Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ थेसलोनिकी 3:10 - केवट नया कारार

10 तोरासिके अमना-समनामे भेट करिके प्रभु येशू ख्रीष्टमे पुरा रुपसे विश्वास करैले सिखाबैके लिए हमेसब रात दिन जोशके साथ प्रार्थना करैछियै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ थेसलोनिकी 3:10
19 Iomraidhean Croise  

आर आब ऊ चौरासी साल पुग्ल रहै। ऊ कहियो परमेश्वरके मन्दिर नै छोड्ते रहै आर उपास प्रार्थनाके साथ दिनरात आराधना कर्तै रहै।


उहे प्रतिज्ञाके पुरा हुऐके आशा राख्ते हुए आपनसिके बारहो कुल आपन सारा मनसे रात-दिन परमेश्वरके आराधना कर्ते ऐलै छे। हे राजा अग्रिपास, इहे आशाके कारण जे परमेश्वर यहूदी आदमीसिसे पुरा करैके प्रतिज्ञा कैल्कै रहे यी यहूदी अगुवासब हमरापर आरोप लगाबैछै।


हमरा यी बातके निश्चय रहै कि सभैसे पहेला तोरसिके भेट करैके हमरसिके योजना तुहेंसब बुझ्लहैं। आर एरंके हमे दी बेर तोरसिके भेट करिके तोरासिके दुगन्ना आशिष दियैले चहते रहियै।


हमेसब तोरसिके विश्वासपर अधिकार जमाबैले नैचाहैछियै, बल्की तोरसिके आनन्दके लिए तोरसिके संगे-संगे मिलिके काम करेवाला छियै। कहिनेकी तुहेंसब ते आपन विश्वासमे स्थिर छैं।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, आब अन्तमे तोरासिके आनन्द मिलौ, सिद्ध बन्ते जो, हमर सल्लाह सुन, आपसमे एक मनके भ्याके शान्तिपूर्वक र। आर प्रेम आर शान्ति दिएवाला परमेश्वर तोरसिके संगे रहतौ।


कहिनेकी हमेसब कमजोर छियै आर तुहेंसब विश्वासमे मजगुत छैं ते, हमेसब आनन्दित हैछियै आर हमेसब प्रार्थना करैछियै कि तुहेंसब विश्वासमे सिद्ध भ्याजहैं।


यी बातमे हमे निश्चित छियै। सेल्याके हमे जानैछियै कि हमे जिन्दा रहबै आर तोरसिके सभैके संगे रहबै, आर विश्वासमे मजगुत हुऐले आर एकरामे आनन्दित हुऐले हमे तोरसिके सहायता कर्बौ।


हमेसब सभे आदमीके ख्रीष्टके बारेमे सन्देश प्रचार करैछियै, आर परमेश्वरके देल बुद्धिसे सभे आदमीसिके चेतावनी आर शिक्षा दैछियै। ताकी जब ऊसब परमेश्वरके समनामे खडा हैतै, तब ऊसब ख्रीष्टमे परिपक्क भेल बात हमेसब पक्का करे सकियै।


इपाफ्रास जे तोरसिके सहरसे छै, आर ख्रीष्ट येशूके दास छै, तोरासिके नमस्कार भेजल्कौ छे। आर ऊ सभे दिन तोरसिके लिए लगनशील भ्याके यी प्रार्थना करैछौ कि तुहेंसब परमेश्वरके सभे इच्छामे पूर्ण रुपसे आज्ञाकारी हुऐके कारणसे विश्वस्त हुए सक्हैं।


हमेसब प्रार्थना करैछियै कि आपनसिके परमेश्वर पिता आर आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्ट तोरसिके भेट करैके लिए हमरसिके रस्ता खोली दै।


सेल्याके हमेसब तोरसिके सभैके लिए लगातार प्रार्थना भी करैछियै कि हमरसिके परमेश्वर तोरासिके उटा काम करैके लिए काबिल बनैतौ जे कामके लिए ऊ तोरासिके बोलैल्कौ छे। आर ऊ आपन शक्तिसे तोरसिके सभे बढियाँ मकसदसिके पुरा करौ आर सभे उटा कामके ऊ सफल बनाबौ जे तोरसिके विश्वासके फल छै।


हमे परमेश्वरके धन्यवाद दैछियै, जकरा हमे आर हमर पुर्खासब साफ विवेकके साथ आराधना कैलियै छे। हमे सभे दिन तोर लिए प्रार्थना करैछियै।


एकर साथे-साथ हमर लिए आपन घरमे एकटा मैजमान कोठा तैय्यार करिके राख, कहिनेकी हमे आशा करैछियै कि परमेश्वर तोर प्रार्थनाके उत्तर दौ आर हमरा तोरसिके लगत फेर आबिके भेट करैले दौ।


आर उटा चारोटा जिन्दा प्राणीके छ-छटा डेन रहै, आर ओकरासिपर सभे जगहमे आँख रहै एत्तेतक कि डेनके निच्चा भी रहै। आर दिन-रात ऊसब नैरुकिके एरं कहते रहै, “पवित्र, पवित्र, पवित्र प्रभु परमेश्वर जे सर्वशक्तिमान छै। ऊ उहे परमेश्वर छै जे समयके शुरुआतसे ल्याके एखनतक आर सभे दिनके लिए नैबदलैछै।”


इहे कारणसे ऊसब परमेश्वरके सिंहासनके समनामे खडा छै, आर ऊसब हर समय दिन आर रात परमेश्वरके मन्दिरमे ओकर सेवा करैछै, आर ऊ जे सिंहासनमे बैठैछै, ओकरसिके बीचमे रहतै आर ओकरसिके सुरक्षा कर्तै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan