Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ तिमोथी 2:6 - केवट नया कारार

6 ख्रीष्ट पाप आर मौतके शक्तिसे मोल तिरिके सभैके बचाबैके लिए आपन बलि देल्कै। ओकर मौतद्वारा परमेश्वर सही समयमे सबूत देल्कै कि ऊ सभे आदमीसब उद्धार पाबै कहिके चाहैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ तिमोथी 2:6
34 Iomraidhean Croise  

जेरंके हमे, आदमीके बेटा खुद एकटा महान शासकके जुगुर आपन सेवा करवाबैके लिए नै ऐलियै छे, एकर बदलामे हमे दोसरसिके सेवा करैके लिए आर दोसरसिके बचाबैके लिए आपन जान दियैले ऐलियै छे।”


ऊ कहैल्कै, “परमेश्वर जेटा समय तय कैल्कै रहे, उटा समय ऐल छै; आर परमेश्वरके राज्य एखन ऐल छै। पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा, आर खुश-खबरीमे विश्वास कर।”


हमे, आदमीके बेटा खुद एकटा महान शासकके जुगुर आपन सेवा करवाबैके लिए नै ऐलियै छे, एकर बदलामे हमे दोसरसिके सेवा करैके लिए आर दोसरसिके बचाबैके लिए आपन जान दियैले ऐलियै छे।”


स्वर्गसे उतरिके ऐल जिन्दा रोटी हम्हीं छियै। यी रोटी ख्यावाला सभे दिन जिन्दा रहतै। हमर दिएवाला रोटी हमर आपने शरीर छै। संसारके आदमीसब जीवन पाबै कहिके हमे आपन शरीर देबौ।”


मगर आब यी परमेश्वरके वक्तासिके लिख्ल बातसिके द्वारा प्रकट भेलै छे आर आब कहियो खतम नैहुएवाला परमेश्वरके आज्ञाके मुताबिक सभे जात-जातके आदमीसिके मालुम भेलै छे, ताकी सभे जात-जातके आदमीसब विश्वास करिके परमेश्वरके आज्ञापालन करे सकै।


कहिनेकी जखनी अपनासब कमजोर ही रहियै, तखनिहैं येशू ख्रीष्ट परमेश्वरके नियुक्त कैल समयमे दुष्ट आदमीसिके लिए मर्लै।


एरंके परमेश्वर तोरासिके ख्रीष्टके बारेमे भेल सन्देशके सच्चा साबित कैल्कौ छे।


ख्रीष्ट, जे निष्पाप रहै, ओकरा परमेश्वर आपनसिके लिए पाप बन्या देल्कै ताकी अपनासब परमेश्वरके द्वारा धर्मी घोषित कैल जैयै कहिनेकी ख्रीष्ट आपनसिके पापसिके सजाय आपन उप्परमे ल्या लेल्कै।


आपनसिके परमेश्वर आर पिताके इच्छाके मुताबिक येशू ख्रीष्ट अपने आपके आपनसिके पापसिके कारण बलिदान करिदेल्कै ताकी अपनासब यी वर्तमान संसारके आदमीसिके खराब प्रभावसे बचिके रहियै।


मगर जब परमेश्वरके तय कैल समय ऐलै, परमेश्वर खुद आपन बेटाके यी संसारमे भेजल्कै, आर ऊ एकटा आदमीके रुपमे जनम लेल्कै। ऊ एकटा यहूदी आदमीके रुपमे जनम लेल्कै रहे आर मूसाके विधि-विधानके अनुसरण कर्ते रहै।


हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर, आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके महिमामय पिता, तोरासिके आत्मिक ज्ञान आर समझ दौ आर तोरा यी समझैके लिए सहायता करौ कि परमेश्वरके जानैके मतलब कि छै।


ख्रीष्टके खून बहैल जैके कारणसे आपनसिके छुटकारा भेलै छे। यानिकी, आपनसिके पाप माफ कैल गेलै छे। परमेश्वरके अनुग्रह बहुते ही महान छै जे ऊ अपनासिके प्रशस्त करिके देल्कै छे।


बित्ल समयमे, परमेश्वर आदमीसिके यी रहस्य प्रकट नैकैल्कै। मगर आब ऊ पवित्र आत्माके माध्यमसे आपन पवित्र चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके आर आपन वक्तासिके यी बातके खुलासा कैल्कै छे।


ख्रीष्टके उदाहरणके अनुसरण कर्ते हुए, दोसर आदमीसिके प्रति प्रेमसे भर्ल जीवन जी, ख्रीष्ट तोरासे प्रेम कैल्कौ आर तोरसिके पापसिके उठाबैके लिए खुदके बलिदान करिदेल्कै। आर परमेश्वर यी बातसे खुश रहै, कहिनेकी उटा बलिदान ओकर लिए गमकौव्वा धुपके जुगुर रहै।


यी तब हैतै जब प्रभु येशू ओकर आदमीसिसे प्रशंसा पाबैके लिए फेर वापस ऐतै, आर ओकरापर विश्वास करेवाला आदमीसब ओकरा आदर देतै आर उटा दिन ओकर प्रशंसा करेवाला आदमीसिमेसे तहुँसब भी हैभैं, कहिनेकी हमेसब ओकर विषयमे जे तोरासिके कहैलियौ ऊ बातमे तुहेंसब विश्वास कैल्हैं।


परमेश्वर, जे खाली एक्केटा राजा छै, जे प्रशंसाके योग्य छै, राजासिके भी राजा आर प्रभुसिके भी प्रभु, उहे ख्रीष्टके सही समयमे प्रकट कर्तै।


सेल्याके दोसर आदमीसिके आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके विषयमे बताबैमे लज्जित नैहु, आर तोरा यी बातसे भी लाज नै होना चाही कि हमे ख्रीष्टके सेवा करैके कारणसे जेलमे छियै। मगर तोरा उटा सामर्थ्यके प्रयोग करना चाही जे परमेश्वर तोरा दैछौ आर खुश-खबरीके लिए तुहें हमर दुःखमे साथ दे।


आर आब सही समयमे, परमेश्वर यी खुश-खबरी प्रकट कैल्कै आर हमेसब सभे आदमीसिके यी बातके प्रचार करैछियै। आपनसिके उद्धारकर्ता परमेश्वर हमर प्रचारके कामद्वारा यी आज्ञा देते हमरा जिम्मेदारी देल्कै कि हमे ओकर खातिर यी काम करियै।


उहे येशू ख्रीष्ट अपनासिके सभे पापसे छुटकारा दिलाबैके लिए आर नैतिक रुपसे शुद्ध बनाबैके लिए खुदके बलिदान कैल्कै ताकी अपनासब ओकर आपन विशेष आदमीसब बने सकियै जेसब बढियाँ काम करैके बडका इच्छा राखैछै।


ऊ परमेश्वरके पालके महा-पवित्रस्थानमे एकटा छागर या एकटा बाछाके खूनके साथ नैगेलै, मगर ऊ खुद आपन खूनके साथ गेलै। ऊ यी काम खाली एकबेर कैल्कै, आर एकरा फेरसे करैके कहियो जरुरत नैहैतै। ओकरेद्वारा अपनासिके कहियो खतम नैहुएवाला छुटकारा मिल्लै।


जब ख्रीष्ट मर्लै ते आपनसिके पापके कारण क्रूसपर ओकर शरीरके सजाय देल गेलै। ऊ एरंको इहे ल्याके कैल्कै, ताकी अपनासब पाप करैले बन्द करि दियै आर धार्मिकतासे जियैले शुरु करि दियै। आर उटा घासिके कारण जे ऊ सहन कैल्कै, अपनासब ठीक भ्या गेलियै छे।


हमे यी कहैछियौ कहिनेकी ख्रीष्ट आपनसिके पापसिके कारण दुःख सहैल्कै आर मरि गेलै। ऊ खाली एकबेर मर्लै आर एकरा दोहराबैके जरुरत नैछै। ऊ एकटा धर्मी आदमी रहै जे पापी आदमीसिके लिए मरि गेलै ताकी परमेश्वरके संगे आपनसिके सम्बन्ध घनिष्ठ हुए सकै। ऊसब ओकर शरीरके मारि देल्कै मगर ओकरा पवित्र आत्माके सामर्थ्यसे फेरसे जिन्दा करि देल गेलै।


सच्चा प्रेम यी छै: यी आपनसिके द्वारा परमेश्वरके कैल प्रेम नैछै मगर परमेश्वर अपनासिके कैल प्रेम छै। परमेश्वर आपन बेटाके आपनसिके पापके सजायसिके मेटाबैके लिए प्रायश्चितके बलिदानके रुपमे भेजल्कै।


आर येशू ख्रीष्टके तरफसे जकर वचनपर भरोसा कैल ज्या सकैछै। उहे ही छै जे मुर्दासे फेरसे जिन्दा भेलै आर ऊ यी संसारके सभे राजासिके शासक छै। ऊ आपनसिसे प्रेम करैछै आर ऊ आपन खून बहयाके अपनासिके आपनसिके पापसिसे बचाबैछै। ऊ अपनासिके एरंको समूहके आदमी बन्या देल्कै छे, जकर परमेश्वर ओकरसिके राजा छै आर ऊ अपनासिके परमेश्वर ओकर पिताके लिए पुजारी बन्या देल्कै छे। ओकरा आदर आर अधिकार सभे दिन आर हर समय मिल्ते रहै। आमेन।


ऊसब यी नया गीत बलि-भेंडा यानिकी येशू ख्रीष्टके विषयमे गाबैछै, “तोरलगत यी किताबके खोलैके लिए मोहरसिके लियैके आर तोडैके अधिकार छै, कहिनेकी तोर जान मारि देल गेल्हौं रहे आर आपन मौतके खूनसे तुहें हरेक कुलसब, हरेक भाषासब, आदमी आर हरेक जात-जातके आदमीसे, परमेश्वरके लिए आदमीसिके मोल चुक्याके किनि लेलह छे।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan