Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ थेसलोनिकी 2:9 - केवट नया कारार

9 कहिनेकी हे विश्वासी भ्या-बहिनसब तोरासिके याद छौ कि हमेसब कतनें कडा मेहनत कैलियै। हमेसब रात-दिन काम धन्धा कैलियै ताकी तोरसिके बीचमे परमेश्वरके खुश-खबरी प्रचार करैबेरियाँ हमेसब आपन जरुरत आपनहैं पुरा करे सकियै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ थेसलोनिकी 2:9
35 Iomraidhean Croise  

परमेश्वर आपन चुन्ल आदमीसिके लिए जेसब रात-दिन ओकर समनामे कानैछै न्याय कर्तै, ऊ ओकरसिके सहायता करैमे देर नैकर्तै।


आर आब ऊ चौरासी साल पुग्ल रहै। ऊ कहियो परमेश्वरके मन्दिर नै छोड्ते रहै आर उपास प्रार्थनाके साथ दिनरात आराधना कर्तै रहै।


पावल आर अकिलासके एक्के व्यापार हुऐके कारणसे पावल ओकरेसिके संगे रहलै आर ओकरसिके संगे काम करे लाग्लै। ओकरसिके व्यापार पाल बनाबेवाला रहै।


मगर हमे आपन जीवनके कोनो मोलके आर आपन लिए प्रिय नैसोचैछियै। हमे खाली एतनें चाहैछियै, कि परमेश्वरके अनुग्रहके खुश-खबरीके गवाही दियैले हमर दौड आर प्रभु येशूसे हमरा मिल्ल हमर सेवकाई हमे पुरा करे सकियै।


सेल्याके होशियार रह आर मनमे याद राख कि तीन बरसतक दिन-रात लोर बहैते सभे आदमीके हमे चेतावनी देते रहियै।


यी चिट्ठी हमे, पावल लिखैछियै। हमे येशू ख्रीष्टके सेवक छियै, आर चुन्ल आर भेज्ल चेला हुऐके लिए परमेश्वरके द्वारा चुन्ल गेलियै छे आर परमेश्वरके खुश-खबरी सुनाबैके लिए अलग कैल गेलियै छे।


पवित्र आत्माद्वारा हमरा देल शक्तिसे हमे अदभुत काम आर चमत्कार करैछियै। सेल्याके जते भी हमे यरूशलेम सहरसे ल्याके इल्लुरिकन प्रदेशतक गेलियै छे, हमे ओत्ते भी सभे आदमीसिके येशू ख्रीष्टके बारेमे खुश-खबरी सुनैलियै छे।


हमेसब आपन हातसे काम करिके मेहनत करैछियै। आदमीसब हमरासिके अपमान करैछै, हमेसब ओकरासिके आशिष दैछियै। ऊसब हमरासिके सताबैछै आर हमेसब सहैछियै।


मगर हमे एकरामेसे एकटा अधिकारके भी प्रयोग नैकैलियौ। हमे यी नैलिखैछियौ कि आब तुहेंसब हमर लिए कुछु कर्हैं। एकदम नै! हमर लिए मरना बढियाँ हैतै! कहिनेकी कोय भी हमरा यी बातके घमण्ड करैसे नैरोके सकैछै कि हमे खुद ही आपन खियाल राखैछियै।


तब हमर इनाम कि छै? आर कुछु भी नै मगर हमर आनन्द यी छै कि ओकरसिसे आपन गुजारा चलाबैके खर्चा पाबैके लिए हमरसंगे अधिकार भेलपर भी बिना आर्थिक सहायताके खुश-खबरी प्रचार कर्बै।


हमरा आर बरनाबासके चुन्ल आर भेज्ल चेला हुऐके कारण अधिकार छै कि हमरसिके कामके लिए आर्थिक सहायता पाबियै।


हमे अनेक रात जागिके, भुख्ल-प्यास्ल रहिके, अक्सर भुख्ल रहिके, जाड आर कपडाके अभावमे रहिके कठिन मेहनत कैलियै आर अनेक कष्ट भोग्लियै छे।


आर जब हमे तोरसिके संगे रहियै आर हमरा धनके कमी भेलै ते, हमे ककरोपर बोझ नैबन्लियै, कहिनेकी विश्वासी भ्यासब माकेडोनिया प्रदेशसे आबिके हमर जरुरत पुरा करिदेल्कै। आर सभे बातमे हमे कोनो भी तरहसे तोरसिके लिए कोनो भी तरहके परेशानी बनैसे बच्लियै आर हमे भविष्यमे भी तोरासिपर बोझ नैबन्बौ।


हमेसब मार खैछियै, जेलमे कैद कैल जैछियै, भीडके उत्पातमे पडैछियै। मेहनत करैछियै, रात-रातभर जाग्ल आर भुख्ल रहैछियै।


अहिने करिके जब हमे थेसलोनिके सहरमे रहियै तखनी भी जब हमरा सहायताके जरुरत पड्लै रहे, तुहेंसब दी बेर दान भेजिके हमरा सहायता कैल्हैं रहे।


आर जब हमेसब आपनसिके परमेश्वर पितासे प्रार्थना करैछियै, विश्वासके खातिर तोरसिके कैल कामसब, विश्वासीसिके प्रेम देखाबैके लिए कैल तोरसिके कडा मेहनत आर प्रभु येशू ख्रीष्टके दोसर आगमनके आशामे तोरसिके भोग्ल सतावटके हमेसब निरन्तर याद करैछियौ।


मगर जेरं तुहेंसब खुद भी जानैछैं, कि हमेसब पहेला फिलिप्पी सहरमे कष्ट भोग्लियै आर उपद्रव सहेलके बाद हमरासिके तोरसिके सहरके आदमीसिके द्वारा घोर विरोध भेलपर भी तोरासिके परमेश्वरके खुश-खबरी सुनाबैके लिए हमरासिके परमेश्वरद्वारा साहास मिल्लै।


हमेसब तोरसिसे या दोसर कक्रहौसे आदर पाबैके कोशिश नैकैलियै छे। हमेसब ख्रीष्टके चुन्ल आर भेज्ल चेला हुऐके कारणसे तोरासिके हमरासिके महत्वपूर्ण आदमीके रुपमे व्यवहार कराबे सक्तियौ।


तोरासिके अमना-समनामे भेट करिके प्रभु येशू ख्रीष्टमे पुरा रुपसे विश्वास करैले सिखाबैके लिए हमेसब रात दिन जोशके साथ प्रार्थना करैछियै।


यी सही शिक्षा आपनसिके अदभुद परमेश्वरके महिमाके विषयमे खुश-खबरीसे सहमत हैछै, जे हमरा प्रचार करैके जिम्मेदारी देल्कै छे।


यी जीवन पाबैके लिए हमेसब संघर्ष आर कडा मेहनत करैछियै, कहिनेकी अपनासब जिन्दा परमेश्वरमे आशा राखैछियै, जे सभे आदमीसिके विशेष करिके ओकरामे विश्वास करेवाला आदमीसिके उद्धारकर्ता छै।


ओरंको मोसामातसब जकरसंगे ओकरसिके जरुरत पुरा करेवाला आर देखभाल करेवाला कोय भी नैछै, ऊसब परमेश्वरमे ही आशा राखैछै आर रात दिन बिन्ती आर प्रार्थनामे परमेश्वरके संगे सहायता माँग्ते रहैछै।


हमे परमेश्वरके धन्यवाद दैछियै, जकरा हमे आर हमर पुर्खासब साफ विवेकके साथ आराधना कैलियै छे। हमे सभे दिन तोर लिए प्रार्थना करैछियै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan