आर तोरसिके उपास आदमीसब नै, मगर गुप्तमे कि कैल छे से देखेवाला तोरसिके परमेश्वर पिता, जे उटा गुप्त जगहमे भी छै, देखौ, आर गुप्तमे देखेवाला तोरसिके परमेश्वर पिता तोरासिके इनाम देतौ।”
शान्ति दिएवाला परमेश्वर आपनहैं पुरा रुपसे तोरासिके पवित्र बनाबौ आर तोरसिके सारा आत्मा, प्राण आर शरीर आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके फेर वापस आबैके दिनतक निर्दोष रहौ।
हमेसब प्रार्थना करैछियै कि प्रभु येशू ख्रीष्ट तोरासिके यी बुझैके योग्य बनाबौ कि परमेश्वर आपन आदमीसिके कतनें प्रेम करैछै आर जब आदमीसब ओकरा सतैल्कै रहे जेरंके ऊ खुद धीरज धारण कैल्कै ओहिने करिके तुहेंसब भी धीरज धारण कर।
विचार ते कर कि परमेश्वर पिता अपनासिके केरंको प्रेम कैल्कै छे कि अपनासब परमेश्वरके बेटा-बेटी कहलैल जैयै, आर सच्चे अपनासब ओकर बेटा-बेटी छियै भी। मगर यी संसारके आदमीसब अपनासब परमेश्वरके बेटा-बेटीसब छियै कहिके नैचिन्हैछै कहिनेकी ऊसब परमेश्वर पिताके ही नैचिन्हैछै।