Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ तिमोथी 4:12 - केवट नया कारार

12 एरंको व्यवहार कर कि कोय भी तोरासिके अनादर नैकरौ कहिनेकी तुहेंसब जवान छैं, मगर तोरसिके बोल्ल वचनद्वारा, तोरसिके व्यवहारद्वारा, दोसर आदमीसिके प्रति प्रेमद्वारा, ख्रीष्टमे तोरसिके भरोसाद्वारा आर तोरसिके पापरहित जीवनद्वारा विश्वासीसिके लिए तोरासिके एकटा उदाहरण बने पड्तौ।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ तिमोथी 4:12
19 Iomraidhean Croise  

“होशियार र! तुहेंसब यी छोटका बच्चासिके जुगुर नम्र बनेवालासिमेसे एक्कोटाके भी तिरस्कार नैकर। कहिनेकी हमे तोरासिके कहैछियौ, ओकरसिके देखभाल करेवाला स्वर्गदूतसब स्वर्गमे रहेवाला हमर परमेश्वर पिताके उपस्थितिमे हरदम छै।


तुहेंसब हमर अनुसरण कर, जेरंके हमे ख्रीष्टके अनुसरण करैछियै।


सेल्याके, हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, जे-जे बात सच छै, जे-जे बात प्रतिष्ठित छै, जे-जे बात परमेश्वरके नजरमे धर्मी छै, जे-जे बात पवित्र छै, जे-जे बात सुन्दर छै, आर जे-जे बातसब प्रशंसा करैके योग्य छै। अन्तमे जे कोनो भी बात उत्तम या बढाईके योग्य छै उहे बातमे तोरसिके मन लाग्ल रहौ।


बहुते कष्ट भेलपर भी पवित्र आत्माके देल सन्देशके तुहेंसब आनन्दके साथ स्वागत कैल्हैं। तुहेंसब हमरसिके आर प्रभुके उदाहरणके अनुसरण कैल्हैं।


तुहेंसब खुद ही गवाह छैं आर परमेश्वर भी गवाह छै कि हमेसब परमेश्वरके पसन्द हुएवाला जीवन जिलियै, हमेसब परमेश्वरके समनामे सही रहियै आर कोय भी हमरसिके विरुद्धमे कोनो दोष नैपैल्कै।


आपनसिके प्रभु हमरा ओकर अपार अनुग्रह निरन्तर देखैल्कै। ऊ हमरा विश्वास करैके क्षमता आर दोसर आदमीसिके प्रति प्रेम देल्कै कहिनेकी हमे येशू ख्रीष्टसंगे एकतामे रहियै।


कडा मेहनत कर ताकी तुहें अपने आपके परमेश्वरके समनामे एरंको आदमीके रुपमे पेश करे सक्हैं, जकरा ऊ स्वीकार करे सकै। एकटा एरंको कारीगरके जुगुर बन जे बढियाँसे काम करैछै आर जकरा आपन कामके कारण लज्जित हुए नैपडै, आर जे सचके वचनके सही तरिकासे सम्हारैछै।


सेल्याके तिमोथी तुहें जवान आदमीसिके आकर्षित करेवाला पापी इच्छासिसे बच। शुद्ध ह्रदयसे परमेश्वरके पुकारा करेवालासिके संगे परमेश्वरके समनामे सही हु, विश्वासमे लाग्ल र, दोसरके प्रेम कर आर शान्तिमे र।


यी उदाहरणसब कि शिक्षा दैछै ओकर बारेमे सोच, आर प्रभु तोरा हमर कहैके मतलब बुझैके लिए सहायता कर्तौ।


सेल्याके तीतस, हमे चाहैछियै कि हमर कहेल यी सभे बातसब तुहें क्रेट टापुमे भेल विश्वासीसिके सिखा। आपन आदमीसिके जते जरुरी छै ओत्ते सही कर्ते यी बातसब करैके लिए उत्साह दहैं। यी करैके लिए तोरलगत अधिकार छौ। निश्चित कर कि तोर सिखैल बातके कोय भी बेवास्ता नैकरौ।


सभे बातमे तोरा उदाहरणके रुपमे बढियाँ काम करना चाही, जकरा दोसर आदमीसब सभे दिन पालन करे सकै। जब तुहें विश्वासीसिके परमेश्वरके बारेमे सिखाबैछैं, तुहें बढियाँ विचारसे आर आदरयोग्य तरिकासे सिखाबे पडैछै।


तोरसिमेसे बुद्धिमान आर ज्ञानी आदमी के छै? यदि तुहेंसब बुद्धिमान आर ज्ञानी छैं ते ज्ञानसे आबेवाला नम्रताके साथ बढियाँ जीवन जिविके देखा।


मगर जे बुद्धि स्वर्गसे आबैछै ऊ ते पहेला शुद्ध हैछै, तकरबाद ऊ मिलनसार, नम्र, दोसरके बारेमे सोचेवाला, आर दयासे भर्ल हैछै आर बढियाँ कामद्वारा प्रकट हैछै। ऊ भेद-भाव रहित आर इमानदार हैछै।


तोरसिके जिम्मामे देल आदमीसिपर शासकके जुगुर हुकुम नैचला, मगर ओकरसिके लिए बढियाँ उदाहरण बन।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan