Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ थेसलोनिकी 5:6 - केवट नया कारार

6 सेल्याके अपनासब प्रभु येशूके फेर वापस आबेवाला दिनके तैय्यारी नैकरेवाला आदमीसिके जुगुर नैसुत। मगर सचेत र आर होशियार र।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ थेसलोनिकी 5:6
40 Iomraidhean Croise  

मगर आदमीसब जब सुत्ल रहै, तखनी ओकर दुश्मन ऐलै, आर गहुमके बिच्चे बिच्चेमे जंगली ज सब रोपिके गेलै।


सेल्याके तुहेंसब चौकन्ना र, कहिनेकी कोन दिन तोरसिके प्रभु वापस ऐतौ, से तुहेंसब नैजानैछैं।


सेल्याके जग्गा र, कहिनेकी हमर घुमिके आबैके दिन आर घडी तोरासिके मालुम नैछौ।”


दुल्हाके आबैले जब बेर भेलै ऊ सभेको निनसे झुमिके सूती गेलै।


तब येशू ओकरासिके कहैल्कै, “हमर जान एतनें व्याकुल छै कि लागैछै हमर मौत हैछै। तुहेंसब एथै बैठ, आर हमरसंगे जग्गा र।”


जे हमे तोरासिके कहैछियौ ऊ हमे सभैके कहैछियै, हमर आगमनके लिए हरदम तैय्यार र।”


ऊ नोकरसब धन्यके छै, जकर मालिक घर ऐलके बाद ओकर वापस आबैके इन्तजार कर्ते देखैछै आर मालिक ओकरासिके देखिके खुशी हैछै। हमे तोरासिके सच कहैछियौ कि मालिक एकटा नोकरके जुगुर कपडा लग्याके ओकरासिके भोजन करैले बैठैतै।


मगर यी जान, अगर चोर आबैके ठीक समय मालुम हैतियै ते घरके मालिक आपन घरमे चोरी हुऐले नैदेतियै।


सेल्याके जे घटनासब हुएवाला छै, यी सभे बातसे बचैके लिए आर हमे, आदमीके बेटाके समनामे न्यायके दिनमे खडा हुऐके शक्ति पाबैके लिए सभे समय सचेत भ्याके प्रार्थना कर्ते र।”


येशू ओकरासिके कहैल्कै, तुहेंसब कथिले सुतैछैं? उठ् आर परीक्षामे फसैले नैपडौ कहिके तुहेंसब प्रार्थना कर्ते र।


सेल्याके होशियार रह आर मनमे याद राख कि तीन बरसतक दिन-रात लोर बहैते सभे आदमीके हमे चेतावनी देते रहियै।


तोरासिके फेरसे कि सही छै कहिके सोचना चाही आर पाप करैले छोडी देना चाही, कहिनेकी तोरसिमेसे कुछु आदमीसिके परमेश्वरके संगे सही सम्बन्ध नैछौ, इहे ल्याके हमे तोरासिके लाज लगाबैके लिए यी बात कहैछियौ।


होशियार र, विश्वासमे स्थिर र, साहासी आदमी बन आर विश्वासमे मजगुत बन।


अपनासब सभेको भी ओकरेसिके जुगुर पापी स्वभावके इच्छाके मुताबिक व्यवहार कर्ते रहियै। आपनसिके खराब इच्छासब आर विचारसब जे भी अपनासिसे करवाबैले चहते रहै, अपनासब ओकरे अनुसरण कर्ते रहियै। दोसर आदमीसिके जुगुर अपनासब भी स्वभाविक रुपसे खराब रहियै आर परमेश्वरके सजायके अधिनमे रहियै।


सेल्याके आदमीसब कहैछै: “हे निनमे भेल आदमीसब जाग आर मुर्दासे उठ्, आर ख्रीष्ट आपन उजेत तोरासिमे चम्कैतौ।”


सभे समय आर सभे किसिमसे अपनासिके ओहिने करिके प्रार्थना करना चाही जेरं पवित्र आत्मा अपनासिके अगुवाई करैछै। सचेत भ्याके सभे विश्वासीसिके लिए सभे जगहमे निरन्तर प्रार्थना कर्ते र।


सभे आदमीसब तोरसिके बढियाँ व्यवहारके जानी लौ। कहिनेकी प्रभु येशू जल्दी वापस आबेवाला छै।


निरन्तर प्रार्थना कर, जब तुहेंसब प्रार्थना करैछैं, निरन्तर सचेत र, आर परमेश्वरके सभे दिन धन्यवाद दहैं।


हे हमर विश्वासी भ्या-बहिनसब, तुहेंसब यी जान कहिके हमेसब चाहैछियै कि ऊ विश्वासीसिके कि हैतै जे पहेला ही मर्ल छै। एरं नैहै कि तुहें दोसर आदमीसिके जुगुर शोक कर कहिनेकी ऊसब मर्लके बाद फेर जिन्दा हैतै कहिके ओकरासिके आशा नैहैछै।


येशू ख्रीष्ट आपनसिके लिए मर्लै ताकी चाहे अपनासब जिन्दा रहियै या मर्ल रहियै, ऊ जब फेर वापस ऐतै अपनासब ओकरसंगे सभे दिन जिये सकियै।


मगर अपनासब जे दिनके छियै, विश्वास आर प्रेमके धारण कर, जे अपनासिके सुरक्षा दैछै जेरंके कवच सिपाहीके सुरक्षा दैछै। आर अपनासब यी आशा राख कि अपनासब कहियो खतम नैहुएवाला सजायसे बचैल छियै, जेरंके टोपी सिपाहीके बचाबैछै।


मगर जबतक ऊसब ख्रीष्टमे विश्वास करिके रहैछै, दोसरसिके प्रेम करैछै आर शुद्ध आर उचित तरिकासे व्यवहार करैछै, परमेश्वर जनानीसिके बच्चाके जनमके द्वारा बचैतै।


अहिने करिके हमे चाहैछियै कि, जनानीसिके उचित तरिकासे कपडा लगाना चाही, एरंको कपडा जे कि दोनो सभ्य आर स्वीकार योग्य है। आदमीसिके ध्यान आपन महर खिचेवाला जुगुर केशके सिंगार-पटार करिके, सोना, मोती आर बहुमूल्य कपडासब लग्याके नै।


इहे प्रकारसे मण्डलीके सेवकके पतनीसब सभैसे आदर पाबैके योग्यके हुए पडैछै, दोसरके बारेमे खराब बात बोलेवाली नै होना चाही, मगर संयमी आर ऊसब सभे परिस्थितिमे भरोसा करैके योग्यके होना चाही।


सेल्याके मण्डलीके देख-रेख करेवालासिमे यी गुणसब होना चाही: ओकरासिमे कोनो दोष नै होना चाही। आर ऊसब आपन पतनीके प्रति वफादार होना चाही। ऊसब शान्तिके साथ व्यवहार करेवाला होना चाही। ऊसब अपने आपके वशमे राखेवाला होना चाही। ऊसब आदमीसिके द्वारा सम्मान पैल होना चाही। ऊसब आपन घरमे मैजमानसिके स्वागत करैले तैय्यार रहे पडैछै आर ऊसब परमेश्वरके वचन सिखाबे सकेवाला होना चाही।


मगर जे कुछु भेलपर भी तोरा अपने आपके वशमे राखे पडैछै, आर जेरं कष्ट भेलपर भी तोरा भोगे पडैछै। तोरा खुश-खबरी प्रचार करे पडैछै, आर परमेश्वरके सेवकके रुपमे तोरा करे पडेवाला सभे कामसब करे पडैछै।


यी अनुग्रहके द्वारा परमेश्वर अपनासिके सिखाबैछै कि ओकरा पसन्द नैहुएवाला व्यवहार करैले बन्द कर, आर संसारके अविश्वासी आदमीसब जे चीजके इच्छा राखैछै ऊसब चीजके ललसा करैले बन्द कर। यी धर्तीमे जिन्दा रहैतक समझदारी आर परमेश्वरके खुश करैके व्यवहार कर, जे बात परमेश्वरके आदर कैल देखाबैछै।


ओहिने करिके जवान आदमीसिके भी आग्रह कर कि ऊसब संयमी बनै।


सेल्याके सचेत र कि तुहेंसब कि करेवाला छैं आर होशियार र। उद्धार पाबैके आशा कर, जे अनुग्रहसे आबैछै, जे तोरासिके येशू ख्रीष्ट यी संसारमे फेर वापस आबैके दिनमे देल जैतौ।


सभे चीजके अन्त नज्दिक ऐल छै, सेल्याके तुहेंसब सचेत र आर अपने आपके वशमे राख ताकी तुहेंसब प्रार्थना करे सक्हैं।


सचेत र आर होशियार र, कहिनेकी शैतान, तोर दुश्मन तोरापर हमला करैले चाहैछौ ताकी तुहें परमेश्वरके आज्ञापालन नैकर। ऊ गर्जेवाला शेरके जुगुर छै जे खोजैछै कि ऊ ककरा ख्या सकैछै।


भूतसब शासकसिके आर ओकरसिके सेनासिके उटा जगहमे जमा कैल्कै, जकरा हिब्रू भाषामे आर-मागेड्डोन कहेल जैछै। सेल्याके प्रभु येशू कहैल्कै, “यी बात सुन! हमर फेर वापस आना चोरके जुगुर अचानक हैतै। ऊ आदमी धन्य छै जे हमे फेर वापस आबैके समयमे जग्गा रहैछै आर आपन कपडा तैय्यार राखैछै। तब ऊसब नंगा नैहैतै आर ऊसब बहुते आदमीसिके बीचमे बाहार जैबौ कर्तै ते भी ओकरासिके शर्मिन्दा बनाबेवाला कोनो चीज नैहैतै।”


हमे पैलियौ छे कि विश्वासीसिके रुपमे तोरसिके जीवन उटा स्तरसे मेल नैखैछौ जे हमर परमेश्वर निर्धारित कैल्कै छे। सेल्याके आपन आत्मिक निनसे जाग आर जे ख्रीष्टियन गुण तोरामे आब भी बच्ल छौ ओकरासिके नया बना एकरासे पहेला कि ऊ पुरा तरहसे गायब भ्याजौ।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan