१ तिमोथी 1:5 - केवट नया कारार5 यी आदेश दियैके मकसद यी छै कि तुहेंसब एक दोसरके साफ मन, बढियाँ विवेक आर सच्चा विश्वाससे प्रेम करे सक्हैं। Faic an caibideil |
आब अगर कुछु भी अपनासिके परमेश्वरके प्रेमसे अलग नैकरे सकैछै ते, इस्राएल देशके हमर यहूदी आदमीसब, परमेश्वरसे कहिने अलग छै? हमरा ओकरसिके लिए बहुते दुःख छै, आर सभे दिन हमर मनमे ओकरसिके लिए दरद महसुस हैछै। वास्तवमे, भला ही हमे खुदपर आरोप लगाबे सकैछियै आर आपने ही यहूदी भ्या-बहिनसिके उद्धारके लिए खुद ख्रीष्टसे अलग हुए सकैछियै, हमे ओकर लिए तैय्यार छियै। हमे ख्रीष्टके गवाह मानिके सच कहैछियौ। पवित्र आत्मा आर हमर विवेक भी गवाही दैछै कि यी सभे बातसब झुठ नैछै।
आपनसिके हृदयके ऊ आपन खूनसे पवित्र बनैल्कै ताकी अपनासब जाने सकियै कि आब अपनासिमे कोनो गल्ती नैछै। आपनसिके शरीरके ऊ पानीसे लुहैल्कै, यी चिन्हके रुपमे कि ऊ अपनासिके शुद्ध करिदेल्कै छे। सेल्याके, हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, अपनासब आपनसिके पुरा मन आर एरंको विश्वासके साथ परमेश्वरके नज्दिक चल जे आब हिलेवाला नैछै।
पहेलाके समयमे ओकरसिके बचैल जाना आब आपनसिके बचैल जानाके एकटा उदाहरण छै जब अपनासब बप्तिस्मा लैछियै। ऊ पानी जकरामे अपनासब बप्तिस्मा लैछियै, ऊ आपनसिके शरीरसे मैल नैहटाबैछै, मगर यी एकटा चिन्ह छै कि अपनासब परमेश्वरसे माफी माँग्लियै छे, ताकी आगु चलिके आपनसिके मन परेशान नैरहै। अपनासिके माफी कैल ज्या सकैछै कहिनेकी येशू ख्रीष्ट मौतके बाद फेरसे मुर्दासे जिन्दा भेलै छे,