१ तिमोथी 1:9 - केवट नया कारार9 हमरासिके यी भी मालुम छै कि मूसाके विधि-विधान परमेश्वरके नजरमे सही भेल आदमीसिके लिए नैछै मगर परमेश्वरके विधि-विधानके बेवास्ता करिके जानी-जानीके आज्ञा नैमानेवाला आदमीसिके लिए, आर परमेश्वरके आराधना नैकरेवाला आर निरन्तर पाप करेवाला आदमीसिके लिए, आर परमेश्वरके सम्मान नैकरेवाला दुष्ट आदमीसिके लिए, आर आपन मयाँ-बाबुके आर दोसर आदमीसिके जान मारेवाला आदमीसिके लिए छै। Faic an caibideil |
तब फेर विधि-विधान कहिने देल गेलै ते? विधि-विधान आदमीसब कतनें पापी छै कहिके देखाबैके लिए देल गेलै। मूसाके विधि-विधानके तबतक रहना रहै जबतक अब्राहमके उटा सन्तान नैऐलै, जकर विषयमे परमेश्वर प्रतिज्ञा कैल्कै रहे। विधि-विधान मूसाके स्वर्गदूतसिके सहायतासे देल गेलै रहे आर मूसा परमेश्वर आर आदमीसिके बीचमे मध्यस्थकर्ता भेलै।
हमे एरं इहे ल्याके कहैछियौ कहिनेकी बहुते आदमीसब सही शिक्षाके विरुद्धमे विद्रोह कर्तै, यानिकी ऊसब जे बकवास बातसब सिखाबैछै आर जेसब दोसर आदमीसिके धोखा दैछै। यी बात खास करिके कुछु यहूदी आदमीसिके विषयमे सच छै, जेसब विश्वासी बनी गेलै छे। खास करिके ऊ आदमीसब एरंको समूहके छै जेसब खतनाके नियमके मुताबिक सभे विश्वासीसिके खतना हुए पडैछै कहिके कहैछै।
कहिनेकी अपनासब भी विश्वासी हुऐसे पहेला मूर्ख रहियै, परमेश्वरके आज्ञापालन नैकर्ते रहियै आर आदमीसब अपनासिके धोखा देल्कै रहे। अपनासब दासके जुगुर रहियै जे सभे प्रकारके खराब कामसब करैके इच्छासे नियन्त्रित रहै जकरासे अपनासिके आनन्द मिल्ते रहै। अपनासब आपन समयके खराब तरिकासे व्यवहार करैमे आर दोसर आदमीसिसे ईर्ष्या करैमे बितैते रहियै। अपनासब घृणित आदमीसब रहियै; सभेको अपनासिके घृणा कैल्कै आर अपनासब भी ओकरासिके घृणा कैलियै।
यी ऊ आदमीसिके आत्मासब रहै, जेसब बहुते समय पहेला परमेश्वरके आज्ञाके उलंघन कैल्कै रहे। जब नूह आपन नाव बनैते रहै ते, परमेश्वर धीरजके साथ इन्तजार कर्ते रहै कि देखियै ऊ आदमीसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैछै। मगर जब पानी संसारके विनाश करिदेल्कै ते नावमे प्रवेश करेवाला खाली आठ आदमीसब बचैल गेलै रहे।
मगर जे हमरापर विश्वास नैराखैछै, ओकरासिके जबरजस्ती गन्धकसे जरेवाला उटा तालाबमे फेक्ल जैतै, जे कि दोसर मौत छै। आर यी नतिजा ओकरसिके भी हैतै, जेसब आदमीसिके समनामे हमरा स्वीकार करैसे डराबैछै, खराब कामसब करैछै, जेसब हत्यारासब छै, जेसब व्यबिचार करैछै, जादु-टोना करैछै आर मूर्तिसिके पूजा करैछै या झुठ बोलैछै।”