5 अगर कोय आदमी आपन घर-परिवारके चलाबैले आर व्यवस्थित करे नैसकैछै ते, जरुर ही ऊ आदमी परमेश्वरके मण्डलीके भी देखभाल करैमे सक्षम नैहैतै।
आब तुहेंसब आपनहैं आपन देखभाल कर आर पवित्र आत्मा तोरासिके जिम्मा लगैल परमेश्वरके मण्डलीके देख-रेख कर, जकरा ऊ आपन बेटाके खूनसे मोल लेल्कै छे।
तुहेंसब कक्रहौ भी ख्रीष्टमे विश्वास करैसे दूर लजाबेवाला काम नैकर, चाहे ऊ यहूदी आदमीसिके है, या गैर-यहूदी आदमीसिके है या परमेश्वरके मण्डलीके है।
परमेश्वर सभे चीज ख्रीष्टके अधिकारके अधिनमे करिदेल्कै छे। आर ओकरा मण्डलीके भलाइके लिए हरेक चीजपर सर्वोच्च बनैल्कै छे।
जेरंके मण्डली ख्रीष्टके अधिनमे छै, ओहिने करिके पतनीसब भी सभे बातमे पतिसिके अधिनमे रहक।
यी एकटा बडका रहस्य छै। एत्ते एकटा मूल्यवान आर गम्भीर शिक्षा छै जे अपनासब एत्ते बुझे सकैछियै, आर हमर लिए, हमे एकरा ख्रीष्ट आर मण्डलीके संगे तुलना करैछियै।
ताकी यदि हमरा आबैमे बेर हैबो कर्तै ते तोरासिके मालुम हौ कि अपनासिके केरंके परमेश्वरके परिवारके सदस्यके रुपमे आपन जीवन जिये पडैछै, जे जिन्दा परमेश्वरके मण्डली छै आर जेरंके जग आर खम्भा घरके थामैछै आर मजगुत बन्याके राखैछै, ओहिने करिके यी विश्वासीसब सच्चा शिक्षाके थामैछै आर स्थिर राखैछै।