4 कहिनेकी पहेला भी जब हमेसब तोरसिकते रहियै ते, तोरासिके कहते रहियौ कि अपनासिके कष्ट भोगना छै आर अहिने भेलै छे आर यी बात तुहेंसब जानै भी छैं।
घटना हुऐसे पहलहै, हमे तोरासिके यी सभे घटनासिके बारेमे बतैलियौ छे।
फेर पावल आर सिलास अम्फिपोलिस सहर आर अपोल्लोनियाँ सहरके रस्ता द्याके थेसलोनिके सहरमे ऐलै। ओत्ते एकटा यहूदी आदमीसिके सभाघर रहै।
मगर जब पावलके द्वारा परमेश्वरके वचन बेरिया सहरमे प्रचार हैछै कहिके थेसलोनिके सहरके यहूदी आदमीसिके मालुम भेलै ते, ऊसब ओत्ते भी आबिके हुल्लड मचाबे लाग्लै आर आदमीसिके भडकाबे लाग्लै।
मगर हमे आपन जीवनके कोनो मोलके आर आपन लिए प्रिय नैसोचैछियै। हमे खाली एतनें चाहैछियै, कि परमेश्वरके अनुग्रहके खुश-खबरीके गवाही दियैले हमर दौड आर प्रभु येशूसे हमरा मिल्ल हमर सेवकाई हमे पुरा करे सकियै।
सेल्याके, हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, तुहेंसब यहूदिया प्रदेशमे भेल परमेश्वरके मण्डलीसिके सहेल जुगुर सतावट सहलहैं जेसब येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैछै। कहिनेकी तोरासिके आपने क्षेत्रके आदमीसब दुर्व्यवहार कैल्कौ आर ओकरासिके ओकरेसिके आपने यहूदी आदमीसब दुर्व्यवहार कैल्कै।
मगर जेरं तुहेंसब खुद भी जानैछैं, कि हमेसब पहेला फिलिप्पी सहरमे कष्ट भोग्लियै आर उपद्रव सहेलके बाद हमरासिके तोरसिके सहरके आदमीसिके द्वारा घोर विरोध भेलपर भी तोरासिके परमेश्वरके खुश-खबरी सुनाबैके लिए हमरासिके परमेश्वरद्वारा साहास मिल्लै।
हमे तोरसिके संगे रहै बेरियाँ तोरासिके अक्सर कहेल यी बातसब नैभुल।
आर जब हमेसब तोरसिके संगमे रहियै, हमेसब तोरासिके अक्सर कहते रहियौ: अगर कोय कोनो काम करैले इन्कार करैछै ते ओकरा खाना नैदिहैं।