Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ थेसलोनिकी 1:5 - केवट नया कारार

5 कहिनेकी येशू ख्रीष्टके बारेमे हमरसिके खुश-खबरी तोरसिकेलगत खाली बोलीमे नैऐलौ, मगर पवित्र आत्माके शक्तिमे आर ऊ सच छै कहिके पुरा निश्चयताके साथ ऐलौ छे। तुहेंसब जानैछैं कि तोरसिके कल्याणके लिए तोरसिके बीचमे रहै बेरियाँ हमरसिके चालचलन केरं रहै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ थेसलोनिकी 1:5
60 Iomraidhean Croise  

तब चेलासब सभे जगहमे गेलै आर सभे आदमीसिके बीचमे खुश-खबरीके प्रचार कैल्कै। प्रभु ओकरासिके सहायता कैल्कै आर शक्तिशाली कामद्वारा वचनके साबित कैल्कै कि ओकरसिके सन्देश सच्चा रहै। आमेन।


अति माननीय थियोफिलसके लिए, बहुते आदमीसब आपनसिके बीचमे घटिके पुरा भेल घटनासिके विवरण लिखैके कोशिश कैल्कै।


प्रभुके शक्ति ओकरसिके संगे रहै आर बहुते गैर-यहूदी आदमीसब ओकरसिके सन्देशमे विश्वास कैल्कै आर प्रभु येशूमे भरोसा करे लाग्लै।


हमरसिके बात सुनेवालासिमेसे लिडिया नामके एकटा जनानी रहै। ऊ थिआटिरा सहरके निवासी रहै आर बैगनी रंगके कपडाके व्यापार कर्ते रहै। ऊ परमेश्वरके भक्ति करेवाला एकटा भक्त जनानी रहै। पावलके कहेल बात ध्यानसे सुनै कहिके प्रभु ओकर मन खोली देल्कै।


आब ऊ स्वर्गमे परमेश्वर पिताके दहिना हातके बगल स्वर्गके सबसे सम्मानके जगहमे विराजमान छै। आर परमेश्वर पिता आपन प्रतिज्ञाके मुताबिक येशूके पवित्र आत्मा देल्कै आर ऊ पवित्र आत्मा हमरासिके देल छै जेरं कि ऐज तुहेंसब देखैछ आर सुनैछै।


कहिनेकी हमे ख्रीष्टके खुश-खबरीमे गर्व करैछियै। आपन शक्तिसे परमेश्वर ऊ सभे आदमीके उद्धार करैछै जे यी खुश-खबरीपर विश्वास करैछै, सभैसे पहेला यहूदी आदमीसिके आर ऊसब भी जेसब गैर-यहूदी आदमीसब छै।


हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर जे आशाके दाता छै, ऊ तुहेंसब विश्वास करैके कारणसे तोरासिके पुरा तरिकासे खुशी आर शान्तिके आनन्द लियैके लिए सहायता करौ ताकी पवित्र आत्माके शक्तिसे तोरसिके आशा बढते जौ।


यी सभे उटा दिन हैतै जब परमेश्वर हमर प्रचार कैल खुश-खबरीके मुताबिक येशू ख्रीष्टद्वारा आदमीसिके गुप्त कामके इन्साफ कर्तै।


मगर जकरा परमेश्वर ओकर आदमी हुऐके लिए बोलैल्कै, चाहे यहूदी आदमीसब है, या गैर-यहूदी आदमीसब है, इहे ख्रीष्ट परमेश्वरके शक्ति आर बुद्धि छै।


हमर देख-सिख्खा कर। हमे जे भी करैछियै, दोसर आदमीसिके खुश बनाबैके कोशिशमे करैछियै कहिनेकी हमे आपन भलाइ नैसोचैछियै मगर दोसर आदमीसिके भलाइके बारेमे सोचैछियै ताकी ऊसब आपन पापके सजायसे बचे सकै।


तोरासिके जरुर मालुम छौ कि तुहेंसब परमेश्वरके मन्दिर छैं, आर परमेश्वरके पवित्र आत्मा तोरासिमे बास करैछौ।


जेरंके एकटा आदमी जमिनमे बिहन बुनैछै, ओहिने करिके हमे तोरासिके परमेश्वरके सन्देश सुनाबेवाला पहेला आदमी रहियौ। तकरबाद, जेरंके दोसर आदमी बढेवाला गाछमे पानी पटाबैछै, ओहिने करिके अपोल्लोस तोरासिके विश्वासमे मजगुत बनाबैके लिए सहायता कैल्कौ। मगर जेरंके परमेश्वर गाछके बढाबैछै, ओहिने करिके परमेश्वर तोरासिके नया जीवन देल्कौ आर तोरासिके आत्मिक रुपमे बढाबैछौ।


कहिनेकी परमेश्वरके राज्य आदमीसब आपन जीवनमे जे बोलैछै ओकरासे नै मगर ओकरसिके कैल शक्तिशाली कामसे प्रकट हैछै।


ओहिने करिके प्रभु भी आज्ञा देल्कै छे कि खुश-खबरी प्रचार करेवाला आदमीसिके गुजारा खुश-खबरी सुनेवाला आदमीसिके द्वारा ही होना चाही।


जे हमरासिके नया करारके सेवक हुऐके क्षमता देल्कै छे, यी करार लिख्ल विधि-विधानके नै मगर पवित्र आत्माके छै। कहिनेकी मूसाके लिख्ल विधि-विधानके पालन करैके परिणाम मौत छै मगर पवित्र आत्मा कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दैछै।


परमेश्वर हमरा ओत्ते जैके लिए कहैके कारणसे हमे ओत्ते गेलियै। जब हमे ओत्ते रहियै ते हमे अगुवासिसे व्यक्तिगत रुपसे भेट कैलियै आर ओकरासिके उटा खुश-खबरीके विषयमे बतैलियै जे हमे गैर-यहूदी आदमीसिके बीचमे प्रचार कर्ते रहियै। ताकी एरं नैहै कि पहेला जे हमे कैलियै रहे आर जे हमे एखन आरहौ कर्बै, ओकर कोनो नतिजा नैमिल्तै।


हमे एरं कहे सकैछियै कहिनेकी अपनासिके पवित्र आत्माके द्वारा पुरा आशा मिल्ल छै कि परमेश्वर अपनासिके धर्मी घोषित कर्तै कहिनेकी अपनासब ख्रीष्टमे विश्वास करैछियै।


कहिनेकी अपनासब परमेश्वरके सृष्टि छियै, ख्रीष्ट येशूमे बढियाँ काम करैके लिए अपनासिके नया आदमीके रुपमे सृष्टि कैल गेलै जकरा परमेश्वर पहलहैसे अपनासब करियै कहिके तैय्यार कैल्कै रहे।


आब परमेश्वरके महिमा है! ओकर अदभुद शक्तिके द्वारा जे आपनसिके भितरमे काम करैछै, ऊ अपार रुपसे आपनसिके आशा कैल आर माँगैसे बेसी काम पुरा करैके योग्य छै।


कहिनेकी परमेश्वर तोरासिमे काम करैछौ, तोरासिके उटा काम करैके इच्छा आर शक्ति दैछौ जे काम ओकरा खुश करैछै।


हमर बोली आर काम दोनोसे तुहेंसब जे बात सिख्लहैं आर पैल्हैं उटा आपन व्यवहारमे देखा। तब शान्ति दिएवाला परमेश्वर तोरसिके साथमे रहतौ।


हमे कठिन मेहनत करैछियै कहिनेकी हमे तोरासिके सभैके आत्मिक रुपसे उत्साह दियैले चाहैछियै, आर तोरसिके एक दोसरके प्रतिके प्रेम तोरासिके एक बनैतौ। हमे चाहैछियै कि ऊसब पुरा भरोसा राखै कहिनेकी ऊसब परमेश्वरके रहस्यमय योजनाके पुरे बुझ्ल छै, जे ख्रीष्ट आपनहैं छै।


सेल्याके हमेसब भी परमेश्वरके धन्यवाद निरन्तर करैछियै, कि जब तुहेंसब परमेश्वरके खुश-खबरीके सन्देश सुन्लहैं, जे हमेसब तोरासिके प्रचार कैलियौ ते, तुहेंसब ओकरा आदमीसिके नै, मगर परमेश्वरके वचन सम्झलहैं आर यी सन्देश परमेश्वरके तरफसे छै कहिके स्वीकार कैल्हैं। आर यी सन्देश जे परमेश्वरके तरफसे छै आब तोरासिमे काम करैछौ, जेसब ख्रीष्टमे विश्वास करैछैं।


परमेश्वर हमरसिके प्रचार कैल खुश-खबरीके तोरासिके उद्धार पाबैके लिए प्रयोग कैल्कै ताकी आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके आदरमे तुहेंसब भी सामिल हुए सक्हैं।


सेल्याके परमेश्वरसे चुन्ल आदमीसिके फैदाके लिए हमे सभे दुःख सहैछियै, ताकी उहोसब भी येशू ख्रीष्टमे विश्वास करे सकै आर बचे सकै, आर सभे दिन रहेवाला आदर ऊसब पाबे सकै।


येशू ख्रीष्ट के छै कहिके सभे दिन याद राख। ऊ दाऊद राजाके सन्तान छै। परमेश्वर ओकरा मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै, आर आदमीसिके प्रचार करेवाला हमर खुश-खबरी इहे छै।


आपनसिके हृदयके ऊ आपन खूनसे पवित्र बनैल्कै ताकी अपनासब जाने सकियै कि आब अपनासिमे कोनो गल्ती नैछै। आपनसिके शरीरके ऊ पानीसे लुहैल्कै, यी चिन्हके रुपमे कि ऊ अपनासिके शुद्ध करिदेल्कै छे। सेल्याके, हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, अपनासब आपनसिके पुरा मन आर एरंको विश्वासके साथ परमेश्वरके नज्दिक चल जे आब हिलेवाला नैछै।


हमरसिके बडका इच्छा छै कि जबतक तुहेंसब जिन्दा रहभैं, तबतक तुहेंसब प्रेमपूर्ण सेवाके काम कर्ते रहभैं, यी सुनिश्चित करैके लिए कि जे तुहेंसब आशा करैछैं उटा सच भ्याजैतै। तब तुहेंसब लापरवाह नै बन्भैं। बरु तुहेंसब ऊ आदमीसिके उदाहरणके अनुसरण कर्भैं जेसब आपन विश्वास आर धीरजके कारण परमेश्वरके प्रतिज्ञाके प्राप्त करेवाला छै।


मगर परमेश्वर यी आपन वक्तासिके बतैल्कै कि ओकरसिके सन्देश ओकरसिके लिए नै मगर तोरसिके लिए रहै। उटा सन्देश येशू ख्रीष्टके विषयमे खुश-खबरी छै जे एखन तुहेंसब सुन्लहैं छे। परमेश्वर स्वर्गसे आपन पवित्र आत्मा भेजल्कै ताकी तोरासिके खुश-खबरी प्रचार करैमे आदमीसिके सहायता करै। यी सभे बात एतनें अदभुद छै कि एत्तेतक कि स्वर्गदूतसब भी उत्सुकतासे यी चीजसिके हैते हुए देखैछै।


आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके पिता आर परमेश्वरके धन्यवाद है। परमेश्वर आपनसिके प्रति आपन बडका दयासे अपनासिके एकटा नया जीवन देल्कै छे। कहिनेकी परमेश्वर येशू ख्रीष्टके मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै, ऊ अपनासिके बहुते आत्मविश्वासके साथ जियैके योग्य बनैल्कै छे, यानिकी अपनासब उटा चीजसिके प्राप्त करैके पुरा आशा करे सकैछियै जे ऊ अपनासिके दियैके प्रतिज्ञा कैल्कै छे।


तोरसिके जिम्मामे देल आदमीसिपर शासकके जुगुर हुकुम नैचला, मगर ओकरसिके लिए बढियाँ उदाहरण बन।


सेल्याके हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, अपने आपके आर दोसर आदमीसिके यी देखाबैके लिए आरहौ भी बढियाँ व्यवहार करैके कडा मेहनत कर कि परमेश्वर तोरासिके वास्तवमे चुनल्कौ छे आर तोरासिके आपन आदमी हुऐके लिए बोलैल्कौ छे। यदि तुहेंसब एरं कर्भैं ते तुहेंसब निश्चित रुपसे परमेश्वरसे अलग नैहैभैं।


हमेसब भी जानैछियै कि ख्रीष्टके विषयमे परमेश्वरके वक्तासब जे वचन लिखल्कै रहे, ऊ सभे सच्चा छै आर जे हमेसब तोरासिके ऊ फेर वापस आबैके विषयमे सिखैलियौ रहे ऊसब ओकर पुष्टि करैछै। तोरासिके उटा वचनसिके बढियाँसे सुनना चाही, कहिनेकी जेरंके अनहारमे चमक्ल चिराग आदमीसिके सही रस्ता देखैमे सहायता करैछै, ओहिने करिके यी वचन तोरासिके यी जानैमे सहायता कर्तौ कि सच कि छै। आपनसिके प्रभु ख्रीष्ट फेर वापस आबैतक तोरासिके उटा वचनसिके बढियाँसे सुनना चाही। ओकर आना नया दिनके भरौवाके जुगुर उजेत आन्तै आर ऊ भरौवाके ताराके जुगुर हैतै। उटा समयमे ओकर उजेत तोरसिके हृदयसिमे चमक्तौ आर तोरसिके समनामे परमेश्वरके साफसे प्रकट कर्तौ।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan