हमेसब शर्मनाक आर गुप्त कामसिके छोडी देलियै छे। नैते हमरसिके स्वभावमे छल-कपट छै आर नैते परमेश्वरके वचनमे हेर-फेर करैछियै। मगर हमेसब परमेश्वरके समनामे खाली सच सिखाबैछियै। सभेकोय गवाही दिए सकैछै कि यी बात सच छै।
तुहेंसब जानैछैं कि हमेसब कहियो चापलूसीके बात नैकैलियै। हमेसब लालची हुऐके कारणसे यी बात नैकैलियै छे आर हमरसिके लालच तोरसिसे आर कक्रहौसे नुकाबैके कोशिश भी नैकैलियै छे। परमेश्वर ही यी बातके गवाही दैछै कि हमेसब ओरंको नैरहियै।
एरंको व्यवहार कर कि कोय भी तोरासिके अनादर नैकरौ कहिनेकी तुहेंसब जवान छैं, मगर तोरसिके बोल्ल वचनद्वारा, तोरसिके व्यवहारद्वारा, दोसर आदमीसिके प्रति प्रेमद्वारा, ख्रीष्टमे तोरसिके भरोसाद्वारा आर तोरसिके पापरहित जीवनद्वारा विश्वासीसिके लिए तोरासिके एकटा उदाहरण बने पड्तौ।
मगर तिमोथी, तोरा बढियाँसे मालुम छौ कि हमे कि सिखाबैछियै आर केरंके जियैछियै, हमर जीवनके मकसद कि छै आर हमे कि विश्वास करैछियै। तोरा मालुम छौ कि हमे धीरज धारण करैछियै आर सभे प्रकारके आदमीसिके प्रेम करैछियै, हमे कठिनाईसब सहलियै छे।