Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ तिमोथी 3:7 - केवट नया कारार

7 आर ऊसब बढियाँ आदमीसब छै कहिके मण्डलीसे बाहारके आदमीसब भी कहै ताकी आदमीसब ओकर विषयमे खराब बातसब नैबोल्तै आर ऊ शैतानके फाँसमे नैपडतै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ तिमोथी 3:7
21 Iomraidhean Croise  

येशू ओकरासिके कहैल्कै, “तोरासिके परमेश्वरके राज्यके विषयमे नुकैल सच्चाई बतैल छौ, मगर परमेश्वरके राज्यसे बाहारवालासिके सभे बात खिसामे कहेल जैछै।


ऊसब कहैल्कै, “कर्नेलियस कप्तान जे धर्मी आर परमेश्वरके डर राखेवाला आर सारा यहूदी आदमीसिमे सम्मान पैल आदमी छै, ऊ एकटा पवित्र स्वर्गदूतसे यी निर्देशन पैल्कै, कि तोरा आपन घरमे बोल्याके तोरासे उपदेश सुनै।”


दमसकस सहरमे हननिया नामके प्रभु येशूके एकटा चेला रहै। ऊ मूसाके विधि-विधान पालन करेवाला धर्मी आदमी रहै आर दमसकस सहरमे रहेवाला यहूदी आदमीसब सभेको ओकर मान-इज्जत कर्ते रहै।


सेल्याके विश्वासी भ्यासब, तोरसिके बीचसे सातटा आदमीसिके चुन जकर बारेमे सभैके यी मालुम छै कि ऊसब पवित्र आत्मा आर बुद्धिसे परिपूर्ण छै आर सभैसे आदर पैल छै, ताकी ओकरासिके यी कामके लिए हमेसब नियुक्त करियै।


तुहेंसब कक्रहौ भी ख्रीष्टमे विश्वास करैसे दूर लजाबेवाला काम नैकर, चाहे ऊ यहूदी आदमीसिके है, या गैर-यहूदी आदमीसिके है या परमेश्वरके मण्डलीके है।


कहिनेकी जे आदमीसब विश्वासी नैछै ओकरासिके दोष लगाना आपनसिके जिम्मेदारी नैछै। मगर तोरासिके ऊ आदमीसिके जरुर ही अनुशासित करना चाही जेसब तोरसिके मण्डलीके हिस्सा छै।


परमेश्वरके सहकर्मीके रुपमे, हमरसिके कैल कामके निन्दा नैहै कहिके हमेसब कक्रहौ बाधा दियैके काम नैकरैछियै।


कहिनेकी हमेसब खाली प्रभुके नजरमे नै, मगर आदमीसिके नजरमे भी हमेसब कामसिके सही तरिकासे करैमे आपन ध्यान दैछियै।


तुहें विश्वासी छैं कहिके देखाबैके लिए हरेक अवसरके उपयोग बढियाँसे कर आर जे विश्वासी नैछै ओकरसिके संगे बुद्धिमानीसाथ व्यवहार कर।


ताकी अविश्वासी आदमीसब तोरसिके सभे दिनके जीवनमे केरंको व्यवहार करैछैं से देखिके तोरासिके आदर कर्तौ आर तोरासिके जरुरत पडल चीजके लिए ककरोपर भी भर नैपडे पड्तौ।


सभे किसिमके खराबीके अस्वीकार कर।


ऊसब नया विश्वासी नै होना चाही, नैते ऊसब घमण्ड कर्तै आर शैतानके पैल जुगुर सजाय पैतै।


सेल्याके हमे चाहैछियै कि कम उमेरके मोसामातसब बिहा करक, बालबच्चा पाबक, आर घरद्वार सम्भालक आर दुश्मन हमरसिके विरुद्धमे खराब बात बोलैके मौका नैदै।


मगर मातबर हुऐके इच्छा करेवाला आदमीसब सभे किसिमके पाप करैके लिए आसानीसे धोखा खैछै, आर जानवरके जुगुर फाँसमे फसैछै। ऊसब ऊ चीजसब करैले चाहैछै जे ओकरसिके लिए मूर्खतापूर्ण आर खतरनाक छै आर यी इच्छा ओकरासिके बर्बादीके तरफ ल्याजैतै आर नाश करि देतै।


आर ऊसब होशमे आबे सकै आर शैतानके शक्तिसे भागे सकै, जे ओकरासिके धोखा द्याके आपन इच्छाके मुताबिक चलैल्कै छे।


आर ऊसब जवान जनानीसिके संयमी हुऐले, आपन पतिके प्रति वफादार हुऐले, आपन घरके देखभाल करैले, दोसरके प्रति दयालु हुऐले, आर आपन पतिके अधिकारके आदर करैले शिक्षा देतै, ताकी कोय भी परमेश्वरके सन्देशके विषयमे अपमानवाला बात नैबोले सकै।


तोर शिक्षा सभे दिन सच्चा होना चाही आर कोय भी आलोचना करे सकेवाला नै होना चाही ताकी येशू ख्रीष्टके लिए तोर कामके विरोध करेवाला आदमीसब लज्जित हैतै कहिनेकी ऊसब आपनसिके विषयमे कोनो भी खराब बात कहे नैसक्तै।


मण्डलीमे सभे झन कहैछै कि डेमेत्रियस एकटा बढियाँ आदमी छै कहिनेकी ऊ सच्चाईके मुताबिक जियैछै। हम्हुँसब कहैछियै कि ऊ एकटा बढियाँ आदमी छै, आर तुहें जानैछैं कि हमरसिके गवाही सच्चा छै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan