१ तिमोथी 1:14 - केवट नया कारार14 आपनसिके प्रभु हमरा ओकर अपार अनुग्रह निरन्तर देखैल्कै। ऊ हमरा विश्वास करैके क्षमता आर दोसर आदमीसिके प्रति प्रेम देल्कै कहिनेकी हमे येशू ख्रीष्टसंगे एकतामे रहियै। Faic an caibideil |
परमेश्वर हमरा जे काम करैके लिए देल्कै उटा काम हमे बुद्धिमानीके साथ कैलियै। हमे तोरसिके सहरमे खुश-खबरीके प्रचार कैलियौ आर तोरसिमेसे शुरुके आदमीसिके येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैले सहायता कैलियौ। तकरबाद, दोसर ख्रीष्टियन सेवकसब हमर शुरु कैल कामके आगु बढैल्कै। मगर हमरसिमेसे हरेक सेवकसब परमेश्वरके काम केरंके करे पडैछै कहिके ध्यानसे विचार करे पडैछै।
हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, तुहेंसब जानैछैं कि जब हमे यहूदी धरमके ही पालन कर्ते रहियै ते हमे केरंके जिते रहियै। हमर बहुते साथीसब जेसब हमर उमेरके रहै, ऊसब भी यहूदी धरमके पालन कर्ते रहै, मगर हमे ओकरसिसे बेसी कैलियै, कहिनेकी हमे आपन बाप-पुर्खाके रिती-रिवाजसिके पुरा दिलसे पालन कर्ते रहियै। उटा समय हमे मण्डलीके आदमीसिके जेसब परमेश्वरके आराधना कर्ते रहै, ओकरासिके सताबैके लिए निकल्ल रहियै, हमे ओकरासिके सभैके नाश करैके कोशिश कैलियै।
मगर तिमोथी, तुहें परमेश्वरके सेवा करेवाला आदमी छैं, तोरा यी सभे चीजसिके करैसे दूर रहना चाही, जे सही छै खाली ओकरा करैके लिए हर सम्भव कोशिश कर। परमेश्वरके आदर दिएवाला जीवन जी। ख्रीष्टमे भरोसा राख। दोसर आदमीसिके प्रेम कर। परमेश्वरके आज्ञापालन करैके लिए कठिन परिस्थितीसिमे स्थिर र। दोसर आदमीसिके संगे भला आदमी बन।
आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके पिता आर परमेश्वरके धन्यवाद है। परमेश्वर आपनसिके प्रति आपन बडका दयासे अपनासिके एकटा नया जीवन देल्कै छे। कहिनेकी परमेश्वर येशू ख्रीष्टके मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै, ऊ अपनासिके बहुते आत्मविश्वासके साथ जियैके योग्य बनैल्कै छे, यानिकी अपनासब उटा चीजसिके प्राप्त करैके पुरा आशा करे सकैछियै जे ऊ अपनासिके दियैके प्रतिज्ञा कैल्कै छे।