Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ तिमोथी 3:16 - केवट नया कारार

16 बिना कोनो शंकाके, हमेसब कहे सकैछियै कि परमेश्वरद्वारा प्रकट कैल शिक्षासब पुरा रुपसे सच्चा छै, यानिकी येशू ख्रीष्ट आदमीके रुपमे ऐलै, ऊ पवित्र आत्माद्वारा परमेश्वरके बेटा साबित भेलै, स्वर्गदूतसब ओकरा देखल्कै, ऊ स्वर्गके महिमामे लजैल गेलै, आदमीसब ओकर बारेमे जात-जातके आदमीसिमे प्रचार कैल्कै, आर संसारके बहुते आदमीसब ओकरापर विश्वास कैल्कै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ तिमोथी 3:16
81 Iomraidhean Croise  

“देख्, एकटा कुमारी लडकी गर्भधारण कर्तै, आर ऊ एकटा बच्चाके जनम देतै, आर ओकर नाम इम्मानुएल राख्ल जैतै, जकर मतलब छै, ‘परमेश्वर हमरसिके संगे छै।’ ”


येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “तोरासिके परमेश्वरके राज्यके विषयमे नुकैल सच्चाई बतैल छौ, मगर ओकरासिके जानैले देल नैछै।


तखनी अचानक बडका भूकम्प गेलै कहिनेकी परमेश्वरके एकटा स्वर्गदूत स्वर्गसे निच्चा उतर्लै आर साराके प्रवेशद्वारमे राख्ल बडका पत्थल गडक्याके ओकरापर बैठ्लै।


तब येशू बप्तिस्मा ल्याके तुरन्ते पानीसे उप्पर ऐलै, तब आकाश उघर्लै आर परमेश्वरके आत्माके पेर्वाके रुपमे उतर्ते आर आपन उप्परमे ऐते देखल्कै।


तब शैतान येशूके छोडिके चल गेलै आर स्वर्गदूतसब आबिके ओकर सेवा कैल्कै।


ऊ सुनसान जगहमे चालीस दिनतक रहलै, तब ओत्ते शैतान ओकर परीक्षा कैल्कै। ओत्ते खाली जंगली जानवरसब रहते रहै, मगर स्वर्गदूतसब येशूके सेवा कर्ते रहै।


प्रभु येशू यी सभे बात चेलासिके कहेलके बाद, परमेश्वर ओकरा स्वर्ग उठ्याके ल्यागेलै आर परमेश्वरके दहिना हातके बगल सम्मानके जगहमे बैठ्लै।


जब जनानीसब सारामे पहुँचलै आर साराके भितर ढुक्लै तब ऊसब उजरा कपडा लगैल एकटा जवान आदमीके दहिना बगल बैठ्ल देखल्कै, आर ऊसब चकित भेलै।


ऊ गैर-यहूदी आदमीसिके उप्पर परमेश्वरके प्रकट करेवाला उजेत छै, आर तोर इस्राएलीसिके लिए महिमाके उजेत छै।”


एरंके दाऊद राजा भी ख्रीष्टके प्रभु कहिके सम्बोधित कैल्कै ते, ऊ भी दाऊद राजाके सन्तान केरंके हुए सकैछै?”


तब स्वर्गसे एकटा स्वर्गदूत आबिके येशूके बल आर सहैके शक्ति देल्कै।


एरंको देखिके ऊसब दुविधामे पडी गेलै जे यी कि भ्यागेलै? तखनिहैं ऊसब देखल्कै कि चमकौव्वा कपडा पिन्हल दीटा आदमी ओकरसिके बगलमे प्रकट भेलै।


जब येशू आशीर्वाद देते रहै, ऊ ओकरसिसे अलग भेलै आर स्वर्गमे लजैल गेलै।


आर ऊ जकरा वचन कहेल जैछै एकटा आदमी बन्लै। ऊ अनुग्रह आर सच्चाईसे परिपूर्ण भ्याके आपनसिके बिच्चेमे रहलै, आर हमे ओकर महिमा देख्लियै। ओकर महिमा एरं रहै जेरं परमेश्वर पितासे ऐल एक्लौता बेटाके महिमा रहै।


येशू यी जान्ते रहै कि परमेश्वर पिता सभे कुछु ओकर हातमे द्या देल्कै छे, आर यी कि ऊ परमेश्वरके लगतसे ऐलै छे, आर परमेश्वरे कते जैछै।


हमे पिताके तरफसे तोरसिके लिए एकटा सहायक भेज्बौ। ऊ सहायक पवित्र आत्मा छै जे पिताके तरफसे आबैछै आर जे सच छै ओकरा प्रकट करैछै। जब ऊ ऐतै ते, ऊ तोरासिके हमर बारेमे बतैतौ।


हमे परमेश्वर पिताके लगतसे संसारमे ऐलियै छे, आब फेर हमे संसारके छोडिके परमेश्वर पिताके लगत जैछियै।”


आब हे पिता, आब तोर उपस्थितिमे हमर महिमा कर, उहे महिमा जे संसारके सृष्टिसे पहेला हमरलगत तोरसंगे रहैके समयमे रहै।”


ते ऊ देखल्कै कि जते येशूके लास राख्ल गेलै रहे, ओत्ते उजरा कपडा लगैल दीटा स्वर्गदूतके एकटा सिरौना महर आर एकटा पैर महर बैठ्ल रहै।


यदि तुहेंसब हमे, आदमीके बेटाके उप्पर स्वर्गमहर जैते देख्भैं, जते हमे पहेला रहियै ते, कि कर्भैं?


आर यी बात यरूशलेम सहरके आदमीसिके मालुम भेलै। सेल्याके ऊ जमिनके नाम ऊसब आपन भाषामे ओखेल्दामा राखल्कै यानिकी खूनके खेत।”


तब पत्रुस कहे लाग्लै, “आब हमे बढियाँसे बुझी गेलियै कि परमेश्वर ककरो संगे पक्षपात नैकरैछै।


ओत्ते पहुँचीके ऊसब एन्टीओखिया सहरके मण्डलीके जमा करैल्कै आर कहैल्कै कि परमेश्वर हमरसिके संगे भ्याके केरं बडका-बडका काम कैल्कै आर गैर-यहूदी आदमीसिके परमेश्वर केरंके येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैके लिए सक्षम बनैल्कै।


आब तुहेंसब आपनहैं आपन देखभाल कर आर पवित्र आत्मा तोरासिके जिम्मा लगैल परमेश्वरके मण्डलीके देख-रेख कर, जकरा ऊ आपन बेटाके खूनसे मोल लेल्कै छे।


यहूदी आदमी आर गैर-यहूदी आदमीसिमे कोनो फरक नैछै। इहे ल्याके कि परमेश्वर सभैके प्रभु छै, आर सहायताके लिए पुकारेवाला सभैके लिए ऊ उदार छै।


मगर हमे कहैछियै कि यहूदी आदमीसब जरुर ही ख्रीष्टके बारेमे सन्देश सुनल्कै छे। कहिनेकी धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, “ओकरसिके सन्देश सारा धर्तीमे पहुँचल छै, आर ओकरसिके वचन धर्तीपर सभे जगह तक पहुँचल छै।”


आब ओकरा, जे हमर प्रचार कैल खुश-खबरीके मुताबिक तोरासिके विश्वासमे मजगुत बनाबे सकैछौ, यानिकी येशू ख्रीष्टके विषयके प्रचारके मुताबिक, उटा रहस्यके प्रकाश बमोजिम, जे युग-युगसे गुप्तमे रहै,


मगर आब यी परमेश्वरके वक्तासिके लिख्ल बातसिके द्वारा प्रकट भेलै छे आर आब कहियो खतम नैहुएवाला परमेश्वरके आज्ञाके मुताबिक सभे जात-जातके आदमीसिके मालुम भेलै छे, ताकी सभे जात-जातके आदमीसब विश्वास करिके परमेश्वरके आज्ञापालन करे सकै।


हर्गिस नै! मगर परमेश्वर सभे दिन सच बोलैछै आर सभे आदमी झुट्ठा है। जेरं कि धरमशास्त्र परमेश्वरके विषयमे कहैछै, “तुहें आपन वचनमे ठीक हइह, आर इन्साफके समयमे तुहें जितिह।”


जे काम मूसाके विधि-विधान नैकरे सकल्कै, उटा काम परमेश्वर कैल्कै, कहिनेकी आपनसिके पापी स्वभाव मूसाके विधि-विधानके कमजोर बनैल्कै रहे। ऊ आपन बेटाके पापके बलिदान हुऐके लिए आपनसिके जुगुर शरीरमे भेजल्कै। एरंके ऊ मानव शरीरमे पापके न्याय कैल्कै।


अब्राहम, इसहाक, आर याकूब ओकरसिके पुर्खासब छै, आर ख्रीष्ट खुद भी, आपन मानव स्वभावमे, एकटा यहूदी आदमी रहै। परमेश्वर, जे सभैपर राज्य करैछै, ओकर प्रशंसा सभे दिन हैते रहै। आमेन!


पहेला आदमी माटीसे बन्ल रहै। ख्रीष्ट जे दोसर आदमी छै, ऊ स्वर्गसे ऐलै छे।


मगर जे ज्ञानके हमेसब बात करैछियै, ऊ ज्ञान परमेश्वरके ज्ञान छै जे गुप्त रहै। एखनतक कोय भी आदमी एकरा नै जान्ते रहै। सृष्टिसे पहेला ही परमेश्वर आपन ज्ञानसे फैसला करि लेल्कै रहे कि ऊ अपनासिके आपन महिमा देतै।


कहिनेकी परमेश्वरके बेटा येशू ख्रीष्ट जकर हमरसिकेद्वारा यानिकी हमर आर सिलास, तिमोथीके द्वारा तोरसिके बीचमे प्रचार भेलौ, ओकरामे कखनिहौं “हौं” आर कखनिहौं “नै” वाला बात नैछै, मगर ओकरामे सभे दिनसे खाली “हँ” छै।


कहिनेकी परमेश्वर, जे पत्रुसके यहूदी आदमीसिके बीचमे एकटा चुन्ल आर भेज्ल चेला हुऐके लिए नियुक्त कैल्कै, ऊ हमरा भी गैर-यहूदी आदमीसिके बीचमे चुन्ल आर भेज्ल चेला हुऐके लिए नियुक्त कैल्कै।


मगर जब परमेश्वरके तय कैल समय ऐलै, परमेश्वर खुद आपन बेटाके यी संसारमे भेजल्कै, आर ऊ एकटा आदमीके रुपमे जनम लेल्कै। ऊ एकटा यहूदी आदमीके रुपमे जनम लेल्कै रहे आर मूसाके विधि-विधानके अनुसरण कर्ते रहै।


परमेश्वर उहे कैल्कै जे ऊ नुक्याके राखल्कै, आर अपनासिके उटा नुकैल योजना प्रकट कैल्कै जे ऊ पहलहैसे ही ख्रीष्टके द्वारा पुरा करैके फैसला कैल्कै रहे।


आर हमर लिए भी प्रार्थना करिके परमेश्वरसे कहिहैं कि ऊ हमरा बोलैके लिए सही शब्द दै ताकी हमे हिम्मतसे खुश-खबरीके विषयमे, जे सभे आदमीसिके लिए छै, ओकर रहस्यके प्रचार करे सकियै।


ख्रीष्टमे तोर विश्वास अटल जगमे बनैल घरके जुगुर मजगुत बना। आर तोरसिके सुन्ल खुश-खबरीके आशासे पाछु नैहट्। इहे खुश-खबरीके बारेमे आकाशके निच्चामे भेल सभैके प्रचार कैल गेलै आर हमे, पावल, इहे खुश-खबरी सुनाबेवाला सेवक भेलियै छे।


परमेश्वर आपन आदमीसिके लिए यी रहस्य प्रकट करैके निर्णय कैल्कै ताकी ऊसब जानी जै कि ओकर योजना, जे जात-जातके आदमीसिके लिए छै से कतनें अदभुद आर महिमामय छै। ऊ रहस्य खुद ख्रीष्ट ही छै, जे तोरासिमे छौ। आर उहे यी बातके आशाके आधार छै कि तुहेंसब परमेश्वरके महिमामे सहभागी हैभैं।


इहे खुश-खबरी जे तोरसिकेलगत ऐलौ पुरा संसारभर फैलैछै। आदमीसिके जीवन परिवर्तन करिके हरेक जगहमे फल फराबैछै, जेरंके तुहेंसब पहेला बेर सुन्ल आर परमेश्वरके अदभुद अनुग्रहके बारेमे सचके बुझैके समयसे तोरसिके जीवनमे परिवर्तन ऐल छौ।


हमे कठिन मेहनत करैछियै कहिनेकी हमे तोरासिके सभैके आत्मिक रुपसे उत्साह दियैले चाहैछियै, आर तोरसिके एक दोसरके प्रतिके प्रेम तोरासिके एक बनैतौ। हमे चाहैछियै कि ऊसब पुरा भरोसा राखै कहिनेकी ऊसब परमेश्वरके रहस्यमय योजनाके पुरे बुझ्ल छै, जे ख्रीष्ट आपनहैं छै।


यी तब हैतै जब प्रभु येशू ओकर आदमीसिसे प्रशंसा पाबैके लिए फेर वापस ऐतै, आर ओकरापर विश्वास करेवाला आदमीसब ओकरा आदर देतै आर उटा दिन ओकर प्रशंसा करेवाला आदमीसिमेसे तहुँसब भी हैभैं, कहिनेकी हमेसब ओकर विषयमे जे तोरासिके कहैलियौ ऊ बातमे तुहेंसब विश्वास कैल्हैं।


वास्तवमे, दुष्ट आदमीके शक्तिसब आदमीसिके पहलहैसे गुप्त रुपमे परमेश्वरके विधि-विधान अस्वीकार करैले लगाबैछै। मगर जे आदमीके परमेश्वरसे अलग करैले खोजैछै परमेश्वर ओकरा नैहटाबै तक ऊ उटा काम कर्तहैं रहैछै।


ऊसब परमेश्वरमे स्पष्ट विवेकसे प्रकट कैल सच्चा सन्देशमे निरन्तर विश्वास करेवाला होना चाही।


बेटा ही परमेश्वरके महिमाके उजेत छै आर ऊ सभे प्रकारसे परमेश्वरके जुगुर छै। ऊ आपन शक्तिशाली वचनके द्वारा सृष्टि कैल सभे चीजके सम्हारिके राखैछै। ऊ आदमीसिके ओकरसिके पापसे शुद्ध कैल्कै आर एकरबाद स्वर्गमे परमधन्य परमेश्वरके दहिना हातके बगलमे बैठ्लै।


या अपनासब आदमीसिके विश्वासके शुरु करेवाला आर सिद्ध करेवाला येशूके विषयमे निरन्तर सोच्ते रहियै। ऊ आनन्दके लिए जे ओकर समनामे भविष्यमे राख्ल रहै, ऊ अपमानके कोनो चिन्ता नैकरिके क्रूसके दुःख सहैल्कै आर एरंके ऊ मरि गेलै आर आब ऊ परमेश्वरके दहिना हातके बगलमे सम्मानके जगहमे बैठ्लै।


हमेसब निश्चित रुपसे जानैछियै कि जे आदमी आशीर्वाद दैछै ऊ आदमी आशीर्वाद पाबेवाला आदमीसे बडका हैछै।


आब जे बात हमेसब कहैछियै, ओकरामे सभैसे बडका बात यी छै कि आपनसिके लगत जरुर ही एरंको प्रधान पुजारी छै जे स्वर्गमे परमधन्य परमेश्वरके दहिना हातके बगलमे सम्मानके जगहमे बैठ्ल छै।


मगर परमेश्वर यी आपन वक्तासिके बतैल्कै कि ओकरसिके सन्देश ओकरसिके लिए नै मगर तोरसिके लिए रहै। उटा सन्देश येशू ख्रीष्टके विषयमे खुश-खबरी छै जे एखन तुहेंसब सुन्लहैं छे। परमेश्वर स्वर्गसे आपन पवित्र आत्मा भेजल्कै ताकी तोरासिके खुश-खबरी प्रचार करैमे आदमीसिके सहायता करै। यी सभे बात एतनें अदभुद छै कि एत्तेतक कि स्वर्गदूतसब भी उत्सुकतासे यी चीजसिके हैते हुए देखैछै।


यी संसारके सृष्टि कैल जैसे पहेला, परमेश्वर समयसे पहेला यी निर्धारित करि लेल्कै रहे कि येशू ख्रीष्ट उद्धारकर्ता हैतै। मगर ऊ तोरासिके सहायता करैके लिए यी अन्तिम दिनसिमे यी संसारमे प्रकट भेलै छे।


ख्रीष्टके कैल कामद्वारा परमेश्वरपर तोरसिके भरोसा छौ, जे ख्रीष्टके मुर्दासे जिन्दा बन्याके महिमा देल्कै, ताकी तोरसिके आशा आर विश्वास परमेश्वरमे रहौ।


हमे यी कहैछियौ कहिनेकी ख्रीष्ट आपनसिके पापसिके कारण दुःख सहैल्कै आर मरि गेलै। ऊ खाली एकबेर मर्लै आर एकरा दोहराबैके जरुरत नैछै। ऊ एकटा धर्मी आदमी रहै जे पापी आदमीसिके लिए मरि गेलै ताकी परमेश्वरके संगे आपनसिके सम्बन्ध घनिष्ठ हुए सकै। ऊसब ओकर शरीरके मारि देल्कै मगर ओकरा पवित्र आत्माके सामर्थ्यसे फेरसे जिन्दा करि देल गेलै।


आर ऊ स्वर्गमे चल गेलै। आब ऊ ओत्ते परमेश्वरके दहिना हातके बगलमे सम्मानके जगहमे बैठ्ल छै। आर ऊ सभे स्वर्गदूत आर सभे अधिकारी आर शक्तिसिपर राज्य करैछै।


परमेश्वर आदमीसिके, उटा आदमीके देखैल्कै छे जे वास्तविक जीवन दैछै आर हमेसब ओकरा देख्लियै। सेल्याके हमेसब तोरासिके सच्चा बात बताबैछियौ। हमेसब तोरासिके कहैछियौ कि जे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दैछै ऊ सभे दिनके लिए रहैछै। बहुते समय पहेलासे ऊ परमेश्वर पिताके संगमे रहै मगर आब परमेश्वर ओकरा अपनासिके देखैल्कै छे।


येशू ख्रीष्ट यी संसारमे आपनसिके पाप मेटाबैके लिए ही ऐलै छे आर तुहेंसब जानैछैं कि ऊ कहियो पाप नैकरैछै।


जे आदमी निरन्तर पाप करैछै ऊ शैतानके आदमी छै। कहिनेकी शैतान ते शुरुहैसे पाप कर्ते ऐलै छे। शैतानके कामके नाश करैके लिए ही परमेश्वरके बेटा ऐलै छे।


ओकर मथामे एकटा नाम लिख्ल रहै, जकर एकटा गुप्त मतलब रहै। यी एरं रहै, “हमे महान बेबिलोन सहर छियै। हमे सभे वेश्यासिके मयाँ छियै आर ऊ छियै जे संसारके सभे खराब कामसिके स्रोत छियै।”


तब ऊ स्वर्गदूत हमरा कहैल्कै, “चकित नैहु। ऊ जनानी आर ओकरा लादेवाला सातटा मुडा आर दशटा सिङ भेल जंगली जानवरके मतलब हमे तोरा बतैबौ।


एकरबाद हमे देख्लियै कि आदमीसिके एकटा एतनें बडका भीड रहै कि कोय भी ऊ सभैके नै गिने सक्ते रहै। ऊसब संसारके हरेक जातसब, हरेक कुलसब, हरेक देशके आदमीसब आर हरेक भाषासिसे रहै। ऊसब सिंहासन आर बलि-भेंडाके समनामे खडा रहै। ऊसब उजरा कपडा पिन्हल रहै आर हरेक आदमी आपन-आपन हातमे खजुरके ठ्यार पकडले रहै जे कि ओकरसिके आदरके चिन्ह रहै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan