Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ तिमोथी 1:1 - केवट नया कारार

1 हमे, पावल, यी चिट्ठी लिखैछियै। हमरसिके आशा राख्ल उद्धारकर्ता परमेश्वर आर येशू ख्रीष्टके अधिकारमे हमे प्रभु येशू ख्रीष्टके कामके लिए ख्रीष्टके चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ तिमोथी 1:1
38 Iomraidhean Croise  

आर हमर आत्मा उद्धारकर्ता परमेश्वरमे आनन्द करैछै।


ऐज बेथलेहेम गाँवमे, जे दाऊद राजाके सहर छै, सभैके उद्धारकर्ता राजा ख्रीष्ट जनम लेल्कै छे। उहे ही ख्रीष्ट प्रभु छै।


मगर प्रभु येशू ओकरा कहैल्कै “तुहें जो! हमे ओकरा हमर सेवा करैके लिए चुन्लियै छे, जे गैर-यहूदी आदमीसब, राजासब आर इस्राएलीसिके बीचमे हमर बारेमे प्रचार कर्तै।


यी चिट्ठी हमे, पावल लिखैछियै। हमे येशू ख्रीष्टके सेवक छियै, आर चुन्ल आर भेज्ल चेला हुऐके लिए परमेश्वरके द्वारा चुन्ल गेलियै छे आर परमेश्वरके खुश-खबरी सुनाबैके लिए अलग कैल गेलियै छे।


हमे, पावल, यी चिट्ठी लिखैछियै। हमे ख्रीष्ट येशूके चुन्ल आर भेज्ल चेला हुऐले परमेश्वरके इच्छाद्वारा बोलैल छियै। हमे एत्ते आपनसिके विश्वासी भ्या सोस्थेनेससंगे छियै जे हमरा सहायता करैछै।


यदि हमे यी काम आपन इच्छासे करैछियै ते हमे इनाम पैबै। मगर यदि परमेश्वर हमरा यी जिम्मेदारी सौंपल्कै छे ते, हमे कोनो इनामके आशा नैकरे सकैछियै।


यी चिट्ठी हमेसब, पावल आर तिमोथीके तरफसे छै। हमे परमेश्वरके इच्छासे येशू ख्रीष्टके चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमेसब यी चिट्ठी कोरन्थी सहरके मण्डलीके आर अखैया प्रदेशके सभे सन्तसिके लिखैछियै।


हमे, पावल, तोरासिके यी चिट्ठी लिखैछियौ आर हमे एकटा चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमरा चुन्ल आर भेज्ल चेला हुऐके लिए आदमीसिके कोनो भी समूह या कोनो आदमीद्वारा चुन्ल नैछियै, मगर येशू ख्रीष्टद्वारा आर परमेश्वर पिताद्वारा चुन्ल गेलियै छे, जे येशूके मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, तुहेंसब यी जान कहिके हमे चाहैछियै कि हमर प्रचार कैल खुश-खबरी आदमीसिके द्वारा बनैल नैछै।


परमेश्वर आपन आदमीसिके लिए यी रहस्य प्रकट करैके निर्णय कैल्कै ताकी ऊसब जानी जै कि ओकर योजना, जे जात-जातके आदमीसिके लिए छै से कतनें अदभुद आर महिमामय छै। ऊ रहस्य खुद ख्रीष्ट ही छै, जे तोरासिमे छौ। आर उहे यी बातके आशाके आधार छै कि तुहेंसब परमेश्वरके महिमामे सहभागी हैभैं।


हमेसब आपन प्रभु येशू ख्रीष्ट आर परमेश्वर पितासंगे प्रार्थना करैछियै जे अपनासिके प्रेम कैल्कै आर जे आपन अनुग्रहसे अपनासिके कहियो खतम नैहुएवाला उत्साह आर दृढ आशा देल्कै।


हमरा शक्ति दिएवाला आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके हमे धन्यवाद दैछियै, कि ऊ हमरा विश्वासयोग्य सम्झिके आपन सेवामे नियुक्त कैल्कै।


सभे आदमीसिके लिए एरंके प्रार्थना करना सही छै आर आपनसिके उद्धारकर्ता परमेश्वर यी बातके स्वीकार करैछै।


एकर खातिर, परमेश्वर हमरा खुश-खबरीके प्रचारक आर चुन्ल आर भेज्ल चेला नियुक्त कैल्कै। ऊ हमरा गैर-यहूदी आदमीसिके विश्वासके सच्चा शिक्षा सिखाबैके लिए चुन्लकै। हमे सच कहैछियौ, हमे झुठ नैबोलैछियौ।


यी जीवन पाबैके लिए हमेसब संघर्ष आर कडा मेहनत करैछियै, कहिनेकी अपनासब जिन्दा परमेश्वरमे आशा राखैछियै, जे सभे आदमीसिके विशेष करिके ओकरामे विश्वास करेवाला आदमीसिके उद्धारकर्ता छै।


आर आब सही समयमे, परमेश्वर यी खुश-खबरी प्रकट कैल्कै आर हमेसब सभे आदमीसिके यी बातके प्रचार करैछियै। आपनसिके उद्धारकर्ता परमेश्वर हमर प्रचारके कामद्वारा यी आज्ञा देते हमरा जिम्मेदारी देल्कै कि हमे ओकर खातिर यी काम करियै।


दाससब आपन मालिकके चीज चोरी नैकरै, मगर खुदके सभे दिन इमानदार साबित करै। ताकी आदमीसब ओकरसिके बढियाँ व्यवहारपर ध्यान दै आर ऊसब जे करैछै ओकरासे आदमीसिके परमेश्वर, आपनसिके उद्धारकर्ताके विषयमे सन्देश सुनैके लिए इच्छुक बनैतै।


हमेसब एरंके व्यवहार करैछियै जब आपनसिके आशा कैल उटा सुन्दर दिनके लिए हमेसब उम्मीदके साथ इन्तजार करैछियै: उटा दिन जब आपनसिके महान परमेश्वर आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्ट आपन सारा महिमाके साथ धर्तीपर फेर वापस ऐतै।


अपनासब एरंको व्यवहार कैलियै तैय्योपर भी, आपनसिके उद्धारकर्ता परमेश्वर आदमीसिके प्रति आपन दया आर प्रेम देखैल्कै।


परमेश्वर उदारताके साथ अपनासिके पवित्र आत्मा देल्कै छे कि आपनसिके भितरमे शक्तिशाली रुपसे काम करै, येशू ख्रीष्ट आपनसिके पापके लिए मर्लै ताकी आपनसिके उद्धारकर्ता बने सकै।


ख्रीष्टके कैल कामद्वारा परमेश्वरपर तोरसिके भरोसा छौ, जे ख्रीष्टके मुर्दासे जिन्दा बन्याके महिमा देल्कै, ताकी तोरसिके आशा आर विश्वास परमेश्वरमे रहौ।


आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके पिता आर परमेश्वरके धन्यवाद है। परमेश्वर आपनसिके प्रति आपन बडका दयासे अपनासिके एकटा नया जीवन देल्कै छे। कहिनेकी परमेश्वर येशू ख्रीष्टके मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै, ऊ अपनासिके बहुते आत्मविश्वासके साथ जियैके योग्य बनैल्कै छे, यानिकी अपनासब उटा चीजसिके प्राप्त करैके पुरा आशा करे सकैछियै जे ऊ अपनासिके दियैके प्रतिज्ञा कैल्कै छे।


हमे, सिमोन पत्रुस तोरासिके यी चिट्ठी लिखैछियौ, हमे येशू ख्रीष्टके सेवक आर चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमे तुहेंसब सभैके लिए लिखैछियौ जेसब आपनसिके जुगुर समान बहुमूल्य विश्वास प्राप्त कैल्कै छे, यी विश्वास आपनसिके परमेश्वर आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्टके द्वारा अपनासिके देल गेलै छे, जे अपनासिके परमेश्वरके नजरमे धर्मी घोषित करैछै।


हमेसब परमेश्वरके बेटाके देख्लियै छे आर गवाही दैछियै, कि परमेश्वर पिता आपन बेटाके संसारके आदमीसिके लिए उद्धारकर्ता हुऐले भेजल्कै छे।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan