१ तिमोथी 1:19 - केवट नया कारार19 तुहें निरन्तर ख्रीष्टमे विश्वास कर आर साफ विवेक राख। कुछु आदमीसब साफ विवेकके इन्कार कैल्कै छे। नतिजा स्वरुप ऊसब आब ख्रीष्टमे विश्वास नैकरैछै। Faic an caibideil |
जेरंके एकटा बढियाँ सिपाही युद्धमे लडाई करैके समयमे कहियो हार नैमानैछै, तुहेंसब भी परमेश्वरमे भरोसा राखैले आर ओकर आज्ञापालन करैले कहियो भी नैछोडना चाही। कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके पक्डीके राख्, जकर खातिर तोरा बुलाहट भेल रहौ, आर बहुते आदमीसिके समनामे तुहें ख्रीष्टमे भरोसा राखैछैं कहिके साफ कहलहैं रहे।
उटा शिक्षाके याद कर जे तुहें बहुते पहेला सुन्लहैं रहे आर विश्वास कैल्हैं रहे। जे तोरा सिखैल गेलौ रहे ओकर अनुसरण कर, पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा। यदि तुहें गलत काम कर्ते रहैछैं ते हमे अचानक ऐबौ, जेरंके रातके समयमे चोर आबैछै आर तुहें उटा समयके भी नैजाने सक्भैं जब हमे तोरा सजाय दियैके लिए आबी जैबौ।