१ थेसलोनिकी 1:3 - केवट नया कारार3 आर जब हमेसब आपनसिके परमेश्वर पितासे प्रार्थना करैछियै, विश्वासके खातिर तोरसिके कैल कामसब, विश्वासीसिके प्रेम देखाबैके लिए कैल तोरसिके कडा मेहनत आर प्रभु येशू ख्रीष्टके दोसर आगमनके आशामे तोरसिके भोग्ल सतावटके हमेसब निरन्तर याद करैछियौ। Faic an caibideil |
विश्वासेद्वारा अब्राहम इसहाकके एकटा बलिदानके रुपमे परमेश्वरके चढ्या देल्कै जब कि परमेश्वर ओकर जचना लेते रहै। परमेश्वर अब्राहमसे कहैल्कै रहे, “इसहाक ऊ बेटा छौ जकरद्वारा तोर वंशके नाम रहतौ।” अब्राहमके परमेश्वरके तरफसे यी प्रतिज्ञा मिल्लै रहे, तैय्योपर भी ऊ आपन एकलौता बेटाके बलिदान चढाबैके लिए तैय्यार रहै, जे परमेश्वरके प्रतिज्ञाके पुरा करे सक्ते रहै।
हमे जानैछियै कि तुहें पुरा मेहनतसे हमर काम करैछैं, तुहें एक दोसरसे प्रेम करैछैं आर हमरापर मजगुतीसे विश्वास करैछैं। हमे जानैछियै कि तुहें केरंके एक दोसरके सहायता कैल्हैं छे आर तोर सहैके क्षमता भी जानैछियौ। हमे जानैछियै तुहें आब यी बढियाँ काम उटा समयसे बेसी करैछैं जब तुहें हमरापर पहेला बेर विश्वास कैल्हैं रहे।