Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ तिमोथी 2:3 - केवट नया कारार

3 सभे आदमीसिके लिए एरंके प्रार्थना करना सही छै आर आपनसिके उद्धारकर्ता परमेश्वर यी बातके स्वीकार करैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ तिमोथी 2:3
16 Iomraidhean Croise  

आर हमर आत्मा उद्धारकर्ता परमेश्वरमे आनन्द करैछै।


जे आदमी एरंके ख्रीष्टके सेवा करैछै, ओकरासे परमेश्वर खुश छै आर आदमीसब भी ओकर बारेमे बढियाँ कहतै।


जेरंके गाछ फल फराबैछै ओहिने करिके तुहेंसब परमेश्वरके महिमा आर स्तुतिके खातिर येशू ख्रीष्टसे आबेवाला धार्मिक काम कर।


हमे सभे कुछु पाबि लेलियै छे आर बहुते भी छै, जे चीज तुहेंसब इपाफ्रोडिटसके द्वारा भेज्लहैं रहे उटा पाबिके हमे सन्तुष्ट भेलियै छे। तोरसिके उपहारसब हमर लिए पुजारीद्वारा परमेश्वरके चढैल मिठा सुगन्धवाला दान आर बलिदानके जुगुर छै। उटा परमेश्वरके लिए स्वीकार योग्य आर मनमोहक छै।


हमेसब यी भी प्रार्थना करैछियै कि तुहेंसब एरंके व्यवहार करे सक्हैं जेरंके प्रभुके आदमीसिके व्यवहार करे पडैछै आर तुहेंसब प्रभुके सभे बातमे खुश बनैभैं आर तुहेंसब निरन्तर सभे किसिमके उपयोगी कामसब कर्भैं। आर परमेश्वरके चिन्हैमे तुहेंसब बढ्ते जैभैं।


अन्तमे हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमेसब तोरासिके प्रभु येशूके नाममे आग्रह करैछियौ कि जेरंके हमेसब तोरासिके सिखैलियौ छे, परमेश्वरके खुश करेवाला जीवन जी। तुहेंसब पहलहैसे एरंके जीवन जियैछैं, आर हमेसब तोरासिके एरंके जियैके लिए आरहौ बेसी उत्साह दैछियौ।


हमे, पावल, यी चिट्ठी लिखैछियै। हमरसिके आशा राख्ल उद्धारकर्ता परमेश्वर आर येशू ख्रीष्टके अधिकारमे हमे प्रभु येशू ख्रीष्टके कामके लिए ख्रीष्टके चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै।


यी जीवन पाबैके लिए हमेसब संघर्ष आर कडा मेहनत करैछियै, कहिनेकी अपनासब जिन्दा परमेश्वरमे आशा राखैछियै, जे सभे आदमीसिके विशेष करिके ओकरामे विश्वास करेवाला आदमीसिके उद्धारकर्ता छै।


आर यदि कोनो मोसामातके बेटाबेटी या नाती नतनीसब छै ते, सबसे पहेला ओकरासिके आपन परिवारके आदमीसिके देखभाल करिके ईश्वरीय व्यवहार करैके लिए सिखना चाही आर एरं करिके आपन मयाँ-बाबु या दादो-दादीके लिए आपन बचपनके समयमे ओकरसिके द्वारा कैल उपकारके बदलामे कुछु करे सकैछै। कहिनेकी परमेश्वरके इहे बात पसन्द छै।


ऊ अपनासिके बचैल्कै आर अपनासिके एकटा पवित्र जीवन जियैके लिए बोलैल्कै छे, आर अपनासब बढियाँ काम करैके कारणसे ऊ अपनासिके नैचुनल्कै छे, मगर ओकर आपन योजना आर अनुग्रहके आधारमे छै। यी संसारके सृष्टि हुऐसे पहेला ही परमेश्वर येशू ख्रीष्टके आपनसिके लिए मरैके लिए भेजिके आपन अनुग्रह अपनासिपर देखाबैके योजना बन्या लेल्कै रहे।


मगर भलाइ करना आर जे कुछु तोरसिकेलगत छौ, ओकरा जरुरत पडल आदमीसिके संगे बाँटचुट कर, कहिनेकी परमेश्वर एरं बलिदानसिसे खुश हैछै।


मगर यदि तुहेंसब गलत काम करिके मार खैछैं ते, सजाय मिल्ल पर धीरज राखैमे तोरसिके प्रशंसा करैके कोनो कारण नैछौ। मगर यदि भलाइ करैके कारण तुहेंसब दुःख सहैछैं आर धीरज राखैछैं ते, परमेश्वर खुश हैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan