3 जब आदमीसब कहतै, “कुशल छै, आर कोनो डर नैछै” उटा समयमे ऊसब अचानक बडका समस्याके अनुभव कर्तै। यी गर्भवती जनानीके बच्चा जनमके दरद शुरु हुऐ जुगुर अचानक हैतै। ऊसब उटा बडका समस्यासे बचे नैसक्तै।
तुहेंसब जहरिला साँपके बच्चासिके जुगुर छैं, तुहेंसब नरकके न्यायसे नैबचे सक्भैं।
जब जनानीके बच्चा जनमाबैके समय आबैछै, तब ऊ बहुते दरदमे रहैछै। कहिनेकी ओकर दरदके समय ऐल रहैछै, मगर जब ऊ बच्चा जनमी जैछै, तब ओकरा ऊ दरदके याद नैहैछै, कहिनेकी दुनियाँमे एकटा बच्चाके जनम भेलै कहिके ऊ खुशी हैछै।
‘हे निन्दा करेवाला आदमीसब, देख आर चकित हु, आर नाश भ्याजो, कहिनेकी तोरसिके समयमे हमे एकटा काम कर्बौ, एरंको काम जकर विषयमे कोय बयान भी करि देतौ ते तुहेंसब कहियो विश्वास नैकर्भैं।’ ”
ऊसब सभे दिनके लिए प्रभुसे अलग हैतै आर ओकर आदरमे भाग नैपैतै। आर ऊ ओकरासिके कहियो खतम नैहुएवाला सजाय द्याके विनाश कर्तै।
तुहेंसब परमेश्वरके पहलौठा सन्तानसिके मण्डलीमे ऐल छैं, जकरसिके नाम स्वर्गमे लिख्ल छै। स्वर्गमे ऊसब परमेश्वरके नजरमे धर्मी घोषित कैल आदमीसिके आत्मासब छै जकरा आब सिद्ध बनैल गेलै छे। तुहेंसब खुद परमेश्वरके लगत ऐल छैं जे सभे चीजके उप्परमे न्यायधीश छै।
सेल्याके जरुर ही अपनासिके सजाय मिल्तै यदि अपनासब यी महान उद्धारके तुच्छ समझबै। यी महान उद्धारके घोषणा सभैसे पहेला खुद प्रभु येशू ख्रीष्टके द्वारा कैल गेलै रहे, आर यी बात जे आदमीसब सुनल्कै रहे ओकरसिके द्वारा सच साबित कैल गेलै।
तुहेंसब जानैछैं कि बहुते समय पहेला जब कुछु दूतसब परमेश्वरके आज्ञाके उलंघन कैल्कै ते, ऊ ओकरासिके सजाय देल्कै। ऊ ओकरासिके नरकमे फेकि देल्कै आर ओकरासिके न्याय आर सजाय दियैके दिनतक ओकरासिके उटा अनहार कैदमे राखल्कै छे।