यी जीवन पाबैके लिए हमेसब संघर्ष आर कडा मेहनत करैछियै, कहिनेकी अपनासब जिन्दा परमेश्वरमे आशा राखैछियै, जे सभे आदमीसिके विशेष करिके ओकरामे विश्वास करेवाला आदमीसिके उद्धारकर्ता छै।
आपन विरोधमे भेल आदमीसिके ऊ नम्रताके साथ सुधारना चाही, आर कि पता परमेश्वर ओकरासिके मन बदलैके लिए सहायता कर्तै, ताकी ऊसब भी ख्रीष्टके सच्चाईके चिन्हे सकै।
अपनासिके यी कामसब करना चाही, कहिनेकी अपनासब ख्रीष्टके विषयके सच्चा सन्देश प्राप्त करि लेलके बाद भी यदि अपनासब जानी-बुझिके पाप कर्ते रहबै ते, एरंको कोनो बलिदान नैछै जकरा परमेश्वर स्वीकार कर्तै जे आपनसिके पापसिके दूर करे सकैछै।