरा करैके वरदान मिल्लै छे ते, ऊ खुल्ला दिलसे दक। यदि कक्रहौ अगुवाई करैके वरदान मिल्लै छे ते, ऊ गम्भीरताके साथ करक। यदि कक्रहौ दयाके काम करैके वरदान मिल्लै छे ते, ऊ खुशीके साथ करक।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, सुन, कामसब केरंके कैल जाना चाही, जब तुहेंसब आराधनाके लिए जमा हैछैं ते तोरसिमेसे कोय गीत गाबै, कोय उपदेश दै, प्रभुके द्वारा देल गेल ज्ञान बाँटै, अगर कोय अनजान भाषामे बात करैछै ते दोसर आदमी ओकर मतलब बताबै। यी सभे बातसिके मकसद विश्वासीसिके विश्वासमे मजगुत बनाबैके लिए सहायता करना छै।


मगर जे आदमी परमेश्वरके सन्देशके घोषणा करैछै, ऊ आदमी विश्वासीसिके ओकरसिके विश्वासमे मजगुत करैके लिए, उत्साह दियैके लिए आर ओकरसिके दिलमे तसल्ली आनैके लिए सहायता करैछै।


सेल्याके हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, यदि हमे तोरसिकेलगत आबिके अनजान भाषासिमे बोलैछियै ते, हमरासे तोरा कोन फैदा हैतौ? यी तोरासिके सहायता तखनिहैं कर्तौ जब हमे तोरसिके लिए एकटा सन्देश आन्बौ जे परमेश्वर हमरा देल्कै छे या सचके ज्ञान या परमेश्वरके सन्देश या शिक्षा।


तुहेंसब केरंके आपन जीवन जियैछैं आर तुहेंसब कि सिखाबैछैं उटा बातमे होशियार र आर ओकरा करैमे लाग्ल र। नतिजा स्वरुप तोरसिकेद्वारा परमेश्वर तोरासिके खुदके आर सुनेवाला आदमीसिके भी बचैतै।


यदि तुहें विश्वासी भ्या-बहिनसिके हमर सिखैल बातसिके निरन्तर सिखैभैं, जकर बारेमे हमे तोरा एखन निर्देशन देलियौ छे आर तुहें विश्वासके सन्देशद्वारा मजगुत कैल गेल्हैं छे आर बढियाँ शिक्षाके अनुसरण कैल्हैं छे ते, तुहें येशू ख्रीष्टके एकटा बढियाँ सेवक हैभैं।


बचपनसे ही, तुहें धरमशास्त्रसे परिचित छैं, जे तोरासिके येशू ख्रीष्टमे विश्वास कैलके बाद परमेश्वर तोरासिके बचाबैछै कहिके बुझैले सहायता करैछै।


कि परमेश्वरके वचनके प्रचार कर, परिस्थिती बढियाँ है या खराब है परमेश्वरके वचन प्रचार करैले तैय्यार र। तुहें आदमीसिके ओकरसिके कैल खराब कामके देखाबे पडैछै, आर ओकरसिके पापके खातिर ओकरासिके धोपे पडैछै। मगर ओकरासिके हौसला दहैं। धीरजके साथ यी सभे काम कर आर ध्यानसे सिखा।


सेल्याके तीतस, हमे चाहैछियै कि हमर कहेल यी सभे बातसब तुहें क्रेट टापुमे भेल विश्वासीसिके सिखा। आपन आदमीसिके जते जरुरी छै ओत्ते सही कर्ते यी बातसब करैके लिए उत्साह दहैं। यी करैके लिए तोरलगत अधिकार छौ। निश्चित कर कि तोर सिखैल बातके कोय भी बेवास्ता नैकरौ।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan