Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ थेसलोनिकी 5:8 - केवट नया कारार

8 मगर अपनासब जे दिनके छियै, विश्वास आर प्रेमके धारण कर, जे अपनासिके सुरक्षा दैछै जेरंके कवच सिपाहीके सुरक्षा दैछै। आर अपनासब यी आशा राख कि अपनासब कहियो खतम नैहुएवाला सजायसे बचैल छियै, जेरंके टोपी सिपाहीके बचाबैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ थेसलोनिकी 5:8
25 Iomraidhean Croise  

सेल्याके, आब अपनासिके यी तीन प्रकारके कामसिके करना चाही: परमेश्वरपर विश्वास करना, परमेश्वरके प्रतिज्ञामे आशा राखना आर दोसर आदमीसिसे प्रेम करना। मगर यी तीनटामे से एकटा छै जे वास्तवमे सबसे बडका छै: दोसर आदमीसिसे प्रेम करना।


परमेश्वरके सच्चाईके वचनमे आर ओकर शक्तिमे, हमेसब धार्मिकताके हतियारसब दहिना हातमे हमलाके लिए आर बायाँ हातमे बचावके लिए प्रयोग करैछियै।


हमे एरं कहे सकैछियै कहिनेकी अपनासिके पवित्र आत्माके द्वारा पुरा आशा मिल्ल छै कि परमेश्वर अपनासिके धर्मी घोषित कर्तै कहिनेकी अपनासब ख्रीष्टमे विश्वास करैछियै।


जेरंके एकटा सिपाही आपन सभे युद्धके हात-हतियारके पिन्हैछै, ओहिने करिके तोरासिके भी ऊ सभे चीजसिके उपयोग करना चाही जे परमेश्वर तोरासिके देल्कौ छे, ताकी जब शैतान तोरासिके धोखा दियैके कोशिश करौ, ते तुहेंसब ओकर विरोध करे सक्हैं।


हमे हमर पिता परमेश्वरसे आर प्रभु येशू ख्रीष्टसे प्रार्थना करैछियै कि ऊसब तुहें विश्वासी भ्या-बहिनसिके शान्ति दौ। ऊसब एरं करौ कि तुहेंसब एक दोसरसे प्रेम करहैं आर ख्रीष्टमे निरन्तर विश्वास कर्ते रहैं।


कहिनेकी तुहेंसब बढियाँ व्यवहार करेवाला आर जे सही छै उटा करेवाला सन्तान छैं। जे उजेतमे जियैके जुगुर छै आर दिनके आदमीसिके जुगुर छै। यी विश्वासीसब पाप करेवाला आर खराब तरिकासे व्यवहार करेवाला आदमीसब नैछै, जे अनहारमे रहैके जुगुर आर यी दुष्ट संसारसंगे सम्बन्धित भेल जुगुर छै।


हमेसब आपन प्रभु येशू ख्रीष्ट आर परमेश्वर पितासंगे प्रार्थना करैछियै जे अपनासिके प्रेम कैल्कै आर जे आपन अनुग्रहसे अपनासिके कहियो खतम नैहुएवाला उत्साह आर दृढ आशा देल्कै।


जेरंके एकटा बडका किल्लासे बान्हल रस्सी नावके स्थिर आर मजगुत राखैछै, ओहिने करिके यी आशा आपनसिके जीवनके स्थिर आर मजगुत बनैले राखैछै। जकरामे अपनासब आशा करैछियै ऊ येशू छै आर ऊ स्वर्गमे परमेश्वरके मन्दिरके पर्दाके पाछु महा-पवित्रस्थानमे परमेश्वरके नज्दिक गेलै।


सेल्याके सचेत र कि तुहेंसब कि करेवाला छैं आर होशियार र। उद्धार पाबैके आशा कर, जे अनुग्रहसे आबैछै, जे तोरासिके येशू ख्रीष्ट यी संसारमे फेर वापस आबैके दिनमे देल जैतौ।


मगर तुहेंसब ओरं नैछैं, कहिनेकी तुहेंसब परमेश्वरके चुन्ल आदमीसब छैं, तुहेंसब परमेश्वरके पुजारीसब छैं, जे राजा छै। तुहेंसब परमेश्वरके सेवा करैले समर्पित भेल आदमीसब आर परमेश्वरके निजी प्रजा छैं। ऊ तोरासिके अनहारसे आपन अदभुद उजेतमे आन्लकौ छे, ताकी तुहेंसब परमेश्वरके आश्चर्यपूर्ण कामसिके घोषणा करे सक्हैं।


मगर जब अपनासब परमेश्वरके उजेतके द्वारा देखैल सही काम करैछियै, ओकर शुद्धताके मुताबिक जेरंके परमेश्वर सभे दिन सही काम करैछै, तब आपनसिके संगति एक दोसरके संगे हैछै आर ओकर बेटा, येशू ख्रीष्टके खून आपनसिके सभे पापसब शुद्ध करैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan