Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ थेसलोनिकी 4:10 - केवट नया कारार

10 आर माकेडोनिया प्रदेशमे सभे महर भेल आपन संगी विश्वासीसिके प्रति तुहेंसब पहलहै ही प्रेम देखैलहैं छे। मगर विश्वासी भ्यासब, हमेसब तोरासिके आग्रह करैछियौ कि तुहेंसब प्रेममे आरहौ बढते जो।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ थेसलोनिकी 4:10
14 Iomraidhean Croise  

कहिनेकी जे यरूशलेम सहरमे विश्वासीसब छै आर जेसब गरिब छै, ओकरसिके लिए माकेडोनिया प्रदेश आर अखैया प्रदेशके मण्डलीके आदमीसब स्वेच्छासे कुछु दान दियैके फैसला कैल्कै।


यी सभैके कारण जे परमेश्वर कैल्कै छे, जबसे हमे प्रभु येशूपर भेल तोरसिके विश्वास आर सभे विश्वासीसिके प्रति तोरसिके प्रेमके विषयमे सुन्लियौ,


हमर प्रार्थना इहे छै कि सचके ज्ञान आर बुद्धि-विवेकके साथ एक दोसरके लिए तोरसिके प्रेम लगातार बढ्ते रहौ।


कहिनेकी ख्रीष्ट येशूमे तोरसिके विश्वास आर सभे परमेश्वरके आदमीसिके प्रतिके तोरसिके प्रेमके विषयमे हमेसब सुन्लियै छे।


एत्तेतक कि माकेडोनिया प्रदेश आर अखैया प्रदेशमे सभे विश्वासीके बीचमे तुहेंसब नमुना बन्लहैं।


आर हमेसब प्रार्थना करैछियै कि जेरंके हमेसब तोरसिसे प्रेम करैछियौ, ओहिने करिके तोरसिके प्रेम एक दोसरके प्रति आर सभे आदमीसिके लिए बढते आर उमडते रहौ।


अन्तमे हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमेसब तोरासिके प्रभु येशूके नाममे आग्रह करैछियौ कि जेरंके हमेसब तोरासिके सिखैलियौ छे, परमेश्वरके खुश करेवाला जीवन जी। तुहेंसब पहलहैसे एरंके जीवन जियैछैं, आर हमेसब तोरासिके एरंके जियैके लिए आरहौ बेसी उत्साह दैछियौ।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, तोरसिके लिए सभे दिन हमरासिके परमेश्वरके धन्यवाद चढाना चाही, आर यी करना हमरसिके लिए उचित छै, कहिनेकी तुहेंसब निरन्तर येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैछैं आर एक दोसरप्रतिके तोरसिके प्रेम भी बढते गेलौ छे।


आर हमरासिके प्रभुमे तोरासिपर भरोसा छै कि हमेसब तोरासिके जे कुछु करैले कहैलियौ छे, तुहेंसब ओहिने करैछैं आर कर्ते रहभैं।


मगर तोरासिके आपनसिके प्रभु आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्टके अनुग्रहके आरहौ बेसीसे बेसी अनुभव करना चाही आर ओकर प्रति आपन समझमे बढना चाही। ओकर महिमा एखन आर सभे दिनके लिए हैते रहै। आमेन।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan