Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ थेसलोनिकी 4:6 - केवट नया कारार

6 एरं करिके, कोय भी आपन विश्वासी भ्या-बहिनके विरुद्धमे पाप नैकरक आर ओकर फैदा नैउठाबक कहिनेकी प्रभु येशू एरंको सभे काम करेवाला आदमीसिके सजाय देतै। हमेसब तोरासिके एकर बारेमे पहलहै साफसे कहैलियौ रहे आर गम्भीर चेतावनी देलियौ रहे।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ थेसलोनिकी 4:6
50 Iomraidhean Croise  

तुहें परमेश्वरके आज्ञासब ते जानैछैं यानिकी, ‘हत्या नैकरिहैं, व्यबिचार नैकरिहैं, चोरी नैकरिहैं, झुट्ठा गवाही नैदिहैं, नैठकिहैं, आपन बाबु आर मयाँके आदर करिहैं।’ ”


ककरसे डराबे पडैछै कहिके हमे तोरासिके कहैछियौ मर्लके बाद नरकके सजाय दियैले सकेवाला परमेश्वरसे ही डराबे पडैछै। हमे तोरासिके कहैछियौ, ओक्रहैसे डर।


लाजरस जैके हमर पाँचटा भ्यासिके एत्ते भेल सभे बात सुन्याके चेतावनी दै आर ऊसब यी नरकमे नैआबै।’


परमेश्वरके क्रोध आदमीसिके द्वारा कैल ज्यावाला उटा सभेटा भक्तिहीन आर अधर्मी कामसिके विरुद्ध स्वर्गसे प्रकट हैछै। ऊसब खराब काम करिके सचके विरोध करैछै।


हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, आपनहैंसे कहियो बदला नैले मगर परमेश्वरके तोर लिए बदला लियैले दहैं। कहिनेकी धरमशास्त्रमे प्रभु कहैछै, “बदला लिएवाला काम हमर छै, हम्हीं बदला लेबै।”


कहिनेकी शासकसब तोरसिके सहायताके काम करैके लिए परमेश्वरके तरफसे सेवक छै। मगर यदि तुहें खराबी करैछैं ते डर मान, कहिनेकी शासकसिके लगत तोरा सजाय दियैके अधिकार छै। ऊसब परमेश्वरके सेवक छै, जकरा इहे कारणसे भेज्ल गेलै छे कि ऊसब गलत काम करेवाला आदमीसिके सजाय दै।


ध्यान दहैं कि परमेश्वरके तरफसे ऐल दुःख तोरासिमे कोन-कोन परिवर्तन कैल्कौ छे, एरं उत्सुकतासे भर्ल तत्परता, आपन पक्ष स्पष्ट करैके एरं बडका इच्छा, अन्यायके प्रति एरं गोस्सा, संकटके प्रति एरंको सावधानी, हमरासे भेट करैके एरंको बडका इच्छा, सेवाके प्रति एरंको उत्साह आर दुराचारीके सजाय दियैके लिए एरंको तेजीके द्वारा तुहेंसब यी साबित करि देल्हैं कि सभे कुछु ठीक-ठाक करैमे तुहेंसब कोनो भी कमी नैछोडलहैं छे।


डाहा, पियक्कडपन, मौजमजा आर ऊसब एरंको दोसर सभे खराब कामसब करैछै। यी सभैके विषयमे हमे तोरासिके चेतावनी दैछियौ आर पहेला भी देलियौ छे। जे एरंको कामसब करैछै, ऊसब परमेश्वरके राज्यके हकदार नैबन्तै।


सेल्याके प्रभु हमरा देल अधिकारके साथ हमे तोरासिके यी बताबैछियौ कि जेरं अविश्वासी आदमीसब ओकरसिके बेकारके विचारके साथ आपन रीतिमे चलैछै, आब तुहेंसब फेर एरं जीवन नैजिते र।


चोरी करेवाला आदमी आब चोरी नैकरक। मगर ऊ मेहनत करक कि ऊ आपन हातसे कैल उपयोगी कामसिके द्वारा जरुरतमे पडल दोसर आदमीसिके भी सहायता करे सकै।


ऊ आदमीसिके द्वारा मूर्ख नैबन जेसब यी पापसिके लिए बहाना बनाबैके कोशिश करैछै, कहिनेकी इहे कामसिके कारणसे परमेश्वरके क्रोध ओकर आज्ञा नैमानेवाला आदमीसिपर पडैछै।


तुहेंसब जानैछैं, जेरंके बाबु आपन बाल-बच्चासिके संगे व्यवहार करैछै, ओहिने करिके हमेसब भी तोरसिके संगे व्यवहार कैलियौ। हमेसब तोरासिमेसे हरेकके उत्साह देलियौ आर सान्त्वना देलियौ आर सम्झैलियौ।


आर परमेश्वरके स्वीकार नैकरेवाला आदमीसिके आर आपनसिके प्रभु येशूके बारेमे खुश-खबरी नैमानेवालासिके ऊ सजाय देतै।


बिहाके सम्मान दहैं आर बिहामे एक-दोसरके प्रति विश्वासयोग्य र। कहिनेकी परमेश्वर व्यबिचारीके आर अनैतिक काम करेवाला आदमीसिके न्याय कर्तै।


धरमशास्त्रमे कोनो एक जगहमे यी बात लिख्ल छै, “मनुष्य कि छै, से परमेश्वर, तोरा ओकर बारेमे चिन्ता करे पडै, या ओकर देखभाल करे पडै? ऊ आदमीके बेटाके सिवाय आर कुछु भी नैछै।


मगर तुहेंसब ते गरिब आदमीसिके अपमान कैल्हैं छे। तोरासिके मालुम छौ कि मातबर आदमीसब ही तोरासिके अत्याचार करैछौ। ऊसब ऊ छै जे तोरासिके अदालतमे जबरजस्ती ल्याजैछौ।


देख, जे जनसब तोरसिके खेतके फसल काटल्कौ छे आर ओकरसिके रोजी जे तुहेंसब ओकरासिके नैदेल्हैं, उटा खेतके जन-बनिहारसब तोरसिके विरोधमे परमेश्वरके पुकारा करैछै। आर ऊ जन-बनिहारसिके पुकारा सर्वशक्तिमान प्रभु सुनी लेल्कै छे।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan