१ तिमोथी 2:5 - केवट नया कारार5 कहिनेकी परमेश्वर एक्केटा ही छै, आर खाली एक आदमी मध्यस्थ छै जे परमेश्वर आर आदमीके बीचमे शान्ति आनैछै, यानिकी येशू ख्रीष्ट। Faic an caibideil |
सेल्याके ख्रीष्ट परमेश्वरके तरफसे मध्यस्थके रुपमे आपन आदमीसिके लिए एकटा नया करार आनल्कै छे। ऊ आदमीसब जकरा परमेश्वर बोलैल्कै छे, ऊ सभे आशिषके प्राप्त करे सकैछै जकर प्रतिज्ञा ऊ कैल्कै छे, यानिकी ऊ आशिषसब जे सभे दिन रहतै। ऊसब उटा चीजसब प्राप्त करे सकैछै कहिनेकी ख्रीष्ट मरि गेलै ताकी ऊ आदमीसब जेसब पुरना करारके अधिनमे रहते रहै ओकरासिके पापसे छुटकारा देल ज्या सकै।
तुहेंसब जे हमर प्यारा बच्चासिके जुगुर छैं, तुहेंसब कोनो भी प्रकारके खराब काम नैकर कहिके हमे तोरासिके यी लिखैछियौ। अगर कोय आदमी कोनो भी प्रकारके खराब काम कर्बो कर्तै ते, परमेश्वर पिताके संगे आपनसिके खराब कामके माफीके लिए बिन्ती करि दिएवाला एकटा सहायक छै, ऊ आदमी येशू ख्रीष्ट छै, जे पूर्ण रुपसे परमेश्वरके समनामे सही छै।