9 तोरेसिके कारणसे हमेसब आपनसिके परमेश्वरके समनामे आनन्द मनाबैछियै। एकर लिए ते परमेश्वरके जतनें धन्यवाद देना भी कमे हैछै।
परमेश्वरके धन्यवाद है, ख्रीष्टके संगे आपनसिके एकताके कारण ऊ सभे दिन ओकरसंगे आपनसिके अगुवाई करैछै आर अपनासिके जित दिलाबैछै। एकर मतलब यी छै कि अपनासब जते भी जैछियै, ओत्ते खुश-खबरीके घोषणा करैछियै ताकी सभे आदमीसब सुनै आर परमेश्वरके जाने सकै।
या अपनासब परमेश्वरके ओकर बेटाके लिए धन्यवाद दैछियै, एकटा एरंको दान जे शब्दसिमे बताबैके लिए बहुते अदभुद छै।
जब हमरसिके प्रभु येशू ख्रीष्ट फेर वापस ऐतै, तब हमरसिके आशा या आनन्द या गर्वके मकुट तुहेंसब ही हैभैं।