Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ तिमोथी 1:16 - केवट नया कारार

16 मगर येशू ख्रीष्ट हमरापर दया कैल्कै। कहिनेकी हमे पापी आदमीसिमेसे भी खराब रहियै आर ऊ हमरा प्रयोग करिके यी देखैल्कै कि ऊ पूर्ण रुपसे धीरजी छै। यी ऊ आदमीसिके लिए एकटा उदाहरण हैतै, जे पाछु ओकरापर विश्वास कर्तै आर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन पैतै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ तिमोथी 1:16
37 Iomraidhean Croise  

हमे तोरासिके कहैछियौ, अहिने करिके पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबेवाला एकटा पापी आदमीके लिए स्वर्गमे परमेश्वरके स्वर्गदूतसब खुशी मनैतै।”


येशू ओकरा कहैल्कै, “हमे तोरा सच कहैछियौ, ऐजे तुहें हमरसंगे स्वर्गलोकमे हैभैं।”


सेल्याके, हमे तोरा कहैछियौ, बहुते पापसब जे यी कैल्कै छे, उटा सभे माफ भेलै छे। कहिनेकी यी जनानी बहुते प्रेम देखैल्कै छे। मगर जकर पापसब कम माफ भेलै छे, ऊ कम प्रेम करैछै।”


मगर यी इहे ल्याके लिख्ल गेलै छे, कि तुहेंसब येशू परमेश्वरके बेटा, ख्रीष्ट छै कहिके ओकरापर विश्वास करिके ओकर नामसे तोरासिके कहियो खतम नैहुएवाला जीवन मिलौ।


जे परमेश्वरके बेटापर विश्वास करैछै, ओकरलगत कहियो खतम नैहुएवाला जीवन छै। जे परमेश्वरके बेटाके आज्ञापालन नैकर्तै, ऊ कहियो खतम नैहुएवाला जीवन नैपैतै। मगर परमेश्वरके सजाय ओकरापर पड्तै।


हमे तोरासिके सच कहैछियौ, जे हमर वचन सुनैछै, आर हमरा भेजेवालापर विश्वास करैछै, ओकरलगत कहियो खतम नैहुएवाला जीवन छै। ओकरा सजाय देल नैजैतै, मगर ऊ कहियो खतम नैहुएवाला मौतसे बची गेलै छे आर पहलहैसे ही नया जीवनमे प्रवेश करि लेल्कै छे।


मगर पितासे हमरा देल सभेको हमरलगत ऐतै, आर हमरलगत आबेवालाके हमे कोनो रितीसे नैत्यागबै।


कहिनेकी हमर पिताके इच्छा यी छै, जे कोय हमे, आदमीके बेटाके देखिके ओकरापर विश्वास करैछै, ओकरा कहियो खतम नैहुएवाला जीवन मिलैछै आर संसारके अन्तके दिनमे हमे ओकरासिके मुर्दासे जिन्दा बनैबै।”


मगर हमर शरीर ख्यावाला आर हमर खून पिएवालाके संगे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन छै, आर संसारके अन्तके दिनमे हमे ओकरा मुर्दासे जिन्दा बनैबै।


आर जे बातसिसे तुहेंसब मूसाके विधि-विधानके द्वारा निर्दोष नैठहरे सक्ते रह, ओक्रहैसिमेसे हरेक विश्वास करेवाला आदमी येशूके द्वारा निर्दोष ठहरैछै।


जतनें बात बहुते पहेलासे ही धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, उटा आपनसिके शिक्षाके लिए लिख्ल गेलै कि अपनासब धीरज आर धरमशास्त्रसे मिलेवाला उत्साह पाबे सकियै ताकी अपनासब आशा राखे सकियै कि परमेश्वर जे प्रतिज्ञा कैल्कै रहे, उटा पुरा कर्तै।


कहिनेकी पापके फल मौत छै, मगर परमेश्वरके देल वरदान, कहियो खतम नैहुएवाला जीवन आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टमे मिलैछै।


आब कुमारीसिके विषयमे प्रभुसे हमरा कोनो आज्ञा नैमिल्लै छे, “मगर प्रभु आपन दयासे हमरा बुद्धि देल्कै छे जकरापर भरोसा कैल ज्या सकैछै आर ओकरे मुताबिक हमे सल्लाह दैछियै।”


परमेश्वरके दयासे ओकर खुश-खबरी प्रचार करैके सेवकाई हमरासिके मिल्लै छे। सेल्याके हमेसब निराश नै हैछियै।


अपना यहूदी आदमीसब पहेला आदमीसब छियै जेसब ख्रीष्टमे आशा राख्लियै आर अपनासिके इहे ल्याके चुन्ल गेलै रहे ताकी अपनासब परमेश्वरके महिमाके प्रशंसा करे सकियै।


यी कारणसे कि ओकर महिमामय अनुग्रहके प्रशंसा है, जे ऊ आपन प्रिय बेटाके कैल कामके कारण अपनासिके मुफ्तमे देल्कै छे।


परमेश्वर एरं इहे ल्याके कैल्कै ताकी आबेवाला दिनमे ऊ संसारके आदमीसिके देखाबे सकै कि ओकर अनुग्रह कतनें महान छै। ऊ आपनसिके लिए जे कुछु कैल्कै छे ओकरामे अपनासब जे येशू ख्रीष्टसंगे एकतामे छियै, अपनासिमे ओकरद्वारा अनुग्रह देखैल छै।


यी तब हैतै जब प्रभु येशू ओकर आदमीसिसे प्रशंसा पाबैके लिए फेर वापस ऐतै, आर ओकरापर विश्वास करेवाला आदमीसब ओकरा आदर देतै आर उटा दिन ओकर प्रशंसा करेवाला आदमीसिमेसे तहुँसब भी हैभैं, कहिनेकी हमेसब ओकर विषयमे जे तोरासिके कहैलियौ ऊ बातमे तुहेंसब विश्वास कैल्हैं।


हमे विश्वासी हुऐसे पहेला ख्रीष्टके बारेमे अपमानके बातसब बोल्ते रहियै, आर विश्वासीसिके सताबियै, आर ओकरसिके प्रति क्रूर व्यवहार करियै। तखनतक हमे ख्रीष्टमे विश्वास नैकैलियै रहे आर सेल्याके हमे यी बात नैबुझ्लियै रहे कि हमे जे काम कर्ते रहियै उटा काम गलत रहै। सेल्याके ख्रीष्ट हमरप्रति दयालु भेलै।


इहे ल्याके जे येशूके द्वारा परमेश्वरके नज्दिक आबैछै, ऊ ओकरासिके सभे दिन बचाबे सकैछै। कहिनेकी ऊ ओकरसिके लिए बिन्ती करैके लिए सभे दिन जिन्दा छै।


यी ऊ आदमीसिके आत्मासब रहै, जेसब बहुते समय पहेला परमेश्वरके आज्ञाके उलंघन कैल्कै रहे। जब नूह आपन नाव बनैते रहै ते, परमेश्वर धीरजके साथ इन्तजार कर्ते रहै कि देखियै ऊ आदमीसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैछै। मगर जब पानी संसारके विनाश करिदेल्कै ते नावमे प्रवेश करेवाला खाली आठ आदमीसब बचैल गेलै रहे।


यी जानी ले कि आपनसिके प्रभु आपनसिके प्रति धीरज धारण करैछै, एकर कारण यी छै कि ऊ आदमीसिके पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैके समय दियैले चाहैछै ताकी ऊ ओकरासिके बचाबे सकै। जब आपनसिके संगी-विश्वासी पावल, जकरासे अपनासब प्रेम करैछियै, तोरासिके उटा ज्ञानके प्रयोग कर्ते हुए लिखल्कै, जे परमेश्वर ओकरा देल्कै ते, ऊ भी तोरासिके इहे बातसब बतैल्कौ, जे हमे तोरासिके बतैलियौ छे।


कुछु आदमीसब सोचैछै कि प्रभु आपन वापस आबैके प्रतिज्ञाके पुरा करैमे देरी करैछै। मगर प्रभु ओरंके देरी नैकरैछै। बल्की ऊ तोरसिके संगे धीरज धारण करैछै। कहिनेकी ऊ कक्रहौ नाश करैले नैचाहैछै। मगर सभेको पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबै आर गलत काम करना बन्द करिदै आर ओकरलगत आबी जै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan