Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ थेसलोनिकी 5:10 - केवट नया कारार

10 येशू ख्रीष्ट आपनसिके लिए मर्लै ताकी चाहे अपनासब जिन्दा रहियै या मर्ल रहियै, ऊ जब फेर वापस ऐतै अपनासब ओकरसंगे सभे दिन जिये सकियै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ थेसलोनिकी 5:10
21 Iomraidhean Croise  

जेरंके हमे, आदमीके बेटा खुद एकटा महान शासकके जुगुर आपन सेवा करवाबैके लिए नै ऐलियै छे, एकर बदलामे हमे दोसरसिके सेवा करैके लिए आर दोसरसिके बचाबैके लिए आपन जान दियैले ऐलियै छे।”


हमे बढियाँ चरवाहा छियै। बढियाँ चरवाहा आपन भेंडाके लिए आपन मर्जीसे आपन जान तक द्या दैछै।


परमेश्वर पिता हमरा प्रेम करैछै, कहिनेकी हमे आपन इच्छासे आपन जान दैछियै ताकी हमे फेरसे जिन्दा रहियै।


आपन दोस्तके लिए आपन जान देना ही सबसे बडका प्रेम छै, एकरासे बडका प्रेम आर कुछु नैछै।


कोय भी आपनसिके निन्दा नैकरे सकैछै कहिनेकी ऊ येशू ख्रीष्ट छै, जे आपनसिके लिए मर्लै आर मुर्दासे जिन्दा बनैल गेलै रहे, आर परमेश्वरके दहिना हातके बगलमे छै, आर आपनसिके तरफसे आपनसिके लिए भी बिन्ती करैछै।


इहे कारणसे हमे तोरासिके उटा सभैसे जरुरी खुश-खबरी बतैलियौ, जे हमरा प्रभु येशूसे मिल्लै रहे। उटा खुश-खबरी यी छै: कि धरमशास्त्रके मुताबिक येशू ख्रीष्ट आपनसिके पापके लिए मर्लै,


आर ख्रीष्ट यी खातिर सभैके लिए मर्लै, ताकी जेसब जिन्दा छै, ऊसब आब खाली खुदके खुश करैके लिए नैजियै, मगर ओकर लिए जियै। ख्रीष्ट ओकरसिके खातिर मर्लै आर परमेश्वर ओकरा फेर जिन्दा बनैल्कै।


ख्रीष्ट, जे निष्पाप रहै, ओकरा परमेश्वर आपनसिके लिए पाप बन्या देल्कै ताकी अपनासब परमेश्वरके द्वारा धर्मी घोषित कैल जैयै कहिनेकी ख्रीष्ट आपनसिके पापसिके सजाय आपन उप्परमे ल्या लेल्कै।


ख्रीष्टके उदाहरणके अनुसरण कर्ते हुए, दोसर आदमीसिके प्रति प्रेमसे भर्ल जीवन जी, ख्रीष्ट तोरासे प्रेम कैल्कौ आर तोरसिके पापसिके उठाबैके लिए खुदके बलिदान करिदेल्कै। आर परमेश्वर यी बातसे खुश रहै, कहिनेकी उटा बलिदान ओकर लिए गमकौव्वा धुपके जुगुर रहै।


हे हमर विश्वासी भ्या-बहिनसब, तुहेंसब यी जान कहिके हमेसब चाहैछियै कि ऊ विश्वासीसिके कि हैतै जे पहेला ही मर्ल छै। एरं नैहै कि तुहें दोसर आदमीसिके जुगुर शोक कर कहिनेकी ऊसब मर्लके बाद फेर जिन्दा हैतै कहिके ओकरासिके आशा नैहैछै।


कहिनेकी प्रभु येशूके वचन मुताबिक हमेसब तोरासिके यी कहैछियौ कि अपनासब जे जिन्दा छियै, आर प्रभु येशू फेर वापस आबैतक जिन्दा रहबै ते पहेला मर्ल आदमीसब येशूके भेट नैकरैतक आपनसिके ओकरसे भेट नैहैतै।


तब अपनासब जे जिन्दा छियै आर धर्तीमे जेसब बाँकी रहबै, ओकरसिके संगे बादलमे उठ्याके लजैल जैबै, आर येशूसंगे बादलमे भेट कर्बै, उटा समयसे अपनासब सभे दिन प्रभु येशूके संगे रहबै।


सेल्याके अपनासब प्रभु येशूके फेर वापस आबेवाला दिनके तैय्यारी नैकरेवाला आदमीसिके जुगुर नैसुत। मगर सचेत र आर होशियार र।


ख्रीष्ट पाप आर मौतके शक्तिसे मोल तिरिके सभैके बचाबैके लिए आपन बलि देल्कै। ओकर मौतद्वारा परमेश्वर सही समयमे सबूत देल्कै कि ऊ सभे आदमीसब उद्धार पाबै कहिके चाहैछै।


यी बात सही छै, कि यदि ख्रीष्टसंगे आपनसिके मौत भेल छै, ते अपनासब ओकरसंगे जिन्दा भी हैबै।


उहे येशू ख्रीष्ट अपनासिके सभे पापसे छुटकारा दिलाबैके लिए आर नैतिक रुपसे शुद्ध बनाबैके लिए खुदके बलिदान कैल्कै ताकी अपनासब ओकर आपन विशेष आदमीसब बने सकियै जेसब बढियाँ काम करैके बडका इच्छा राखैछै।


जब ख्रीष्ट मर्लै ते आपनसिके पापके कारण क्रूसपर ओकर शरीरके सजाय देल गेलै। ऊ एरंको इहे ल्याके कैल्कै, ताकी अपनासब पाप करैले बन्द करि दियै आर धार्मिकतासे जियैले शुरु करि दियै। आर उटा घासिके कारण जे ऊ सहन कैल्कै, अपनासब ठीक भ्या गेलियै छे।


हमे यी कहैछियौ कहिनेकी ख्रीष्ट आपनसिके पापसिके कारण दुःख सहैल्कै आर मरि गेलै। ऊ खाली एकबेर मर्लै आर एकरा दोहराबैके जरुरत नैछै। ऊ एकटा धर्मी आदमी रहै जे पापी आदमीसिके लिए मरि गेलै ताकी परमेश्वरके संगे आपनसिके सम्बन्ध घनिष्ठ हुए सकै। ऊसब ओकर शरीरके मारि देल्कै मगर ओकरा पवित्र आत्माके सामर्थ्यसे फेरसे जिन्दा करि देल गेलै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan