Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ थेसलोनिकी 3:6 - केवट नया कारार

6 मगर एखन तिमोथी तोरसिके लगतसे हमरसिके लगत आबिके तोरसिके विश्वास आर प्रेमके सन्देश हमरासिके सुनैल्कै। तुहेंसब हमरसिसे मिलैके बहुते इच्छा करिके सभे दिन प्रेमसे हमरासिके याद करैछैं कहिके खबर देल्कै। हम्हुँसब तोरसिके भेट करैले ओतनहैं इच्छा करैछियौ।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ थेसलोनिकी 3:6
24 Iomraidhean Croise  

फेर पावल डर्बी सहर आर लुस्त्रा सहरमे भी ऐलै आर ओत्ते तिमोथी नामके एकटा चेला रहै। ओकर मयाँ यहूदी विश्वासी रहै, मगर ओकर बाबु यूनानी रहै।


तकरबाद पावल एथेन्स सहरसे बिदा भ्याके कोरन्थी सहरमे गेलै।


जब सिलास आर तिमोथी माकेडोनिया प्रदेशसे ऐलै, पावल पाल बनाबैके काम छोडिके वचनके प्रचारमे व्यस्त रहै आर यहूदी आदमीसिके येशू ही ख्रीष्ट छै कहिके ऊ शिक्षा देते रहै।


हमे तोरसिके तारिफ करैछियौ। कहिनेकी तुहेंसब सभे समयमे हमरा याद कर्ते रहैछैं आर जे शिक्षासब हमे तोरासिके देलियौ छे, ओकर होशियारीसे पालन कर।


सेल्याके, आब अपनासिके यी तीन प्रकारके कामसिके करना चाही: परमेश्वरपर विश्वास करना, परमेश्वरके प्रतिज्ञामे आशा राखना आर दोसर आदमीसिसे प्रेम करना। मगर यी तीनटामे से एकटा छै जे वास्तवमे सबसे बडका छै: दोसर आदमीसिसे प्रेम करना।


कहिनेकी यदि अपनासब ख्रीष्ट येशूके संगे एक छियै ते आपनसिके खतना भेल छै या नैभेल छै यी बात महत्वपूर्ण नैछै। मगर महत्वपूर्ण बात यी छै कि अपनासब ख्रीष्टके आपन उद्धारकर्ताके रुपमे विश्वास करैछियै, आर परमेश्वर आर दोसर आदमीसिके प्रति प्रेम राखैछियै।


परमेश्वर हमर गवाह छै, कि हमर ह्रदय तोरसिके प्रति ख्रीष्ट येशूके प्रेमसे भरि गेलै छे आर हमे तोरासिके सभैके देखैके लिए तर्सैछियै।


कहिनेकी ख्रीष्ट येशूमे तोरसिके विश्वास आर सभे परमेश्वरके आदमीसिके प्रतिके तोरसिके प्रेमके विषयमे हमेसब सुन्लियै छे।


हमे, पावल, चिट्ठीके यी भाग तोरासिके नमस्कार करैके लिए हमे आपने हातसे लिखैछियौ। याद कर कि हमे जेलमे छियै आर हमर लिए प्रार्थना कर। तोरसिके संगे परमेश्वरके अनुग्रह रहौ। आमेन।


आर जब हमेसब आपनसिके परमेश्वर पितासे प्रार्थना करैछियै, विश्वासके खातिर तोरसिके कैल कामसब, विश्वासीसिके प्रेम देखाबैके लिए कैल तोरसिके कडा मेहनत आर प्रभु येशू ख्रीष्टके दोसर आगमनके आशामे तोरसिके भोग्ल सतावटके हमेसब निरन्तर याद करैछियौ।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, जब हमेसब कुछु समयके लिए मनमे नै, मगर शारीरिक रुपसे तोरसिसे अलग भ्या गेलियै रहे ते, हमेसब बडा ललसाके साथ तोरासिके देखैके लिए आरहौ बेसी कोशिश कैलियै।


कहिनेकी हे विश्वासी भ्या-बहिनसब तोरासिके याद छौ कि हमेसब कतनें कडा मेहनत कैलियै। हमेसब रात-दिन काम धन्धा कैलियै ताकी तोरसिके बीचमे परमेश्वरके खुश-खबरी प्रचार करैबेरियाँ हमेसब आपन जरुरत आपनहैं पुरा करे सकियै।


सेल्याके हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमेसब हमरसिके सभे दुःख आर क्लेशमे तोरसिके विषयमे तिमोथीसे सुनिके उत्साहित भेल छियै कि तुहेंसब आपन विश्वासमे मजगुत छैं।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, तोरसिके लिए सभे दिन हमरासिके परमेश्वरके धन्यवाद चढाना चाही, आर यी करना हमरसिके लिए उचित छै, कहिनेकी तुहेंसब निरन्तर येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैछैं आर एक दोसरप्रतिके तोरसिके प्रेम भी बढते गेलौ छे।


यी आदेश दियैके मकसद यी छै कि तुहेंसब एक दोसरके साफ मन, बढियाँ विवेक आर सच्चा विश्वाससे प्रेम करे सक्हैं।


हमे परमेश्वरके धन्यवाद दैछियै, जकरा हमे आर हमर पुर्खासब साफ विवेकके साथ आराधना कैलियै छे। हमे सभे दिन तोर लिए प्रार्थना करैछियै।


कहिनेकी आदमीसब हमरा कहैछै कि तुहें प्रभु येशूमे निरन्तर विश्वास करैछैं आर तुहें सभे परमेश्वरके आदमीसिके प्रेम करैछैं।


जेलमे पड्ल आदमीसिके प्रति तोरसिके व्यवहार एरं हौ मान कि तुहेंसब खुद ओकरसिके संगे जेलमे छैं। आर जे आदमीसब सतैल जैछै ओकरासिके एरंके खियाल राख जेरं कि तुहेंसब ओकरसिके दरदके आपन शरीरमे महसुस करैछैं।


जेसब तोरसिके अगुवा रहौ आर जेसब तोरासिके परमेश्वरके वचन सुनैल्कौ छे, ओकरासिके स्मरण कर। एकर बारेमे याद कर कि ऊसब केरं जीवन जिलै आर मरि गेलै। तुहेंसब भी परमेश्वरमे ओहिने भरोसा देखा जेरं ऊसब देखैल्कै रहे।


ओकर आज्ञा इहे छै, कि अपनासिके ओकर बेटा येशू ख्रीष्टके नाममे विश्वास करे पडैछै आर ओकर आज्ञा देल बमोजिम अपनासिके एक-दोसरके प्रेम करे पडैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan