Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ थेसलोनिकी 2:11 - केवट नया कारार

11 तुहेंसब जानैछैं, जेरंके बाबु आपन बाल-बच्चासिके संगे व्यवहार करैछै, ओहिने करिके हमेसब भी तोरसिके संगे व्यवहार कैलियौ। हमेसब तोरासिमेसे हरेकके उत्साह देलियौ आर सान्त्वना देलियौ आर सम्झैलियौ।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ थेसलोनिकी 2:11
40 Iomraidhean Croise  

लाजरस जैके हमर पाँचटा भ्यासिके एत्ते भेल सभे बात सुन्याके चेतावनी दै आर ऊसब यी नरकमे नैआबै।’


ओत्ते पहुँचलके बाद ऊ जगह-जगहमे जैके प्रभुके चेलासिके हौसलासे परिपूर्ण शिक्षा देल्कै। तकरबाद ऊ यूनान प्रदेशमे पहुँचलै, जकरा अखैया प्रदेश भी कहैछै आर तीन महिनातक ओथै रहलै।


सेल्याके प्रभु हमरा देल अधिकारके साथ हमे तोरासिके यी बताबैछियौ कि जेरं अविश्वासी आदमीसब ओकरसिके बेकारके विचारके साथ आपन रीतिमे चलैछै, आब तुहेंसब फेर एरं जीवन नैजिते र।


मगर जेरंके मयाँ आपन बाल-बच्चाके पालन-पोषण करैछै, ओहिने करिके हमेसब भी तोरसिके संगे कोमल भेलियौ छे।


अन्तमे हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमेसब तोरासिके प्रभु येशूके नाममे आग्रह करैछियौ कि जेरंके हमेसब तोरासिके सिखैलियौ छे, परमेश्वरके खुश करेवाला जीवन जी। तुहेंसब पहलहैसे एरंके जीवन जियैछैं, आर हमेसब तोरासिके एरंके जियैके लिए आरहौ बेसी उत्साह दैछियौ।


एरं करिके, कोय भी आपन विश्वासी भ्या-बहिनके विरुद्धमे पाप नैकरक आर ओकर फैदा नैउठाबक कहिनेकी प्रभु येशू एरंको सभे काम करेवाला आदमीसिके सजाय देतै। हमेसब तोरासिके एकर बारेमे पहलहै साफसे कहैलियौ रहे आर गम्भीर चेतावनी देलियौ रहे।


सेल्याके जेरंके तुहेंसब एखन करैछैं, एक दोसरके उत्साह दहैं, आर एक दोसरके येशूमे मजगुतसे विश्वास करैके लिए सहायता कर।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे तोरासिके आग्रह करैछियौ कि कोढियासिके चेतावनी दहैं। घबराबेवालासिके उत्साह दहैं। कमजोरसिके मदत कर। ऊ सभैके संगे धीरजके साथ व्यवहार कर।


हमे तोरसिके संगे रहै बेरियाँ तोरासिके अक्सर कहेल यी बातसब नैभुल।


एरंको आदमीसिके हमेसब हमरसिके प्रभु येशू ख्रीष्टसे मिल्ल अधिकारसे आज्ञा आर उपदेश दैछियै, कि ऊसब शान्तिपूर्वक आपन काम करिके जियैके लिए पैसा कमाबक।


परमेश्वर आर येशू ख्रीष्टके समनामे आर चुन्ल स्वर्गदूतसिके समनामे हमे तोरा कडा आज्ञा दैछियौ कि कोनो भेदभाव आर पक्षपात नैकरिके यी नियमसब तुहें पालन कर।


यी निर्देशनसब विश्वासीसिके बता जकर कारणसे कोय भी ओकरासिके दोष नैलगैतै।


सभैके जीवन दिएवाला परमेश्वरके आर पन्तियस राज्यपाल पिलातसके समनामे मुकदमा चलैके समयमे दृढताके साथ बोलेवाला येशू ख्रीष्टके गवाह बन्याके हमे तोरासिके आज्ञा दैछियौ,


यी संसारके मातबर आदमीसिके आदेश दहैं कि ऊसब घमण्डी नैबनै आर अस्थाई धन-दौलतमे ऊसब आपन आशा नैराखै, मगर उदारताके साथ अपनासिके सभे चीज दिएवाला परमेश्वरमे भरोसा राखक ताकी हमेसब आनन्दित हुए सकियै।


दाससिके आपन विश्वासी मालिकसिके आदर दिए पडैछै कहिनेकी ऊसब ख्रीष्टमे भ्या-भैय्यारीसब छै आर ऊ दाससब आपन मालिकसिके लिए आरहौ बेसी बढियाँसे काम करक, कहिनेकी ऊ मालिकसब जकर लिए दाससब काम करैछै ऊसब भी विश्वासीसब छै आर ऊ मालिकसब ओकरासिके बहुते प्रेम करैछै। ओकरासिके इहे नियमसिके शिक्षा दहैं आर उटा पालन करैके लिए उत्साह दहैं।


सेल्याके तीतस, हमे चाहैछियै कि हमर कहेल यी सभे बातसब तुहें क्रेट टापुमे भेल विश्वासीसिके सिखा। आपन आदमीसिके जते जरुरी छै ओत्ते सही कर्ते यी बातसब करैके लिए उत्साह दहैं। यी करैके लिए तोरलगत अधिकार छौ। निश्चित कर कि तोर सिखैल बातके कोय भी बेवास्ता नैकरौ।


ओहिने करिके जवान आदमीसिके भी आग्रह कर कि ऊसब संयमी बनै।


तोर मण्डलीमे भेल दाससिके सभे दिन ओकरसिके आपन-आपन मालिकसिके आज्ञा मानैके लिए सिखा। ओकरासिके कहैं कि आपन मालिकसिके खुश करै आर आपन कामके विषयमे मालिकके उन्ट्याके जबाब नैदै।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे तोरासिके बिन्ती करैछियौ कि, यी सन्देशके धीरजसे सुन जे हमे तोरासिके उत्साहित करैके लिए लिख्लियौ छे।


जब हमे सुनैछियै कि जेसब हमर बेटाबेटीसिके जुगुर छै ऊसब परमेश्वरके सच्चाईके मुताबिक जियैछै, तब उटा बात हमरा आरहौ बेसी खुशी बनाबैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan