हमे यी कहैछियै कहिनेकी परमेश्वर बुद्धिमानीसाथ फैसला कैल्कै कि यी संसारके आदमीसब ओकरा आपन बुद्धिके माध्यमसे नैचिन्हे सक्तै। सेल्याके विश्वास नैकरेवाला आदमीसब हमरसिके खुश-खबरीके मूर्खता कहेल पर भी आपनसिके प्रचार कैल खुश-खबरीमे विश्वास करेवालासिके बचाबैके परमेश्वरके योजना रहै।
तोरासिके फेरसे कि सही छै कहिके सोचना चाही आर पाप करैले छोडी देना चाही, कहिनेकी तोरसिमेसे कुछु आदमीसिके परमेश्वरके संगे सही सम्बन्ध नैछौ, इहे ल्याके हमे तोरासिके लाज लगाबैके लिए यी बात कहैछियौ।
सेल्याके तोरसिके पापी स्वभावसे जुड्ल खराब कामसब करैले बन्द कर जे यी धर्तीपर छै: यानिकी व्यबिचार, अशुद्धता, कामुकता, शारीरिक इच्छा आर लोभी नैबन जे मूर्तिपूजा करैके जुगुर छै।