Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ तिमोथी 1:17 - केवट नया कारार

17 ऊ राजा जे सभे दिनके लिए राज्य करैछै, जे सभे दिनके लिए जिन्दा छै, जकरा कोय नैदेखे सकैछै आर उहे खाली एक्केटा आर सच्चा परमेश्वरके आदर आर महिमा सभे दिन मिल्ते रहै। आमेन।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ तिमोथी 1:17
48 Iomraidhean Croise  

तब हमे, राजा आपन दहिना बगलवाला आदमीसिके कहबै, ‘हमर पितासे आशीर्वाद पैल आदमीसब! या! संसारके सृष्टिसे तोरसिके लिए तैय्यार कैल राज्यके भागीदार बन।


हमे जतनें आदेश तोरासिके देलियौ छे उटा सभेटा पालन करैले ओकरासिके सिखा। आर देख, संसारके अन्तके समयतक हमे हमेशा तोरसिके साथमे छियौ।”


हमरासिके परीक्षामे पडैले नैद्या, मगर पापमे फसाबेवाला बातसे दूर राख, (कहिनेकी राज्य, पराक्रम, आर महिमा सभे दिन तोरे छौं, आमेन)।


परमेश्वरके कोय भी कहियो नैदेखल्कै छे। मगर परमेश्वरके एकलौता बेटा येशू ख्रीष्ट, जे खुद ही परमेश्वर छै, खाली उहे परमेश्वरके देखल्कै छे।


तुहेंसब हमरापर विश्वास करे नैसकैछैं, कहिनेकी तुहेंसब एक दोसरसे प्रशंसा चाहैछैं, आर तुहेंसब खाली एकटा परमेश्वर पितासे प्रशंसा पाबैके कोशिश नैकरैछैं।


परमेश्वर संसार सृष्टि करैके समयसे ही आदमीसब ओकर कहियो खतम नैहुएवाला शक्ति आर ऊ वास्तवमे परमेश्वर छै कहिके साफसे बुझे सकैछै। यी ईश्वरीय गुणसब अदृश्य छै मगर एकरा चिन्हे सकैछियै, आदमीसब परमेश्वरके सृष्टि कैल चीजसिसे ओकर बारेमे मालुम करे सकैछै। नतिजा स्वरुप, ओकरासिके परमेश्वरके नैचिन्हैके कोनो बहाना नैहैछै।


ऊसब सभे दिन जिन्दा रहेवाला महिमित परमेश्वरके आराधना नैकरिके सभे दिन जिन्दा नैरहे सकेवाला आदमी, चिडिया मैना, चार टेंगा जानवर आर घिसरिके चलेवाला जीवसिके रुपमे बनैल मूर्तिसिके आराधना कैल्कै छे।


कहिनेकी सभे कुछु परमेश्वरसे आबैछै। ऊ सभे कुछु बनैल्कै छे, आर सभे चीज ओकरे छै। ओकरा सभे दिन महिमा मिल्ना चाही! आमेन!


येशू ख्रीष्टके द्वारा एक्केटा सर्वज्ञानी परमेश्वरके सभे दिन महिमा हैते रहै। आमेन।


जेसब बढियाँ काम करैछै, परमेश्वर ओकरासिके महिमा, आदर आर शान्ति देतै, पहेला यहूदी आदमीसिके मिल्तै तकरबाद गैर-यहूदी आदमीसिके मिल्तै।


धीरजके साथ बढियाँ काम करिके महिमा, इज्जत आर अमरता खोजेवाला आदमीके परमेश्वर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देतै।


कोय भी परमेश्वरके देखे नैसकैछै, मगर जब ओकर बेटा आदमी बन्लै, ऊ परमेश्वरके आदमीसिके बीचमे प्रकट कैल्कै आर ओकरसंगे परमेश्वरके द्वारा सृष्टि कैल सभे चीजपर सर्वोच्च अधिकार छै।


विश्वासेद्वारा राजाके क्रोधसे नै डर्याके ऊ मिश्र देशके छोडी देल्कै। कहिनेकी कठिनाईसिके सामना कैलके बाद भी, ऊ फेर वापस नैभेलै कहिनेकी मान कि यी एरं रहै जेरं कि ऊ परमेश्वरके देखल्कै रहे, जे अदृश्य छै।


तुहें आदमीके कुछु समयके लिए स्वर्गदूतसिसे कम शक्तिशाली बनैलह, मगर एकरबाद तुहें ओकरा एकटा राजाके जुगुर महिमा आर सम्मान देलह छे।


ऊ सम्मान पाबैके योग्य छै कहिनेकी ओकर शक्तिके कोनो अन्त नैछै। आमेन।


मगर तोरासिके आपनसिके प्रभु आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्टके अनुग्रहके आरहौ बेसीसे बेसी अनुभव करना चाही आर ओकर प्रति आपन समझमे बढना चाही। ओकर महिमा एखन आर सभे दिनके लिए हैते रहै। आमेन।


परमेश्वरके कोय कहियो नैदेखल्कै छे। यदि अपनासब एक-दोसरके प्रेम कर्बै ते परमेश्वर अपनासिमे रहतै आर ओकर प्रेम अपनासिमे सिद्ध हैछै।


ऊसब एकटा एरं गीत गैते रहै, जेरं परमेश्वरके दास मूसा बहुते पहेला गैल्कै रहे। ऊसब येशूके महिमा करैके लिए, जे कि एकटा बलि-भेंडाके जुगुर छै, एरंके गीत गैल्कै, “हे सर्वशक्तिमान प्रभु परमेश्वर, जे कुछु तुहें कैलह छे, उटा महान आर अदभुद छै। तुहें सभे देशके राजा छह। तुहें जे भी करैछ उटा सही आर धर्मी छै।


ऊसब बलि-भेंडाके विरुद्धमे लडै कर्तै मगर बलि-भेंडा ओकरासिके परास्त करि देतै कहिनेकी ऊ प्रभुसिके प्रभु आर राजासिके राजा छै। ऊ ओकरासिके आपन बोलैल, चुन्ल आर विश्वासयोग्य अनुयायीसिके संगे परास्त करि देतै।”


जब शक्तिशाली स्वर्गदूत बोलैले बन्द कैल्कै तब हमे जे सुन्लियै ऊ एरं रहै जेरं कि स्वर्गमे बहुते आदमीसब गीत गाबैछै, “परमेश्वरके स्तुति है! उद्धार, महिमा आर शक्ति हमरसिके परमेश्वरके छै।


ओकर कपडा आर दहिना जाँघमे “राजासिके राजा आर प्रभुसिके प्रभु” कहिके नाम लिख्ल रहै।


एकरबाद हमे यी भी सुन्लियै जे बहुते आदमीसिके बडका आवाजके जुगुर उचा रहै। ऊ उचा आवाज बडका झरनाके गर्जनके जुगुर रहै आर बादलके बडका गडगडाहटके आवाजके जुगुर रहै। हमे ओकरासिके यी कहते सुन्लियै, “या अपनासब प्रभु, आपनसिके सर्वशक्तिमान परमेश्वरके प्रशंसा करियै। कहिनेकी ओकरलगत सभे जगहमे राज्य करैके शक्ति छै।


“हमेसब घोषणा करैछियै कि हमरसिके परमेश्वर महान, शक्तिशाली, प्रतापी आर ज्ञानवान छै। या अपनासब सभे दिनके लिए ओकर प्रशंसा करियै आर ओकरा धन्यवाद दियै। आमेन!”


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan