Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ थेसलोनिकी 1:4 - केवट नया कारार

4 आर हे विश्वासी भ्यासब, परमेश्वरसे प्रेम कैल गेल आदमीसब, हमरासिके मालुम छै कि परमेश्वर तोरासिके ओकर आदमीसब हुऐके लिए चुनल्कौ छे।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ थेसलोनिकी 1:4
14 Iomraidhean Croise  

हमे यी चिट्ठी रोम सहरमे भेल तुहेंसब सभैके लिखैछियौ जकरा परमेश्वर प्रेम करैछै आर ओकर सन्तसब हुऐके लिए बोलैल छैं: हमे प्रार्थना करैछियौ कि आपनसिके परमेश्वर पिता आर प्रभु येशू ख्रीष्ट तोरासिके अनुग्रह आर शान्ति दौ।


गैर-यहूदी आदमीसिके विषयमे परमेश्वर आपन वक्ता होशेके किताबमे कहैछै, “जेसब हमर प्रजा नैरहै, ओकरासिके हमे हमर प्रजा कहबै। आर जकरा हमे प्रेम नैकैलियै रहे, ओकरा हमे हमर प्यारा कहबै।”


यानिकी परमेश्वर संसार बनाबैसे पहेला ही अपनासिके ख्रीष्टके कारण आपन प्रजा हुऐके लिए चुनल्कै। ताकी अपनासब ओकर समनामे पवित्र आर दोषरहित हुए सकियै।


सेल्याके परमेश्वर तोरासिके आपन आदमी हुऐके लिए चुन्लकौ छे आर तोरासिके प्रेम करैछौ, इहे ल्याके तुहेंसब करुणा, दया, दीनता, नम्रता आर धीरज धारण कर।


आर जब हमेसब आपनसिके परमेश्वर पितासे प्रार्थना करैछियै, विश्वासके खातिर तोरसिके कैल कामसब, विश्वासीसिके प्रेम देखाबैके लिए कैल तोरसिके कडा मेहनत आर प्रभु येशू ख्रीष्टके दोसर आगमनके आशामे तोरसिके भोग्ल सतावटके हमेसब निरन्तर याद करैछियौ।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, एत्ते तोरसिके लिए परमेश्वरके समनामे हमरसिके सभे दिन धन्यवाद देना सही छै। तुहेंसब प्रभुके प्यारा छैं, कहिनेकी परमेश्वर संसारके सृष्टिके शुरुसे ही पवित्र आत्माद्वारा तोरासिके पापसे अलग करिके आर येशू ख्रीष्टके बारेमे सच्चा सन्देशमे विश्वास करैके कारण उद्धारके लिए चुनी लेल्कौ छे।


परमेश्वर पिता बहुते पहेला ही तोरासिके आपन आदमी बनाबैके लिए आर पवित्र आत्माके कामके द्वारा तोरासिके पवित्र बनाबैले चुनैके फैसला कैल्कै रहे। ऊ एरं इहे ल्याके कैल्कै ताकी तुहेंसब येशू ख्रीष्टके आज्ञापालन करहैं आर ओकर खूनके द्वारा शुद्ध हुए सक्हैं। हमे प्रार्थना करैछियौ कि परमेश्वर तोरासिके बहुते अनुग्रह आर शान्ति दौ।


सेल्याके हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, अपने आपके आर दोसर आदमीसिके यी देखाबैके लिए आरहौ भी बढियाँ व्यवहार करैके कडा मेहनत कर कि परमेश्वर तोरासिके वास्तवमे चुनल्कौ छे आर तोरासिके आपन आदमी हुऐके लिए बोलैल्कौ छे। यदि तुहेंसब एरं कर्भैं ते तुहेंसब निश्चित रुपसे परमेश्वरसे अलग नैहैभैं।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan