१ तिमोथी 2:10 - केवट नया कारार10 एकर बदलामे, ऊसब दोसर आदमीसिके लिए बढियाँ कामसब करे पडैछै, परमेश्वरके भक्ति करेवाला जनानीसिके लिए इहे उचित व्यवहार छै। Faic an caibideil |
कतनें बेर एरं आदमीसब हैछै जेसब प्रभुके नैजानैछै आर ऊसब तोरासिपर यी कहिके गलत आरोप लगाबे सकैछौ कि तोरसिके काम खराब छौ। इहे ल्याके तोरासिके आपन व्यवहारके विषयमे होशियार रहना चाही, ताकी ऊसब तोरसिके बढियाँ व्यवहार देखे सकौ। अन्तमे ऊसब स्वीकार कर्तै कि तोरसिके व्यवहार बढियाँ छै आर जे दिन परमेश्वर संसारके न्याय करैके लिए फेर यी संसारमे वापस ऐतै उटा दिन ऊसब परमेश्वरके महिमा कर्तै।
हमे जानैछियै कि तुहें पुरा मेहनतसे हमर काम करैछैं, तुहें एक दोसरसे प्रेम करैछैं आर हमरापर मजगुतीसे विश्वास करैछैं। हमे जानैछियै कि तुहें केरंके एक दोसरके सहायता कैल्हैं छे आर तोर सहैके क्षमता भी जानैछियौ। हमे जानैछियै तुहें आब यी बढियाँ काम उटा समयसे बेसी करैछैं जब तुहें हमरापर पहेला बेर विश्वास कैल्हैं रहे।