Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ थेसलोनिकी 5:12 - केवट नया कारार

12 मगर हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमेसब तोरासिके बिन्ती करैछियौ, कि तोरसिके अगुवासिके आदर कर, जे कडा मेहनत करैछै, जे प्रभुमे तोरसिके अगुवासब छै आर जे तोरासिके निर्देशन दैछौ, ओकरसिके आदर कर।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ थेसलोनिकी 5:12
42 Iomraidhean Croise  

तुहेंसब उहे घरमे बास बैठ आर ऊसब जे खाना खैले दैछौ उटा खो, कहिनेकी जनके ओकर रोजी मिलना चाही। घरे-घर बास नैबैठ।


हमे तोरासिके उटा फसल काटैले भेज्लियौ, जकरामे तुहेंसब कोनो मेहनत नैकैल्हैं छे। उटा फसलमे दोसर कोय मेहनत कैल्कै छे, आर तुहेंसब उटा फसलके जमा कर्भैं।”


आब तुहेंसब आपनहैं आपन देखभाल कर आर पवित्र आत्मा तोरासिके जिम्मा लगैल परमेश्वरके मण्डलीके देख-रेख कर, जकरा ऊ आपन बेटाके खूनसे मोल लेल्कै छे।


हमे तोरासिके सभे कुछु करिके देखैलिहौं, कि तहुँसब अहिने करिके कडा मेहनत क्याके कमजोरसिके सहायता करे पड्तहौं। प्रभु येशूके वचन याद राख कि ऊ आपनहैं कहैल्कै छे, ‘लेनासे देना आरहौ आशिषमय छै।’ ”


प्रभुमे मेहनत करेवाला हमर विश्वासी बहिनसब त्रुफेना आर त्रोफोसके हमर नमस्कार कही दहैं। प्रभुमे बहुते मेहनत करेवाला हमर प्रिय विश्वासी बहिन पर्सिसके भी नमस्कार कही दहैं।


विश्वासी बहिन मरियमके, जे तोरसिके बिच्चेमे बहुते मेहनत कैल्कै, ओकरा नमस्कार कही दहैं।


आर मण्डलीमे परमेश्वर अलग-अलग किसिमके काम देल्कै छे, पहेला ऊ आदमीसब छै जे चुन्ल आर भेज्ल चेला छै, दोसर परमेश्वरके वक्तासब छै जे परमेश्वरके बातसब बोलैछै, तेसर ऊ आदमीसब छै जे आदमीसिके सिखाबैछै। तकरबाद ऊ आदमीसब छै जकरा ऊ चमत्कार करैके अधिकार देल्कै छे। तकरबाद ऊ आदमीसब छै जकरा ऊ बेमारी ठीक करेवाला अधिकार देल्कै छे, फेर ऊसब छै जकरा दोसर आदमीसिके सहायता करैके क्षमता मिल्लै छे, फेर ऊसब छै जेसब अगुवासब छै, फेर ऊ आदमीसब छै जकरा पवित्र आत्माके द्वारा देल गेल अनजान भाषासिके बोलैके क्षमता देल गेलै छे।


मगर परमेश्वरके अनुग्रहसे हमे चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमरापर ओकर अनुग्रहके परिणाम महान भेलै। मगर यदि हमे दोसर चुन्ल आर भेज्ल चेलासिसे बेसी भी मेहनत कैलियै ते, यी भी हमर तरफसे नैभेलै मगर परमेश्वरके अनुग्रह हमरा ओकर काम करैके लिए योग्य बनैल्कै छे।


सेल्याके हमे तोरासिसे बिन्ती करैछियौ कि एरंको आदमीसिके आज्ञाके पालन कर। आर हरेक आदमीके जे ओकरसिके जुगुर मेहनत करैछै आर एरंको समर्पणके साथ सेवा करैछै।


आर ऊसब हमरा उत्साहित बनैल्कै छे, आर ऊ तोरासिके भी उत्साहित बनैतौ जब ऊ तोरसिकेलगत वापस ऐतौ। सेल्याके तोरासिके एरंको आदमीसिके आदर करना चाही।


कहिनेकी हमेसब परमेश्वरके सहकर्मी छियै, आर तुहेंसब, कोरन्थी सहरके विश्वासीसब परमेश्वरके खेतसब छैं। संगहै संग, हमे तोरासिके उटा भवनसंगे तुलना करैछियै जकरा परमेश्वर निर्माण करि रहलै छे।


कि ऊसब ख्रीष्टके सेवक छै? हमे पागलके जुगुर बोलैछियै। हमे ओकरसिसे बढिके छियै। हमे ओकरसिसे बेसी मेहनत कैलियै छे, ओकरसिसे बेसी बन्दी बनैल गेलियै छे, अनगन्ती बेर मार खैलियै छे, कतनें बेर हमे मर्ते-मर्ते बच्लियै छे।


सेल्याके हमरसिके बडका इच्छा भी इहे छै कि चाहे हमेसब ओकरसंगे स्वर्गमे रहियै चाहे हमेसब एत्ते यी धर्तीमे रहियै खाली ओकरा पसन्द हुएवाला काम कर्बै।


परमेश्वरके सहकर्मी हुऐके कारणसे हमे तोरासिके बिन्ती करैछियौ, कि ओकर अनुग्रहके बेकार हुऐले नैदहैं।


जे कुछु तुहेंसब करैछैं उटा बातके कारण हमे चिन्तित छियै कि तोरसिके बीचमे हमर सेवा बेकार भेलै।


ताकी जब ख्रीष्ट वापस ऐतै तब हमरा गर्व करैके कारण है कि हमर प्रयास आर कठिन मेहनत करना बेकार नैभेलै।


हमरा प्रभु येशूमे आशा छै कि हमे तिमोथीके तोरसिकेलगत जल्दी भेज्बौ, ताकी जब ऊ वापस ऐतै ते तोरसिके खबर पाबिके हमे उत्साहित हैबै।


ख्रीष्टके देल हमर भितरमे काम करेवाला अदभुद शक्तिसे ही हमे यी काम करैले एत्तेतक कठिन मेहनत करैछियै।


कहिनेकी हे विश्वासी भ्या-बहिनसब तोरासिके याद छौ कि हमेसब कतनें कडा मेहनत कैलियै। हमेसब रात-दिन काम धन्धा कैलियै ताकी तोरसिके बीचमे परमेश्वरके खुश-खबरी प्रचार करैबेरियाँ हमेसब आपन जरुरत आपनहैं पुरा करे सकियै।


अन्तमे हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमेसब तोरासिके प्रभु येशूके नाममे आग्रह करैछियौ कि जेरंके हमेसब तोरासिके सिखैलियौ छे, परमेश्वरके खुश करेवाला जीवन जी। तुहेंसब पहलहैसे एरंके जीवन जियैछैं, आर हमेसब तोरासिके एरंके जियैके लिए आरहौ बेसी उत्साह दैछियौ।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे तोरासिके आग्रह करैछियौ कि कोढियासिके चेतावनी दहैं। घबराबेवालासिके उत्साह दहैं। कमजोरसिके मदत कर। ऊ सभैके संगे धीरजके साथ व्यवहार कर।


आपनसे बेसी उमेरके आदमीके अपमानके विचारसे नैधोप, मगर आपने बाबुके जुगुर ओकरासिके आदरके साथ सल्लाह दहैं। आर तोरसिसे छोटका विश्वासी भ्याके आपने भ्याके जुगुर व्यवहार कर।


तुहें पाप करेवाला मण्डलीके अगुवासिके सभे विश्वासी आदमीसिके समनामे धोप ताकी बाँकी मण्डलीके अगुवासिके डर है।


मेहनत करेवाला किसान फसलके हिसाके पाबैके लिए पहेला आदमी हुऐके हकदार छै।


आर आब सही समयमे, परमेश्वर यी खुश-खबरी प्रकट कैल्कै आर हमेसब सभे आदमीसिके यी बातके प्रचार करैछियै। आपनसिके उद्धारकर्ता परमेश्वर हमर प्रचारके कामद्वारा यी आज्ञा देते हमरा जिम्मेदारी देल्कै कि हमे ओकर खातिर यी काम करियै।


सेल्याके हमे तोरा क्रेट टापुमे छोड्लियौ, ताकी तुहें हमर आज्ञाके मुताबिक स्थानीय मण्डलीसिके समस्यासिके सुधारे सक्हैं जे काम करैके लिए हमरलगत समय नैरहै। आर तुहें क्रेट टापुके सभे सहरमे मण्डलीके अगुवासब नियुक्त कर। यी विषयमे हमरद्वारा तोरा देल निर्देशनसिके याद राख।


सेल्याके तीतस, हमे चाहैछियै कि हमर कहेल यी सभे बातसब तुहें क्रेट टापुमे भेल विश्वासीसिके सिखा। आपन आदमीसिके जते जरुरी छै ओत्ते सही कर्ते यी बातसब करैके लिए उत्साह दहैं। यी करैके लिए तोरलगत अधिकार छौ। निश्चित कर कि तोर सिखैल बातके कोय भी बेवास्ता नैकरौ।


आपन अगुवासिके आज्ञापालन कर, ओकरसिके अधिनमे र। तोरसिके आत्मासिके रखवाली करना ओकरसिके काम छै। ओकरासिके तोरसिके विषयमे परमेश्वरके लेखा दिए पड्तै। यी काम ऊसब आनन्दके साथ करक आर उदासीके साथ नै, नैते एकरासे तोरासिके कोनो भी फैदा नैहैतौ।


जेसब तोरसिके अगुवा रहौ आर जेसब तोरासिके परमेश्वरके वचन सुनैल्कौ छे, ओकरासिके स्मरण कर। एकर बारेमे याद कर कि ऊसब केरं जीवन जिलै आर मरि गेलै। तुहेंसब भी परमेश्वरमे ओहिने भरोसा देखा जेरं ऊसब देखैल्कै रहे।


आब हमे हमर दहिना हातमे भेल सातटा तारासिके मतलब कि छै आर दिया राखेवाला सातटा सोनाके लबनासिके मतलब कि छै से बतैबौ जे बात पहेला मालुम नैरहै। एकर मतलब यी छै: सातटा तारासब सातटा मण्डलीसिके स्वर्गदूतसब छै आर दिया राखेवाला सातटा लबनासब सातटा मण्डलीसब छै।”


पर्गामम सहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके यी सन्देश लिख: हम्हीं छियै जकर लगत धर्हा दी धारवाला तलवार छै। हमे तोरासे यी कहैछियौ:


थिआटिरा सहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके यी सन्देश लिख: “हमे, परमेश्वरके बेटा, तोरासे यी बात कहैछियौ, जकर आँख आगिनके धधकके जुगुर चम्कैछै आर जकर पैर भट्टीमे धिपैल पित्तलके जुगुर चम्कैछै। हमे तोरासे यी कहैछियौ:


आर तुहें धीरजके साथ सहन कैल्हैं छे कहिनेकी तुहें हमरापर विश्वास करैछैं आर तुहें हमर सेवा करैले बन्द नैकैल्हैं छे।


आर स्मुर्ना सहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके यी सन्देश लिख: हम्हीं छियै जे सभे चीजसिके शुरुआत कैलियै आर हम्हीं छियै जे सभे चीजसिके समाप्त कर्बै, हमे एकबेर मरि गेलियै रहे। मगर आब हमे जिन्दा छियै आर हमे सभे दिन जिन्दा रहबै। हमे तोरासे यी कहैछियौ:


सार्डिस सहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके यी सन्देश लिख: हमे उहे छियै जे सातटा तारासिके आपन हातमे पक्डीके राखैछै आर जे परमेश्वरके सात आत्मासिके भेजैछै। हमे जानैछियै कि तुहें कि करैछैं। तुहें विश्वासयोग्य विश्वासीसिके जुगुर दिखाई दैछैं, मगर वास्तवमे तुहें आब हमर अनुसरण नैकरैछैं।


लाउडिकिया सहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके यी सन्देश लिख: हमे ऊ छियै जे आमेन कहलाबैछियै, कहिनेकी हमे भरोसामन्द छियै आर हमे परमेश्वरके विषयमे जे भी साबित करैछियै ऊ सच छै। जे कुछु भी ऊ सृष्टि कैल्कै छे, हमे ऊ सभैके स्रोत भी छियै। हमे तोरासे यी कहैछियौ।


आर फिलाडेल्फिया सहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके यी सन्देश लिख: हमे उहे छियै जे पवित्र आर सच छै, जकर लगत दाऊद राजाके राज्यपर अधिकार छै। यदि हमे दरवाजा खोलैछियै ते कोय भी ओकरा बन्द नैकरे सकैछै। आर यदि हमे ओकरा बन्द करिदियै ते, कोय भी ओकरा नैखोले सकैछै। हमे तोरासे यी कहैछियौ।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan