Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ थेसलोनिकी 1:10 - केवट नया कारार

10 आर ऊसब तुहेंसब केरंके स्वर्गसे परमेश्वरके बेटा फेरसे वापस आबैके रस्ता देखैछैं कहिके कहैछै, यानिकी येशू, जकरा परमेश्वर मुर्दासे फेर जिन्दा बनैल्कै। उहे ही अपनासिके आबेवाला परमेश्वरके क्रोधसे बचाबैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ थेसलोनिकी 1:10
46 Iomraidhean Croise  

ऊ एकटा बच्चा जनमैतौ आर तुहें ओकर नाम येशू राखिहैं, कहिनेकी ऊ आपन आदमीसिके ओकरसिके पापसे बचैतै।”


कहिनेकी हमे, आदमीके बेटा आपन पिताके महिमामे आपन स्वर्गदूतसिके संगे ऐबौ आर उटा समयमे ऊ सभे आदमीके ओकर काम मुताबिकके इनाम देबौ।”


फेर येशू आदमीसिके भीड आर आपन चेलासिके कहैल्कै, “तोरासिमेसे कतनें झन एत्ते खडा छैं, जेसब हमे, आदमीके बेटाके हमर राज्यमे ऐल नैदेखै तक ऊसब नैमर्तै।”


मगर फरिसी समूहके आदमीसब आर सदुकी समूहके आदमीसिमेसे बहुते आदमीसिके बप्तिस्मा लिए ऐते देखिके ऊ ओकरासिके कहैल्कै, “तुहेंसब जहरिला साँपके जुगुर दुष्ट छैं! तुहेंसब जे एखनिहौं तक पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन नैलगैलहैं छे, तैय्योपर तोरासिके के सिख्या देल्कौ कि परमेश्वरसे आबेवाला सजायसे बची जैभैं?


ऊ समयमे यरूशलेम सहरमे शिमियोन नामके एकटा आदमी रहै, जे धर्मी आर भक्त रहै। ऊ बेसबरीसे येशूके आबैके इन्तजार कर्ते रहै कि ऊ आबिके इस्राएलीसिके सान्त्वना दै। पवित्र आत्मा ओकरपर रहै।


बहुते आदमीसब यूहन्नाके लगत बप्तिस्मा लियैले ऐलै। मगर यूहन्ना ओकरासिके कहैल्कै, “तुहेंसब जहरिला साँपके जुगुर दुष्ट छैं! तुहेंसब जे एखनिहौं तक पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन नैलगैलहैं छे, तैय्योपर तोरासिके के सिख्या देल्कौ कि परमेश्वरसे आबेवाला सजायसे बची जैभैं?


ऊसब कहैल्कै, “हे गालील जिलाके रहेवाला आदमीसब, तुहेंसब खडा भ्याके आकाशमहर कहिने देखैछैं? इहे येशू जकरा परमेश्वर तोरसिके लगतसे स्वर्गमे ल्यागेलै, एखन जेरं तुहेंसब ओकरा स्वर्गमे गेल देख्लहैं छे, ओहिने करिके ऊ फेर वापस ऐतै।”


कहिनेकी ऊ एक दिन तय करिदेल्कै छे, जे दिन ऊ आपन चुन्ल एकटा आदमीके द्वारा धार्मिकतासे संसारके आदमीसिके फैसला कर्तै। ओकरा मुर्दासे जिन्दा बन्याके ऊ यी बातके सबूत सभे आदमीसिके देल्कै छे।”


तैय्योपर परमेश्वर ओकरा मौतके बाद फेरसे जिन्दा करिदेल्कै। येशू मर्लै मगर परमेश्वर ओकरा मर्ले रहैले नैदेल्कै। कहिनेकी ओकर लिए मौतके वशमे रहना सम्भव नैरहै।


इहे येशूके परमेश्वर जिन्दा कैल्कै, आर यी बातके हमेसब गवाह छियै।


आर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दिएवाला स्रोतके तुहेंसब मार्लह जकरा परमेश्वर मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै, हमेसब यी बातके गवाह छियै।


मगर बहुते समय पहेला परमेश्वर आपन वक्तासिके द्वारा आदमीसिके यी प्रतिज्ञा कैल्कै कि येशूके स्वर्गमे उटा समयतक रहना जरुरी छै जब परमेश्वर ऊ सभे चीजसिके नया बन्या देतै जे ऊ बनैल्कै छे।


ते तुहेंसब सभेको आर सभे इस्राएलीसब जानी ल्या कि नासरत गाँवमे रहेवाला येशू ख्रीष्टके नामसे कैलियै छे। उहे येशूके तुहेंसब क्रूसमे चढ्या देल्ह रहे, मगर परमेश्वर ओकरा मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै। ऐज ओकरे नामके द्वारा यी आदमी तोरसिके समनामे भला चंगा खडा छै।


पवित्र आत्माके शक्तिद्वारा येशू ख्रीष्ट मुर्दासे जिन्दा भेलै। यी तरिकासे परमेश्वर साफसे देखैल्कै छे कि येशू परमेश्वरके बेटा छै।


धीरजके साथ बढियाँ काम करिके महिमा, इज्जत आर अमरता खोजेवाला आदमीके परमेश्वर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देतै।


येशू आपनसिके पापके लिए मर्लै आर परमेश्वर अपनासिके धर्मी घोषित करैके लिए येशूके मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै।


कोय भी आपनसिके निन्दा नैकरे सकैछै कहिनेकी ऊ येशू ख्रीष्ट छै, जे आपनसिके लिए मर्लै आर मुर्दासे जिन्दा बनैल गेलै रहे, आर परमेश्वरके दहिना हातके बगलमे छै, आर आपनसिके तरफसे आपनसिके लिए भी बिन्ती करैछै।


इहे कारणसे तुहेंसब आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके फेर वापस आबैके इन्तजार करैबेरियाँ पवित्र आत्मा तोरासिके सभे किसिमके खूबी देल्कौ छे।


मगर विधि-विधानके देल सरापसे ख्रीष्ट अपनासिके छुटकारा देल्कै छे। जब ख्रीष्ट क्रूसमे मर्लै, ऊ आपनसिके पापके सराप खुदपर लेल्कै। कहिनेकी धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, “क्रूसमे मरेवाला सभेको श्रापित है।”


मगर अपनासब स्वर्गके छियै। आर अपनासब एकटा उद्धारकर्ता प्रभु येशू ख्रीष्टके स्वर्गसे वापस आबैके इन्तजारमे छियै।


उहे ही छै जे मण्डलीके उप्परमे सर्वोच्च छै, जे ओकर शरीर छै। उहे शुरुआत छै, आर उहे पहेला छै जे मर्लमेसे जिन्दा भेलै ताकी सभे बातमे ख्रीष्ट ही सर्वोच्च हुए सकै।


एत्तेतक कि माकेडोनिया प्रदेश आर अखैया प्रदेशमे सभे विश्वासीके बीचमे तुहेंसब नमुना बन्लहैं।


आर ऊसब गैर-यहूदी आदमीसिसे ओकरसिके उद्धारके लिए बात करैसे हमरासिके रोकैछै। जबतक अन्तमे परमेश्वर ओकरासिके सजाय नैदेतै, ऊसब पापपर पाप करैछै। आर एखन अन्तमे परमेश्वर ओकरासिपर गोसैल छै आर ओकरासिके जल्दी ही सजाय दिएवाला छै।


मगर जेरंके मयाँ आपन बाल-बच्चाके पालन-पोषण करैछै, ओहिने करिके हमेसब भी तोरसिके संगे कोमल भेलियौ छे।


कहिनेकी परमेश्वर अपनासिके आपन क्रोधमे सजाय दियैके लिए नैचुनल्कै छे, मगर अपनासिके प्रभु येशू ख्रीष्टके द्वारा उद्धार पाबैके लिए पहलहैसे चुनल्कै छे।


जब येशू ख्रीष्ट राजाके रुपमे राज्य करैके लिए ऐतै, ऊ दोनो जिन्दा आदमीसब आर मर्ल आदमीसिके न्याय कर्तै। सेल्याके परमेश्वर आर ख्रीष्टसंगे गवाहीके रुपमे हमे तोरा आग्रह करैछियौ,


हमेसब एरंके व्यवहार करैछियै जब आपनसिके आशा कैल उटा सुन्दर दिनके लिए हमेसब उम्मीदके साथ इन्तजार करैछियै: उटा दिन जब आपनसिके महान परमेश्वर आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्ट आपन सारा महिमाके साथ धर्तीपर फेर वापस ऐतै।


मगर ओकरासिके डरके साथ परमेश्वरके न्यायके इन्तजार करना चाही आर ऊसब परमेश्वरके दुश्मन हुऐके कारण धधक्ल आगिनमे भसम हैतै।


ओहिने करिके, ख्रीष्ट एक्केबेर अपने आपके बलिदानके रुपमे चढ्या देल्कै ताकी बहुते आदमीसिके पापके दूर करे सकै। आर ऊ दोसर बेर ऐतै, अपने आपके पापके कारण बलिदान चढाबैके लिए नै, बरु ऊ आदमीसिके उद्धार करैके लिए जेसब ओकर इन्तजार करैछै।


ख्रीष्टके कैल कामद्वारा परमेश्वरपर तोरसिके भरोसा छौ, जे ख्रीष्टके मुर्दासे जिन्दा बन्याके महिमा देल्कै, ताकी तोरसिके आशा आर विश्वास परमेश्वरमे रहौ।


आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके पिता आर परमेश्वरके धन्यवाद है। परमेश्वर आपनसिके प्रति आपन बडका दयासे अपनासिके एकटा नया जीवन देल्कै छे। कहिनेकी परमेश्वर येशू ख्रीष्टके मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै, ऊ अपनासिके बहुते आत्मविश्वासके साथ जियैके योग्य बनैल्कै छे, यानिकी अपनासब उटा चीजसिके प्राप्त करैके पुरा आशा करे सकैछियै जे ऊ अपनासिके दियैके प्रतिज्ञा कैल्कै छे।


परमेश्वर तोरासिके बोलाबैके एकटा कारण यी छै कि तुहेंसब ओकर खातिर दुःख सही लेभैं। ख्रीष्ट, जे तोरसिके खातिर कष्ट भोगल्कै, ऊ तोरसिके उदाहरण छौ। इहे ल्याके तोरासिके ओकर कैल कामसिके अनुकरण करना चाही।


हमे यी कहैछियौ कहिनेकी ख्रीष्ट आपनसिके पापसिके कारण दुःख सहैल्कै आर मरि गेलै। ऊ खाली एकबेर मर्लै आर एकरा दोहराबैके जरुरत नैछै। ऊ एकटा धर्मी आदमी रहै जे पापी आदमीसिके लिए मरि गेलै ताकी परमेश्वरके संगे आपनसिके सम्बन्ध घनिष्ठ हुए सकै। ऊसब ओकर शरीरके मारि देल्कै मगर ओकरा पवित्र आत्माके सामर्थ्यसे फेरसे जिन्दा करि देल गेलै।


जब कि तुहेंसब उटा दिनके इन्तजार करैछैं जब परमेश्वर संसारके न्याय करैके लिए ऐतै ते, उटा दिनके जल्दी आबैके लिए आपन तरफसे पुरा कोशिश कर। उटा दिन आगिन धधकीके उठ्तै आर आकाशके नाश करि देतै आर ओकर गर्मी आकाशमे सभे कुछु पघल्या देतै।


हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, परमेश्वर संसारके न्याय करैके दिनके तुहेंसब इन्तजार करैबेरियाँ तोरासिके पवित्र आर निष्खोट हुऐके लिए आर ओकरसंगे शान्तिमे रहैके लिए आपन तरफसे पुरा कोशिश करे पडैछै।


हमे ऊ छियै जे सभे दिन जिन्दा छियै। हमे एकबेर मरि गेलियै रहे, मगर आब हमे जिन्दा छियै आर हमे सभे दिन जिन्दा रहबै। देख, हमरलगत मौत आर पातालपर, मर्ल आदमीसिके जगहपर अधिकार छै।


देख, ऊ बादलके सवारीमे आबैछै, आर हरेक आदमी ओकरा देख्तै। जे आदमीसब ओकर मौतके लिए जिम्मेदार रहै, ऊसब भी ओकरा ऐते देख्तै आर धर्तीके सभे आदमीसब जोर-जोरसे कान्तै जब ऊसब ओकरा देख्तै। हौं, अहिने हैतै। आमेन।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan