Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ तिमोथी 4:10 - केवट नया कारार

10 यी जीवन पाबैके लिए हमेसब संघर्ष आर कडा मेहनत करैछियै, कहिनेकी अपनासब जिन्दा परमेश्वरमे आशा राखैछियै, जे सभे आदमीसिके विशेष करिके ओकरामे विश्वास करेवाला आदमीसिके उद्धारकर्ता छै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ तिमोथी 4:10
40 Iomraidhean Croise  

सिमोन पत्रुस जबाब देल्कै, “तुहें परमेश्वरसे भेज्ल गेल ख्रीष्ट छह, जिन्दा परमेश्वरके बेटा।”


यी परमेश्वरमे भरोसा राखैछै। परमेश्वर चाहैछै ते एखन एकरा छुटकारा दक, कहिनेकी यी, हमे परमेश्वरके बेटा छियै कहिके कहते रहै।”


दोसर दिन यूहन्ना येशूके आपन महर ऐते देखिके कहैल्कै, “देख, संसारके आदमीसिके पापसे छुटकारा दिएवाला परमेश्वरके द्वारा भेज्ल आदमी जे अपने आपके बलि-भेंडाके जुगुर बलिदान कर्तै।


ऊसब ऊ जनानीके कहैल्कै, “एखन तोर बात सुनिके खाली नै, मगर हमेसब आपनहैं ओकर शिक्षा सुनैके कारणसे विश्वास करैछियै। ऊ सच्चे संसारके उद्धारकर्ता छै कहिके आब हमेसब जान्लियै छे।”


हमे तोरासिके सच कहैछियौ, जे हमर वचन सुनैछै, आर हमरा भेजेवालापर विश्वास करैछै, ओकरलगत कहियो खतम नैहुएवाला जीवन छै। ओकरा सजाय देल नैजैतै, मगर ऊ कहियो खतम नैहुएवाला मौतसे बची गेलै छे आर पहलहैसे ही नया जीवनमे प्रवेश करि लेल्कै छे।


मगर परमेश्वरके अनुग्रहसे हमे चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमरापर ओकर अनुग्रहके परिणाम महान भेलै। मगर यदि हमे दोसर चुन्ल आर भेज्ल चेलासिसे बेसी भी मेहनत कैलियै ते, यी भी हमर तरफसे नैभेलै मगर परमेश्वरके अनुग्रह हमरा ओकर काम करैके लिए योग्य बनैल्कै छे।


ऊ हमरासिके मौतके भयानक जोखिमसे बचैल्कै आर बचैतै भी। हमरासिके ओकरापर पुरा आशा छै कि ऊ हमरासिके आबेवाला समयसिमे भी निरन्तर बचैते रहतै।


सभे आदमीसिके लिए एरंके प्रार्थना करना सही छै आर आपनसिके उद्धारकर्ता परमेश्वर यी बातके स्वीकार करैछै।


सभे आदमी सचके ज्ञानमे आबिके उद्धार पाबै कहिके परमेश्वर इच्छा करैछै।


ख्रीष्ट पाप आर मौतके शक्तिसे मोल तिरिके सभैके बचाबैके लिए आपन बलि देल्कै। ओकर मौतद्वारा परमेश्वर सही समयमे सबूत देल्कै कि ऊ सभे आदमीसब उद्धार पाबै कहिके चाहैछै।


ताकी यदि हमरा आबैमे बेर हैबो कर्तै ते तोरासिके मालुम हौ कि अपनासिके केरंके परमेश्वरके परिवारके सदस्यके रुपमे आपन जीवन जिये पडैछै, जे जिन्दा परमेश्वरके मण्डली छै आर जेरंके जग आर खम्भा घरके थामैछै आर मजगुत बन्याके राखैछै, ओहिने करिके यी विश्वासीसब सच्चा शिक्षाके थामैछै आर स्थिर राखैछै।


यी संसारके मातबर आदमीसिके आदेश दहैं कि ऊसब घमण्डी नैबनै आर अस्थाई धन-दौलतमे ऊसब आपन आशा नैराखै, मगर उदारताके साथ अपनासिके सभे चीज दिएवाला परमेश्वरमे भरोसा राखक ताकी हमेसब आनन्दित हुए सकियै।


मिश्र देशके सारा धन-दौलतसे बेसी ख्रीष्टके लिए निन्दित हुऐले बेसी बहुमूल्य बुझल्कै, यी जानीके कि ऊ जे करैछै उटा कामसे ओकरा स्वर्गमे प्रतिफल मिल्तै।


सेल्याके, या अपनासब यहूदी आदमीसिके तरिकासिके छोडी दियै आर येशूपर विश्वास करियै। आर जेरंके ऊ अनादर सहन कैल्कै, ओहिने करिके अपनासब भी अनादर सहन करियै।


ख्रीष्टके कैल कामद्वारा परमेश्वरपर तोरसिके भरोसा छौ, जे ख्रीष्टके मुर्दासे जिन्दा बन्याके महिमा देल्कै, ताकी तोरसिके आशा आर विश्वास परमेश्वरमे रहौ।


ऊ आपनसिके पापके लिए प्रायश्चित-बलि छै आर खाली आपनसिके लिए नै, मगर संसारके सभे आदमीसिके पापके लिए भी प्रायश्चित-बलि छै।


हमेसब परमेश्वरके बेटाके देख्लियै छे आर गवाही दैछियै, कि परमेश्वर पिता आपन बेटाके संसारके आदमीसिके लिए उद्धारकर्ता हुऐले भेजल्कै छे।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan