Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ पत्रुस 5:8 - केवट नया कारार

8 सचेत र आर होशियार र, कहिनेकी शैतान, तोर दुश्मन तोरापर हमला करैले चाहैछौ ताकी तुहें परमेश्वरके आज्ञापालन नैकर। ऊ गर्जेवाला शेरके जुगुर छै जे खोजैछै कि ऊ ककरा ख्या सकैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ पत्रुस 5:8
61 Iomraidhean Croise  

जंगली ज रोपेवाला दुश्मन शैतान छै। कटनी ऊ समयके देखाबैछै जब यी संसारके अन्त हैतै। जमा करेवाला जनसब स्वर्गदूतसब छै।


सेल्याके तुहेंसब चौकन्ना र, कहिनेकी कोन दिन तोरसिके प्रभु वापस ऐतौ, से तुहेंसब नैजानैछैं।


तकरबाद ऊ आपन बायाँ बगलके आदमीसिके कहतै, ‘श्रापित आदमीसब! हमरसे दूर हो आर शैतान आर ओकर दूतसिके लिए परमेश्वरसे तैय्यार कैल कहियो नैमिझाबेवाला आगिनमे जो।


तब शैतान येशूके परीक्षा करै कहिके पवित्र आत्मा येशूके सुनसान जगहमे ल्यागेलै।


तब शैतान येशूके छोडिके चल गेलै आर स्वर्गदूतसब आबिके ओकर सेवा कैल्कै।


कोय आदमीसब उटा रस्ताके जुगुर छै जकरामे बिहन गिर्लै। ऊसब एरंको आदमीसब छै जे वचन सुनैछै, तब शैतान तुरन्ते आबैछै आर ओकरासिके उटा सभे बात भूल्या दैछै जेटा ऊसब सुनल्कै रहे।


“मगर तुहेंसब आपन विषयमे होशियार र, बहुते भोग-विलासके पाछु नैलाग, नशामे चुर भ्याके नै र आर यी जीवनके चिन्ता-फिकिर नैकर। नैते तुहेंसब सुस्त भ्या जैभैं आर हमे तोरसिके नैसोच्ल दिनमे ऐबौ जे अचानक जानवरके पक्डेवाला फन्दाके जुगुर हैतौ।


सेल्याके जे घटनासब हुएवाला छै, यी सभे बातसे बचैके लिए आर हमे, आदमीके बेटाके समनामे न्यायके दिनमे खडा हुऐके शक्ति पाबैके लिए सभे समय सचेत भ्याके प्रार्थना कर्ते र।”


सिमोन, सिमोन, देख, शैतान तोरसिके सभैके जाँच करैके लिए परमेश्वरसे अनुमति माँगल्कै छे, बढियाँके खराबसे अलग करैके लिए, जेरंके एकटा किसान गहुमके भुस्सासे अलग करैछै।


तुहेंसब आपन बाबु शैतानके सन्तान छैं, आर तुहेंसब ओकरे इच्छा पुरा करैले चाहैछैं। ऊ ते शुरुहैसे हत्यारा छै, आर ओकरा सच्चाईसे कुछु लेना देना नैछै, कहिनेकी ओकरामे सच्चाई छैबे नैकरै। ऊ जब झुठ बोलैछै ते ऊ आपन स्वभावके अनुसार ही बोलैछै, कहिनेकी ऊ झुट्ठा छै आर झुठके बाबु छै।


ताकी शैतान आपनसिके फैदा उठाबे नैसकै, कहिनेकी अपनासब जानैछियै कि ऊ हर बखत अपनासिके पाप करवाबैके लिए लोभाबैके तरिकासिके योजना बनाबैछै।


आर शैतानके तोरासिके धोखा दियैके मौका नैदहैं।


जेरंके एकटा सिपाही आपन सभे युद्धके हात-हतियारके पिन्हैछै, ओहिने करिके तोरासिके भी ऊ सभे चीजसिके उपयोग करना चाही जे परमेश्वर तोरासिके देल्कौ छे, ताकी जब शैतान तोरासिके धोखा दियैके कोशिश करौ, ते तुहेंसब ओकर विरोध करे सक्हैं।


मगर जबतक ऊसब ख्रीष्टमे विश्वास करिके रहैछै, दोसरसिके प्रेम करैछै आर शुद्ध आर उचित तरिकासे व्यवहार करैछै, परमेश्वर जनानीसिके बच्चाके जनमके द्वारा बचैतै।


अहिने करिके हमे चाहैछियै कि, जनानीसिके उचित तरिकासे कपडा लगाना चाही, एरंको कपडा जे कि दोनो सभ्य आर स्वीकार योग्य है। आदमीसिके ध्यान आपन महर खिचेवाला जुगुर केशके सिंगार-पटार करिके, सोना, मोती आर बहुमूल्य कपडासब लग्याके नै।


इहे प्रकारसे मण्डलीके सेवकके पतनीसब सभैसे आदर पाबैके योग्यके हुए पडैछै, दोसरके बारेमे खराब बात बोलेवाली नै होना चाही, मगर संयमी आर ऊसब सभे परिस्थितिमे भरोसा करैके योग्यके होना चाही।


सेल्याके मण्डलीके देख-रेख करेवालासिमे यी गुणसब होना चाही: ओकरासिमे कोनो दोष नै होना चाही। आर ऊसब आपन पतनीके प्रति वफादार होना चाही। ऊसब शान्तिके साथ व्यवहार करेवाला होना चाही। ऊसब अपने आपके वशमे राखेवाला होना चाही। ऊसब आदमीसिके द्वारा सम्मान पैल होना चाही। ऊसब आपन घरमे मैजमानसिके स्वागत करैले तैय्यार रहे पडैछै आर ऊसब परमेश्वरके वचन सिखाबे सकेवाला होना चाही।


मगर प्रभु हमरसंगे खडा भेलै आर ऊ हमरा शक्ति देल्कै, आर हमे येशू ख्रीष्टके बारेमे साफसे खुश-खबरी प्रचार कैलियै ताकी अदालतमे भेल सभे गैर-यहूदी आदमीसब सुने सकै, आर भुख्ल शेरसे बचैल जुगुर परमेश्वर हमरा मौतसे बचैल्कै।


मगर अतिथि सत्कार करेवाला, दोसर आदमीसिके लिए भलाइ करैले पसन्द करेवाला, आपन इच्छाके काबुमे राखेवाला, सही तरिकासे व्यवहार करेवाला, परमेश्वरमे समर्पित जीवन जिएवाला आर अनुशासित जीवन जिएवाला आदमी होना चाही।


यी अनुग्रहके द्वारा परमेश्वर अपनासिके सिखाबैछै कि ओकरा पसन्द नैहुएवाला व्यवहार करैले बन्द कर, आर संसारके अविश्वासी आदमीसब जे चीजके इच्छा राखैछै ऊसब चीजके ललसा करैले बन्द कर। यी धर्तीमे जिन्दा रहैतक समझदारी आर परमेश्वरके खुश करैके व्यवहार कर, जे बात परमेश्वरके आदर कैल देखाबैछै।


बुढ आदमीसिके आपन इच्छाके काबुमे राखैके लिए, आदरके योग्य हुऐले, समझदार हुऐले, विश्वासमे पक्का हुऐले, प्रेम करैले आर धीरजमे दृढ हुऐले सिखा।


ताकी ऊसब बढियाँ उदाहरण बनै आर जवान जनानीसिके केरंके आपन पति आर बाल-बच्चाके प्रति प्रेमी व्यवहार करे पडैछै कहिके तालिम दै।


ओहिने करिके जवान आदमीसिके भी आग्रह कर कि ऊसब संयमी बनै।


सेल्याके परमेश्वरके अधिनमे र, मगर शैतान जे तोरासिके कराबैले चाहैछौ ऊ करैले इन्कार कर आर ऊ तोरसिके लगतसे भाग्तौ।


सेल्याके सचेत र कि तुहेंसब कि करेवाला छैं आर होशियार र। उद्धार पाबैके आशा कर, जे अनुग्रहसे आबैछै, जे तोरासिके येशू ख्रीष्ट यी संसारमे फेर वापस आबैके दिनमे देल जैतौ।


सभे चीजके अन्त नज्दिक ऐल छै, सेल्याके तुहेंसब सचेत र आर अपने आपके वशमे राख ताकी तुहेंसब प्रार्थना करे सक्हैं।


तब हमे स्वर्गमे एरं कहते एकटा बडका आवाज सुन्लियै, “आब आपनसिके परमेश्वर जित हासिल कैल्कै छे। आब ऊ आपन शक्तिके उपयोग कर्तै आर राजाके रुपमे राज्य कर्तै। आब ओकर ख्रीष्ट संसारमे आपन अधिकारके दावा कर्तै। कहिनेकी आब शैतान परमेश्वरके समनामे खडा भेल आपनसिके विश्वासी भ्या-बहिनसिपर दिन-रात दोष नैलगैतै। ओकरा स्वर्गसे बाहार फेकि देल गेलै छे।


तुहें जेसब स्वर्गमे रहैछैं, तोरासिके बहुते खुश होना चाही। मगर तुहें जेसब धर्ती आर समुन्दरमे रहैछैं, तुहेंसब बहुते भयानक रितीसे पीडित हैभैं। कहिनेकी शैतान तोरसिकेलगत निच्चा ऐलौ छे आर ओकर मन बहुते गोसैल छै, कहिनेकी ऊ जानैछै कि ओकरलगत काम करैके लिए बहुते समय नैछै।”


इहे ल्याके ऊ विशाल अजगर आर ओकर दूतसिके धर्तीमे फेकि देल गेलै। यी विशाल अजगर उहे छै जे बहुते समय पहेला साँपके रुपमे दिखाई देल्कै रहे, जकरा शैतान या दोष लगाबेवाला भी कहेल जैछै। यी उहे छै जे यी संसारके आदमीसिके धोखा देते ऐलै छे।


एकरबाद शैतान पकड्ल जैतै, जे जात-जातके आदमीसिके भर्मैल्कै आर ओकरा गन्धकके आगिनमे फेकि देल जैतै यानिकी उटा आगिनमे जे तालाबके जुगुर बडका छै। जंगली जानवर आर झुट्ठा भविष्यवक्ताके पहेला ही ओत्ते फेकि देल गेलै रहे। आर ओत्ते उटा आगिनमे ओकरासिके सभे दिनके लिए रात-दिन तड्पैल जैतै।


ऊ उटा विशाल अजगर यानिकी पुरना साँपके जकरा शैतान भी कहेल जैछै, झपटीके पक्डल्कै। ऊ ओकरा बान्ही देल्कै आर अथाहा कुण्डमे फेकि देल्कै। ऊ केबाड बन्द करिके ताला लग्या देल्कै आर ओकरापर लाहा छाप लग्या देल्कै ताकी उटा अथाहा कुण्डके एक हजार सालतक खोल्ल नैजै। इहे ल्याके उटा समयके दौरान शैतान एक हजार सालतक जात-जातके आदमीसिके धोखा नै दिए सक्तै। एकरबाद, ओकरा फेरसे कुछु समयके लिए रिहा कैल जैतै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan