11 यी सही शिक्षा आपनसिके अदभुद परमेश्वरके महिमाके विषयमे खुश-खबरीसे सहमत हैछै, जे हमरा प्रचार करैके जिम्मेदारी देल्कै छे।
‘सर्वोच्च स्वर्गमे परमेश्वरके जय-जयकार है, आर धर्तीपर जे आदमीसिसे ऊ खुश छै, ओकरासिके शान्ति हैते रहै।’ ”
यी सभे उटा दिन हैतै जब परमेश्वर हमर प्रचार कैल खुश-खबरीके मुताबिक येशू ख्रीष्टद्वारा आदमीसिके गुप्त कामके इन्साफ कर्तै।
यदि हमे यी काम आपन इच्छासे करैछियै ते हमे इनाम पैबै। मगर यदि परमेश्वर हमरा यी जिम्मेदारी सौंपल्कै छे ते, हमे कोनो इनामके आशा नैकरे सकैछियै।
यी संसारके देवता शैतान परमेश्वरके नैचिन्हेवाला आदमीसिके बुद्धिके अनराह बन्या देल्कै छे, सेल्याके ऊसब ख्रीष्ट आर ओकर महिमाके विषयमे खुश-खबरीके नैबुझे सकैछै। ख्रीष्ट परमेश्वरके प्रतिरुप छै।
इहे ल्याके कि परमेश्वर कहैल्कै, “अनहारमेसे उजेत चम्कै” आर परमेश्वर उजेतके जुगुर हमरसिके मनमे समझ देल्कै, ताकी हमेसब परमेश्वरके महिमाके देखे सकियै जे येशू ख्रीष्टमे प्रकट हैछै।
मगर ऊ अगुवासब बुझी गेलै कि परमेश्वर जेरंके पत्रुसके यहूदी आदमीसिके खुश-खबरी प्रचार करैके लिए नियुक्त कैल्कै ओहिने करिके ऊ हमरा गैर-यहूदी आदमीसिके खुश-खबरी प्रचार करैके लिए नियुक्त कैल्कै।
अपना यहूदी आदमीसब पहेला आदमीसब छियै जेसब ख्रीष्टमे आशा राख्लियै आर अपनासिके इहे ल्याके चुन्ल गेलै रहे ताकी अपनासब परमेश्वरके महिमाके प्रशंसा करे सकियै।
यी कारणसे कि ओकर महिमामय अनुग्रहके प्रशंसा है, जे ऊ आपन प्रिय बेटाके कैल कामके कारण अपनासिके मुफ्तमे देल्कै छे।
परमेश्वर एरं इहे ल्याके कैल्कै ताकी आबेवाला दिनमे ऊ संसारके आदमीसिके देखाबे सकै कि ओकर अनुग्रह कतनें महान छै। ऊ आपनसिके लिए जे कुछु कैल्कै छे ओकरामे अपनासब जे येशू ख्रीष्टसंगे एकतामे छियै, अपनासिमे ओकरद्वारा अनुग्रह देखैल छै।
ओकर मकसद मण्डलीके इस्तमाल करिके अदृश्य संसारमे शासन करेवाला आर अधिकार भेल सभे आत्मिक प्राणीसिके परमेश्वरके अपार ज्ञानके बारेमे बताबैके लिए रहै।
परमेश्वर हमरा ओकर वचन पुरा तरिकासे तोरासिके बुझाबैके लिए चुनल्कै आर एकरे खातिर हमे मण्डलीके सेवक भेलियै छे।
परमेश्वर हमरासिके योग्य सम्झिके खुश-खबरी सौंपल्कै छे। सेल्याके हमेसब आदमीसिके नै, मगर हमरसिके ह्रदय जाँचेवाला परमेश्वरके खुश करैके लिए उपदेश दैछियै।
एकर खातिर, परमेश्वर हमरा खुश-खबरीके प्रचारक आर चुन्ल आर भेज्ल चेला नियुक्त कैल्कै। ऊ हमरा गैर-यहूदी आदमीसिके विश्वासके सच्चा शिक्षा सिखाबैके लिए चुन्लकै। हमे सच कहैछियौ, हमे झुठ नैबोलैछियौ।
परमेश्वर, जे खाली एक्केटा राजा छै, जे प्रशंसाके योग्य छै, राजासिके भी राजा आर प्रभुसिके भी प्रभु, उहे ख्रीष्टके सही समयमे प्रकट कर्तै।
तिमोथी परमेश्वरके देल काम करैके लिए सुनिश्चित कर। ईश्वरहीन आर बेकारके बातसब आर परमेश्वरके सच्चा शिक्षाके विरोध करेवाला शिक्षासिसे दूर र, जकरा ऊसब गलत तरिकासे “ज्ञान” कहैछै।
यी खुश-खबरीके खातिर, परमेश्वर हमरा एकटा खुश-खबरीके प्रचारक, चुन्ल आर भेज्ल चेला, आर खुश-खबरीके शिक्षकके रुपमे नियुक्त कैल्कै।
अपनासिमे रहेवाला पवित्र आत्माके द्वारा तोरा सौंप्ल परमेश्वर तोरा देल सन्देशके रक्षा कर।
तुहें हमरा बहुते आदमीसिके समनामे ख्रीष्टके विषयमे सन्देश सिखैते सुन्लहैं छे। सेल्याके, हमे चाहैछियै कि तुहें भी आपन भरोसा कैल दोसर विश्वासीसिके इहे सन्देश सिखा, आर ऊ विश्वासीसब भी दोसर विश्वासीसिके इहे सन्देश सिखाबैके योग्य हैतै।
आर आब सही समयमे, परमेश्वर यी खुश-खबरी प्रकट कैल्कै आर हमेसब सभे आदमीसिके यी बातके प्रचार करैछियै। आपनसिके उद्धारकर्ता परमेश्वर हमर प्रचारके कामद्वारा यी आज्ञा देते हमरा जिम्मेदारी देल्कै कि हमे ओकर खातिर यी काम करियै।