जेरंके हमे, आदमीके बेटा खुद एकटा महान शासकके जुगुर आपन सेवा करवाबैके लिए नै ऐलियै छे, एकर बदलामे हमे दोसरसिके सेवा करैके लिए आर दोसरसिके बचाबैके लिए आपन जान दियैले ऐलियै छे।”
मगर एकर मतलब कि हैछै तुहेंसब सिख: ‘हमे हमर लिए जानवरके बलिदान नैचाहैछियै, मगर तुहेंसब आदमीसिपर दया कर कहिके हमे चाहैछियै।’ कहिनेकी हमे पापसे भर्ल आदमीसिके पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा कहिके बोलाबैके लिए ऐलियै छे, ओकरासिके नै जे अपने आपके धर्मी छियै कहिके सोचैछै।”
जे कोय हमर बात सुनिके ओकर पालन नैकरैछै ओकर न्याय हमे नैकर्बै। कहिनेकी हमे यी संसारके आदमीसिके न्याय करैले नै ऐलियै छे, मगर संसारके आदमीसिके बचाबैके लिए ऐलियै छे।
जे परमेश्वरके बेटापर विश्वास करैछै, ओकरलगत कहियो खतम नैहुएवाला जीवन छै। जे परमेश्वरके बेटाके आज्ञापालन नैकर्तै, ऊ कहियो खतम नैहुएवाला जीवन नैपैतै। मगर परमेश्वरके सजाय ओकरापर पड्तै।
यी बात सुन्लके बाद यहूदी विश्वासीसब चुप भेलै, आर एरं कहते परमेश्वरके महिमा कैल्कै, “आब ते परमेश्वर गैर-यहूदी आदमीसिके भी कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके लिए पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैके मौका देल्कै छे।”
हमे परमेश्वरके सभे आदमीसिमेसे सभैसे कम महत्वपूर्ण छियै। मगर परमेश्वर हमरापर अनुग्रहकारी रहै कि हमे गैर-यहूदी आदमीसिके खुश-खबरी सुनाबे सक्लियै कि ख्रीष्ट अपार आशिषके मूल छै, जे समझसे बाहार छै।
हमे विश्वासी हुऐसे पहेला ख्रीष्टके बारेमे अपमानके बातसब बोल्ते रहियै, आर विश्वासीसिके सताबियै, आर ओकरसिके प्रति क्रूर व्यवहार करियै। तखनतक हमे ख्रीष्टमे विश्वास नैकैलियै रहे आर सेल्याके हमे यी बात नैबुझ्लियै रहे कि हमे जे काम कर्ते रहियै उटा काम गलत रहै। सेल्याके ख्रीष्ट हमरप्रति दयालु भेलै।
हमरद्वारा उप्परमे लिख्ल यी बात सही छै आर एकरापर भरोसा कैल ज्या सकैछै, आर हमे चाहैछियै कि जब तुहें विश्वासीसिके यी बातसब सिखाबैछैं यी बातसिके निरन्तर जोड दहैं। ताकी जेसब परमेश्वरपर विश्वास कैल्कै छे, ऊसब बढियाँ कामसब करैके लिए आपन समय दियैके लिए मन लगाबै। यी शिक्षासब सभैके लिए बढियाँ आर फैदाके छै।
तब सिंहासनमे विराजमान भेल परमेश्वर हमरा कहैल्कै, “देख, आब हमे सभे बात नया बनैबै।” ऊ हमरा एरं भी कहैल्कै, “यी बात लिख, जे हमे कहैछियौ तुहें उटा बात पर विश्वास करे सकैछैं। यी बातसब निश्चित रुपसे हैतै।”
तब स्वर्गदूत हमरा कहैल्कै, “यी सभे बातसब जे तोरासिके बतैल गेलौ छे, सच छै, आर पुरा तरहसे विश्वास करैके योग्य छै। कहिनेकी प्रभु परमेश्वर जे आपन वक्तासिके मनसिके निर्देशन करैके लिए आपन आत्मा देल्कै रहे, उहे ही छै जे हमरा जे कि ओकर स्वर्गदूत छियै, तोरा उटा बात बताबैके लिए भेजल्कै छे जे जल्दी ही हैतै।”
ऊसब यी नया गीत बलि-भेंडा यानिकी येशू ख्रीष्टके विषयमे गाबैछै, “तोरलगत यी किताबके खोलैके लिए मोहरसिके लियैके आर तोडैके अधिकार छै, कहिनेकी तोर जान मारि देल गेल्हौं रहे आर आपन मौतके खूनसे तुहें हरेक कुलसब, हरेक भाषासब, आदमी आर हरेक जात-जातके आदमीसे, परमेश्वरके लिए आदमीसिके मोल चुक्याके किनि लेलह छे।