Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ थेसलोनिकी 2:5 - केवट नया कारार

5 तुहेंसब जानैछैं कि हमेसब कहियो चापलूसीके बात नैकैलियै। हमेसब लालची हुऐके कारणसे यी बात नैकैलियै छे आर हमरसिके लालच तोरसिसे आर कक्रहौसे नुकाबैके कोशिश भी नैकैलियै छे। परमेश्वर ही यी बातके गवाही दैछै कि हमेसब ओरंको नैरहियै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ थेसलोनिकी 2:5
34 Iomraidhean Croise  

ऊसब आपन कुछु चेलासिके हेरोद राजाके समर्थन करेवाला आदमीसिके संगे येशू लगत भेजल्कै। ऊसब जैके कहैल्कै, “हे गुरुजी, हमेसब जानैछियै, तुहें सभे दिन सच्चा बात बताबै छह। आदमीसिके सिखाबै बेरियाँ परमेश्वरके रस्ता बढियाँसे देखाबै छह। तुहें यी बातसे नैडराबै छह कि दोसर आदमीसब तोर बारेमे कि सोचैछै, तुहें सभैसे एक समान व्यवहार करैछ।


“हे यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसब आर फरिसी समूहके आदमीसब, तोरसिके लिए यी बहुते भयानक हैतौ! हे ढोंगीसब! कहिनेकी तुहेंसब आदमीसिके लिए परमेश्वरके राज्यके केबाड बन्द करैछैं। तुहेंसब आपनहौं भी भितर नैढुकैछैं, आर ढुके चाहेवालाके भी भितर ढुकैले नैदैछैं।


हमे कोनो आदमीके सोना, चानी या कपडाके लोभ नैकैलियै।


हमे पुरा मनसे ओकर बेटाके बारेमे आदमीसिके खुश-खबरी प्रचार करैछियै, आर परमेश्वर हमर गवाही छै कि हमे हमर प्रार्थनासिमे तोरासिके लगातार याद करैछियौ।


कहिनेकी एरंको आदमीसब आपनसिके प्रभु ख्रीष्टके नै, मगर आपन पेटके लिए सेवा करैछै, आर ओकरसिके मिठ्ठ-मिठ्ठ बोली आर चापलुसीवाला बातसे सिधा-साधा आदमीसिके धोखा दैछै।


आब अगर कुछु भी अपनासिके परमेश्वरके प्रेमसे अलग नैकरे सकैछै ते, इस्राएल देशके हमर यहूदी आदमीसब, परमेश्वरसे कहिने अलग छै? हमरा ओकरसिके लिए बहुते दुःख छै, आर सभे दिन हमर मनमे ओकरसिके लिए दरद महसुस हैछै। वास्तवमे, भला ही हमे खुदपर आरोप लगाबे सकैछियै आर आपने ही यहूदी भ्या-बहिनसिके उद्धारके लिए खुद ख्रीष्टसे अलग हुए सकैछियै, हमे ओकर लिए तैय्यार छियै। हमे ख्रीष्टके गवाह मानिके सच कहैछियौ। पवित्र आत्मा आर हमर विवेक भी गवाही दैछै कि यी सभे बातसब झुठ नैछै।


हमे तोरसिसे आपन लिए धन लियैके लिए तीतस या कोनो दोसर आदमीके इस्तमाल नैकैलियै छे।


हमेसब ऊ आदमीसिके जुगुर नैछियै, जे पैसा कमाबैके लिए परमेश्वरके वचनके प्रचार करैछै। मगर ख्रीष्टमे, हमेसब परमेश्वरके समनामे इमानदार आदमीसब आर ख्रीष्टके सेवकके रुपमे बोलैछियै।


हमेसब शर्मनाक आर गुप्त कामसिके छोडी देलियै छे। नैते हमरसिके स्वभावमे छल-कपट छै आर नैते परमेश्वरके वचनमे हेर-फेर करैछियै। मगर हमेसब परमेश्वरके समनामे खाली सच सिखाबैछियै। सभेकोय गवाही दिए सकैछै कि यी बात सच छै।


आपन पुरा दिलसे हमरासिके प्रेम कर। हमेसब ककरो संगे अन्याय नैकैलियै छे, हमेसब कक्रहौ नै बिगाडलियै छे, हमेसब कोनो आदमीसे फैदा नैउठैलियै छे।


परमेश्वर हमर गवाह छै कि हमे तोरासिके जे लिख्लियौ छे ओकरामे कुछु भी झुठ नैछै।


तुहेंसब खुद ही गवाह छैं आर परमेश्वर भी गवाह छै कि हमेसब परमेश्वरके पसन्द हुएवाला जीवन जिलियै, हमेसब परमेश्वरके समनामे सही रहियै आर कोय भी हमरसिके विरुद्धमे कोनो दोष नैपैल्कै।


ऊसब बेसी नशा करेवाला आदमी आर मार-पीट करेवाला आदमी नै होना चाही। ऊसब दयालु, धीरजी आर शान्त आदमी होना चाही, आर ऊसब वाद-विवाद नैकरेवाला, आर पैसाके लालच नैकरेवाला आदमी होना चाही।


अहिने करिके, मण्डलीके सेवकसब आदर पाबैके योग्यके होना चाही। ऊसब इमानदार होना चाही, आर बेसी नशा करेवाला नै होना चाही। ऊसब दोसर आदमीसिके धोखा द्याके रुपिया-पैसा कमाबेवाला नै होना चाही।


कहिनेकी मण्डलीके देख-रेख करेवाला आदमी परमेश्वरके काम करे पडैके कारणसे दोषरहित होना चाही। ऊ आपन चहेल बात पुरा हुऐके चाहना करेवाला या तुरन्ते रिसाबेवाला या मतवाला या झग्डौहा या धन-दौलतके लिए ठगेवाला नै होना चाही।


जेरंके चरवाहासब आपन भेंडासिके रखवाली करैछै, ओहिने करिके तोरासिके हरेकके रखवाली करना चाही जकरा परमेश्वर तोरसिके देखरेखमे राखल्कौ छे। एकरा स्वेच्छासे कर, कहिनेकी परमेश्वर इहे चाहैछै कि तुहें एरं कर। एरं खाली इहे ल्याके नैकर कहिनेकी तोरासिके एरं करैके लिए मजबूर कैल गेलौ छे। यी काम इहे ल्याके नैकर कहिनेकी तुहेंसब धन कमाबैके लिए चाहैछैं मगर परमेश्वर आर आदमीसिके सेवा करैके इच्छाके साथ कर।


जब ऊसब आदमीसिके सिखाबैछै, ऊसब बेकारके आर घमण्डसे भर्ल शब्दसिके इस्तमाल करैछै। ऊसब आदमीसिके बताबैछै कि ओकरसिके आपन शरीर जे करैले चाहैछै उटा लजलग्गा काम करे सकैछै आर ऊसब आदमीसिके फेरसे पाप करैके लिए भरम्या दैछै जे आदमीसब कुछु समय पहेला ही दुष्ट जीवनशैली त्यागल्कै छे।


यीसब लोभी हैतै आर ऊसब बन्ल बनैल कहानीसब सुन्याके तोरासिके धोखा देतौ ताकी तोरासिसे पैसा कमाबे सकै। परमेश्वर बहुते समय पहेला ही फैसला करि लेल्कै रहे कि ऊ ओकरासिके सजाय देतै आर ऊ एरं करैके लिए तैय्यार छै। परमेश्वर जरुर ओकरासिके नाश करि देतै।


ओकरासिके बहुते भयानक हैतै! कहिनेकी ऊसब कयिनके जुगुर दुष्टतासे आपन जीवनके चलाबैछै, जे आपन छोटका भ्याके जान मारि देल्कै कहिनेकी ऊ ओकरासे जर्नी कर्ते रहै। कहिनेकी परमेश्वर ओकर छोटका भ्याके द्वारा चढैल बलिदानके स्वीकार कैल्कै रहे मगर ओकर चढैल बलिदानके स्वीकार नैकैल्कै रहे। ऊसब बालामके जुगुर छै, जे परमेश्वरके आदमीसिके पाप करैके लिए उक्साबैके कोशिश कैल्कै, ताकी ऊ, उटा दौलतके हासिल करे सकै जकर पेशकश ओकरा कैल गेलै रहे। ऊसब कोरहके जुगुर नाश भ्याजैतै, जेसब उटा अधिकारके विरुद्ध विद्रोह कैल्कै जे अधिकार परमेश्वर मूसाके देल्कै रहे।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan