Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ थेसलोनिकी 2:4 - केवट नया कारार

4 परमेश्वर हमरासिके योग्य सम्झिके खुश-खबरी सौंपल्कै छे। सेल्याके हमेसब आदमीसिके नै, मगर हमरसिके ह्रदय जाँचेवाला परमेश्वरके खुश करैके लिए उपदेश दैछियै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ थेसलोनिकी 2:4
38 Iomraidhean Croise  

प्रभु येशू कहैल्कै, “एकटा विश्वासयोग्य आर बुद्धिमान नोकर ऊ हैछै, जकरा ओकर मालिक आपन परिवारके नोकरसिके सम्हारैले आर ओकरासिके खियाबैके जिम्मेदारी दिये सकैछै।


सेल्याके तुहेंसब संसारिक धन सम्हारैके लिए इमान्दार नैभेल्हैं ते, जरुर ही तुहेंसब स्वर्गके धन सम्हारैके लिए इमान्दार नैहैभैं।


येशू ओकरा तेसर बेर पुछल्कै, “यूहन्नाके बेटा सिमोन कि तुहें हमरा प्रेम करैछैं?” पत्रुस दुःखित भेलै, कहिनेकी येशू ओकरा तेसर बेर पुछल्कै रहे, “कि तुहें हमरा प्रेम करैछैं?” ऊ ओकरा कहैल्कै, “प्रभु, तुहें सभे बात जानैछ। हमे तोरासे प्रीत करैछियै कहिके तोरा मालुम छै।” येशू ओकरा कहैल्कै, “हमर अनुयायीसिके भेंडासिके जुगुर खिया।”


आर परमेश्वर, जे आदमीसिके मनके बुझैछै, ऊ पवित्र आत्माके मन भी बुझैछै। कहिनेकी परमेश्वरके इच्छा मुताबिक पवित्र आत्मा विश्वासीसिके लिए बिन्ती करैछै।


आब कुमारीसिके विषयमे प्रभुसे हमरा कोनो आज्ञा नैमिल्लै छे, “मगर प्रभु आपन दयासे हमरा बुद्धि देल्कै छे जकरापर भरोसा कैल ज्या सकैछै आर ओकरे मुताबिक हमे सल्लाह दैछियै।”


यदि हमे यी काम आपन इच्छासे करैछियै ते हमे इनाम पैबै। मगर यदि परमेश्वर हमरा यी जिम्मेदारी सौंपल्कै छे ते, हमे कोनो इनामके आशा नैकरे सकैछियै।


हमेसब ऊ आदमीसिके जुगुर नैछियै, जे पैसा कमाबैके लिए परमेश्वरके वचनके प्रचार करैछै। मगर ख्रीष्टमे, हमेसब परमेश्वरके समनामे इमानदार आदमीसब आर ख्रीष्टके सेवकके रुपमे बोलैछियै।


हमेसब शर्मनाक आर गुप्त कामसिके छोडी देलियै छे। नैते हमरसिके स्वभावमे छल-कपट छै आर नैते परमेश्वरके वचनमे हेर-फेर करैछियै। मगर हमेसब परमेश्वरके समनामे खाली सच सिखाबैछियै। सभेकोय गवाही दिए सकैछै कि यी बात सच छै।


सेल्याके हमेसब प्रभुके डर मानिके सचमे विश्वास करैके लिए आदमीसिके आग्रह करैछियै। आर परमेश्वर हमरासिके बढियाँसे जानैछै आर हमर आशा यी छै कि तोरसिके विवेक भी हमरासिके बढियाँसे जानैछौ।


इहे ल्याके आब हमेसब कोनो आदमीके बाहरी चीजके आधारपर मूल्याङ्कन नैकरैछियै। पहेला हमेसब ख्रीष्टके भी बाहरी चीजके आधारपर मूल्याङ्कन कैलियै रहे, मगर आब हमेसब ओकरा ओरंके नैदेखैछियै। आब हमेसब ओकरा जानी गेलियै छे।


स्पष्ट रुपसे, हमे आदमीसिके खुश करैके कोशिश नैकरैछियै मगर हमे परमेश्वरके खुश बनाबैले चाहैछियै। हमे सचमे आदमीसिके खुश करैके कोशिश नैकरैछियै। अगर हमे आरहौ भी आदमीसिके खुश बनाबैके कोशिश कर्तियै ते हमे ख्रीष्टके सेवक नैहैतियै।


मगर ऊ अगुवासब बुझी गेलै कि परमेश्वर जेरंके पत्रुसके यहूदी आदमीसिके खुश-खबरी प्रचार करैके लिए नियुक्त कैल्कै ओहिने करिके ऊ हमरा गैर-यहूदी आदमीसिके खुश-खबरी प्रचार करैके लिए नियुक्त कैल्कै।


हमे परमेश्वरके सभे आदमीसिमेसे सभैसे कम महत्वपूर्ण छियै। मगर परमेश्वर हमरापर अनुग्रहकारी रहै कि हमे गैर-यहूदी आदमीसिके खुश-खबरी सुनाबे सक्लियै कि ख्रीष्ट अपार आशिषके मूल छै, जे समझसे बाहार छै।


यी कामसब खाली मालिकके देखाबैके लिए या ओकरासिके खाली खुश बनाबैके मकसदसे नै मगर ख्रीष्टके सेवकसिके जुगुर काम कर, जेसब आपन पुरा मनसे उहे करैछै जे परमेश्वर चाहैछै कि ऊसब करै।


हे नोकरसब, सभे बातमे तोर यी संसारमे मालिकसिके आज्ञापालन कर। मालिकके खुश करैके विचारसे खाली आँखीके समनामे नै, मगर इमानदारी आर परमेश्वरके डर राखिके आज्ञापालन कर। कहिनेकी तुहेंसब प्रभु येशू ख्रीष्टके आदर करैछैं।


तिमोथी परमेश्वरके देल काम करैके लिए सुनिश्चित कर। ईश्वरहीन आर बेकारके बातसब आर परमेश्वरके सच्चा शिक्षाके विरोध करेवाला शिक्षासिसे दूर र, जकरा ऊसब गलत तरिकासे “ज्ञान” कहैछै।


अपनासिमे रहेवाला पवित्र आत्माके द्वारा तोरा सौंप्ल परमेश्वर तोरा देल सन्देशके रक्षा कर।


तुहें हमरा बहुते आदमीसिके समनामे ख्रीष्टके विषयमे सन्देश सिखैते सुन्लहैं छे। सेल्याके, हमे चाहैछियै कि तुहें भी आपन भरोसा कैल दोसर विश्वासीसिके इहे सन्देश सिखा, आर ऊ विश्वासीसब भी दोसर विश्वासीसिके इहे सन्देश सिखाबैके योग्य हैतै।


आर आब सही समयमे, परमेश्वर यी खुश-खबरी प्रकट कैल्कै आर हमेसब सभे आदमीसिके यी बातके प्रचार करैछियै। आपनसिके उद्धारकर्ता परमेश्वर हमर प्रचारके कामद्वारा यी आज्ञा देते हमरा जिम्मेदारी देल्कै कि हमे ओकर खातिर यी काम करियै।


सारा सृष्टिमे कोनो भी आदमी परमेश्वरके नजरसे नुकैल नैछै। आर जे कुछु भी अपनासब आपन जीवनकालमे कैलियै छे, अपनासिके परमेश्वरके उटा सभे कामके हिसाब दिए पड्तै। ओकर समनामे सभे बात खुल्ला छै आर झाँप्ल नैछै।


उदाहरणके लिए, यदि तोरलगत प्रचार करैके वरदान छौ ते, तोरा परमेश्वरके सन्देशसिके प्रचार करना चाही। यदि तोरलगत दोसर आदमीसिके सहायता करैके वरदान छौ ते, यी उटा सामर्थ्यके साथ कर जे परमेश्वर तोरा दैछौ। तब फेर जे कुछु भी तुहेंसब कर्भैं उटा येशू ख्रीष्टके द्वारा परमेश्वरके महिमा दिलैतै। सभे महिमा आर सामर्थ्य सभे दिनके लिए ओकर छै! आमेन।


हमे ऊ आदमीसिके जान मारि देबै जेसब ओकर शिक्षाके अनुसरण करैछै आर सभे मण्डली जानी जैतै कि हम्हीं छियै जे हरेक आदमीके विचारसिके आर मकसदसिके जाँच करैछियै। हमे तोरसिमेसे हरेकके ओकर कामके मुताबिक प्रतिफल देबौ।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan