Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ थेसलोनिकी 4:16 - केवट नया कारार

16 कहिनेकी प्रभु येशू आपनहैं स्वर्गसे निच्चा ऐतै, उटा समयमे प्रभु येशू बडका आवाजसे आदेश देतै, प्रधान स्वर्गदूत बडका आवाजसे बोल्तै आर परमेश्वरके धुतहुक फुक्ल जैतै, आर ख्रीष्टमे मर्ल विश्वासीसब पहेला जिन्दा हैतै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ थेसलोनिकी 4:16
33 Iomraidhean Croise  

कहिनेकी हमे, आदमीके बेटा आपन पिताके महिमामे आपन स्वर्गदूतसिके संगे ऐबौ आर उटा समयमे ऊ सभे आदमीके ओकर काम मुताबिकके इनाम देबौ।”


फेर येशू आदमीसिके भीड आर आपन चेलासिके कहैल्कै, “तोरासिमेसे कतनें झन एत्ते खडा छैं, जेसब हमे, आदमीके बेटाके हमर राज्यमे ऐल नैदेखै तक ऊसब नैमर्तै।”


“जब हमे, आदमीके बेटा फेरसे ऐबै, तब हमे आपन महिमामे ऐबै आर सभे स्वर्गदूतसिके आपन संगमे आन्बै। तब हमे सभे आदमीसिके न्याय करैके लिए आपन महिमामय सिंहासनमे बैठ्बै।


येशू ओकरा जबाब देल्कै, “से बात ते तुहें आपनहैं कहैछ आर हमे तोरासिके कहैछिहौं आब तुहेंसब हमे, आदमीके बेटाके परमेश्वरके दहिना हातके बगल शक्तिके स्थानमे बैठ्ल, आर तुहेंसब हमरा बादलसे घेर्ल स्वर्गसे ऐते देख्भैं।”


ऊसब कहैल्कै, “हे गालील जिलाके रहेवाला आदमीसब, तुहेंसब खडा भ्याके आकाशमहर कहिने देखैछैं? इहे येशू जकरा परमेश्वर तोरसिके लगतसे स्वर्गमे ल्यागेलै, एखन जेरं तुहेंसब ओकरा स्वर्गमे गेल देख्लहैं छे, ओहिने करिके ऊ फेर वापस ऐतै।”


अगर एरं छै ते ख्रीष्टमे जे विश्वासीसब मरि गेलै छे, ऊसब बचैल नैगेलै छे, बरु ऊसब हेर्या गेलै छे यानिकी सभे दिनके लिए परमेश्वरसे अलग भ्यागेलै छे।


मगर सच यी छै कि वास्तवमे परमेश्वर ख्रीष्टके मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै छे। ऊ पहेला व्यक्ति छै जकरा मुर्दासे जिन्दा बनैल गेलै आर उहे ही सबूत छै कि परमेश्वर ऊ आदमीसिके भी जिन्दा बनैतै, जे मरि गेलै छे।


मगर हरेक आदमी एकटा उचित क्रममे जिन्दा बनैल जैतै, पहेला ख्रीष्टके जिन्दा बनैल गेलै रहे आर आब जब ख्रीष्ट फेर वापस ऐतै ते, ऊ सभे आदमीसब जे ओकरसंगे नज्दिकके सम्बन्ध राखैछै, ऊसब फेरसे जिन्दा बनैल जैतै।


आर ऊसब तुहेंसब केरंके स्वर्गसे परमेश्वरके बेटा फेरसे वापस आबैके रस्ता देखैछैं कहिके कहैछै, यानिकी येशू, जकरा परमेश्वर मुर्दासे फेर जिन्दा बनैल्कै। उहे ही अपनासिके आबेवाला परमेश्वरके क्रोधसे बचाबैछै।


हमेसब प्रार्थना करैछियै कि आपनसिके परमेश्वर पिता आर आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्ट तोरसिके भेट करैके लिए हमरसिके रस्ता खोली दै।


ऊ तोरासिके जे एखन कष्ट भोगैछैं आर हमरासिके भी सान्त्वना देतै। यी बात तब हैतै जब प्रभु येशू आपन शक्तिशाली स्वर्गदूतसिके संगे बर्ल आगिनमे स्वर्गसे प्रकट हैतै।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके फेर वापस आबैके विषयमे आर फेर ओकरासे भेट करैके समयके विषयमे हमेसब तोरासिके कुछु लिखैले चाहैछियौ।


मगर ख्रीष्ट जरुर फेर वापस ऐतै। ऊ अचानक फेर वापस आबी जैतै, जेरंके रातके समयमे कोनो चोर अचानक ही आबी जैछै। उटा समय आकाशमे गर्जनके आवाज हैतै आर आकाश अलप भ्याजैतै। आकाशमे सभे कुछु यानिकी सुरुज, चान आर तारा पुरा तरहसे जरि जैतै। उटा दिन परमेश्वर उटा सभे कामसिके प्रकट करि देतै जे काम आदमीसब कैल्कै छे ताकी ऊ ओकरसिके न्याय करे सकै।


मगर एत्तेतक कि प्रमुख स्वर्गदूत मिखायल भी ओरं नैकैल्कै जेरं यी झुट्ठा शिक्षकसब करैछै। जब शैतान मिखायलसे यी बात पर विवाद कैल्कै कि ऊ दोनो झनमेसे ककरा परमेश्वरके वक्ता मूसाके शरीरके दफनाबैके अधिकार छै ते, जब कि मिखायल लगत यी आदमीसिके तुलनामे बहुते बेसी अधिकार छै, फेर भी ऊ शैतानसे अपमानजनक तरिकासे बात नैकैल्कै आर ओकरापर दोष नैलगैल्कै। मगर ऊ खाली एतनें कहैल्कै, “प्रभु तोरा धोपौ।”


प्रभुके दिनमे पवित्र आत्मा हमरा अगुवाई कैल्कै। हमे आपन पाछुसे कक्रहौ बोल्ते सुन्लियै जे धुतहुकके जुगुर बडका आर साफ आवाजमे बोल्ते रहै।


देख, ऊ बादलके सवारीमे आबैछै, आर हरेक आदमी ओकरा देख्तै। जे आदमीसब ओकर मौतके लिए जिम्मेदार रहै, ऊसब भी ओकरा ऐते देख्तै आर धर्तीके सभे आदमीसब जोर-जोरसे कान्तै जब ऊसब ओकरा देख्तै। हौं, अहिने हैतै। आमेन।


फेर हमे स्वर्गसे कक्रहौ बोल्ते सुन्लियै आर ऊ हमरा कहैल्कै, “यी बातसिके एत्ते लिख। आबसे ऊ आदमीसब धन्य छै जेसब प्रभुमे भरोसा कर्ते हुए मरि जैछै।” तब पवित्र आत्मा यी बात पर सहमत भेलै आर ऊ कहैल्कै, “यी सच छै। ऊसब धन्य छै कहिनेकी ऊसब आपन कडा मेहनतसे आराम पैतै आर जे काम ऊसब कैल्कै छे ओकर खातिर ओकरासिके इनाम देल जैतै।”


जब हमे फेर देख्लियै, हमे एकटा गरुडके आकाशमे उप्पर उड्ते देख्लियै आर बडका आवाजमे जोरसे एरं कहते सुन्लियै, “जब अन्तिम तीनटा स्वर्गदूत उटा धुतहुकके फुकैछै जे ओकरासिके देल गेलै छे, तब संसारके सभे आदमीसिपर आबेवाला बिपत्तिसब बहुते ही भयानक छै।”


आर हमे परमेश्वरके समनामे खडा रहेवाला सातटा स्वर्गदूतसिके देख्लियै। ओकरासिके सातटा धुतहुक देल गेलै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan