१ तिमोथी 2:7 - केवट नया कारार7 एकर खातिर, परमेश्वर हमरा खुश-खबरीके प्रचारक आर चुन्ल आर भेज्ल चेला नियुक्त कैल्कै। ऊ हमरा गैर-यहूदी आदमीसिके विश्वासके सच्चा शिक्षा सिखाबैके लिए चुन्लकै। हमे सच कहैछियौ, हमे झुठ नैबोलैछियौ। Faic an caibideil |
आब अगर कुछु भी अपनासिके परमेश्वरके प्रेमसे अलग नैकरे सकैछै ते, इस्राएल देशके हमर यहूदी आदमीसब, परमेश्वरसे कहिने अलग छै? हमरा ओकरसिके लिए बहुते दुःख छै, आर सभे दिन हमर मनमे ओकरसिके लिए दरद महसुस हैछै। वास्तवमे, भला ही हमे खुदपर आरोप लगाबे सकैछियै आर आपने ही यहूदी भ्या-बहिनसिके उद्धारके लिए खुद ख्रीष्टसे अलग हुए सकैछियै, हमे ओकर लिए तैय्यार छियै। हमे ख्रीष्टके गवाह मानिके सच कहैछियौ। पवित्र आत्मा आर हमर विवेक भी गवाही दैछै कि यी सभे बातसब झुठ नैछै।
जे आदमीसब मण्डलीके अगुवासब मान्ल जैते रहै, यानिकी याकूब, पत्रुस, आर यूहन्ना, ऊसब कृपाके उटा वरदानके पहचानल्कै जे हमरा मिल्लै छे। ऊसब हमरा आर बरनाबासके आपन सहयोगी जानीके हमरासिके सहभागिताके दहिना हात देल्कै। ऊसब यी बातके लिए सहमत भेलै कि हमेसब गैर-यहूदी आदमीसिके लगत जैयै आर ऊसब यहूदी आदमीसिके लगत जै।
तुहेंसब यी भी जानैछैं कि जब बहुते समय पहेला रहेवाला आदमीसब परमेश्वरके डर नैमानल्कै ते परमेश्वर उटा खराब कामसिके नजर अन्दाज नैकैल्कै जे ऊसब कर्ते रहै। बल्की ऊ पुरा संसारके डुबाबैके लिए पानी भेजिके ओकरासिके एरं सजाय देल्कै कि ऊ सभे आदमीसब डुबि गेलै। मगर परमेश्वर नूहके सहित ऊ आठ आदमीसिके बचैल्कै, जे परमेश्वरके संगे धर्मी हुऐके विषयमे प्रचार कैल्कै रहे।