१ तिमोथी 1:13 - केवट नया कारार13 हमे विश्वासी हुऐसे पहेला ख्रीष्टके बारेमे अपमानके बातसब बोल्ते रहियै, आर विश्वासीसिके सताबियै, आर ओकरसिके प्रति क्रूर व्यवहार करियै। तखनतक हमे ख्रीष्टमे विश्वास नैकैलियै रहे आर सेल्याके हमे यी बात नैबुझ्लियै रहे कि हमे जे काम कर्ते रहियै उटा काम गलत रहै। सेल्याके ख्रीष्ट हमरप्रति दयालु भेलै। Faic an caibideil |
हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, तुहेंसब जानैछैं कि जब हमे यहूदी धरमके ही पालन कर्ते रहियै ते हमे केरंके जिते रहियै। हमर बहुते साथीसब जेसब हमर उमेरके रहै, ऊसब भी यहूदी धरमके पालन कर्ते रहै, मगर हमे ओकरसिसे बेसी कैलियै, कहिनेकी हमे आपन बाप-पुर्खाके रिती-रिवाजसिके पुरा दिलसे पालन कर्ते रहियै। उटा समय हमे मण्डलीके आदमीसिके जेसब परमेश्वरके आराधना कर्ते रहै, ओकरासिके सताबैके लिए निकल्ल रहियै, हमे ओकरासिके सभैके नाश करैके कोशिश कैलियै।