Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ पत्रुस 5:5 - केवट नया कारार

5 ओहिने करिके हे जवानसब मण्डलीके अगुवासिके अधिनमे बैठ। तुहेंसब सभेको नम्रताके साथ एक दोसरके सहयोग करे पडैछै। कहिनेकी धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, “परमेश्वर घमण्डीसिके विरोध करैछै, मगर नम्र आदमीसिके अनुग्रह करैछै।”

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ पत्रुस 5:5
27 Iomraidhean Croise  

मगर तुहेंसब एरं नैहु। अगर तोरासिमेसे कोय आदमी सभैसे महान बनैले चाहैछै ते, अपनाके सभैसे छोट बनाबे पड्तै आर सभैके सेवक हुए पड्तै।


एक दोसरके परिवारके सदस्यके रुपमे प्रेम कर, अपनासे बेसी दोसराके आदर कर।


प्रभु येशू ख्रीष्ट तोरसिके हतियार बनौ आर पापी स्वभावके अभिलाषा पुरा करेवाला बातमे ध्यान नैदहैं।


अपनासब ख्रीष्टके प्रति श्रद्धा-भक्ति राखैके कारण एक दोसरके अधिनमे र।


स्वार्थ या अहंकारमे कुछु नैकर मगर नम्रतामे दोसरके आपनसे बेसी महत्व दहैं।


सेल्याके परमेश्वर तोरासिके आपन आदमी हुऐके लिए चुन्लकौ छे आर तोरासिके प्रेम करैछौ, इहे ल्याके तुहेंसब करुणा, दया, दीनता, नम्रता आर धीरज धारण कर।


आपनसे बेसी उमेरके आदमीके अपमानके विचारसे नैधोप, मगर आपने बाबुके जुगुर ओकरासिके आदरके साथ सल्लाह दहैं। आर तोरसिसे छोटका विश्वासी भ्याके आपने भ्याके जुगुर व्यवहार कर।


आपन अगुवासिके आज्ञापालन कर, ओकरसिके अधिनमे र। तोरसिके आत्मासिके रखवाली करना ओकरसिके काम छै। ओकरासिके तोरसिके विषयमे परमेश्वरके लेखा दिए पड्तै। यी काम ऊसब आनन्दके साथ करक आर उदासीके साथ नै, नैते एकरासे तोरासिके कोनो भी फैदा नैहैतौ।


मगर ओरंको खराब इच्छासिके विरोधमे खडा हुऐले परमेश्वर अपनासिके आरहौ अनुग्रह दैछै। सेल्याके धरमशास्त्रमे एरं लिख्ल छै, “परमेश्वर घमण्डीसिके विरोध करैछै, मगर नम्र आदमीसिके अनुग्रह करैछै।”


अन्तमे, हमे तोरासिके यी कहैले चाहैछियौ कि एकतामे र, एक दोसरके लिए वास्ता कर, एक्के परिवारके सदस्यसिके जुगुर एक दोसरके प्रेम कर। एक दोसरके प्रति दयालु बन आर एक दोसरसे नम्र बन।


सेल्याके ख्रीष्ट यी संसार रहैके समयमे दुःख भोगल्कै आर तुहेंसब भी ओकर जुगुर विचार राखिके दुःख भोगैले तैय्यार हुए पडैछै। कहिनेकी यदि तुहेंसब ख्रीष्टके लिए दुःख भोगैके लिए इच्छा करैछैं ते, तुहेंसब पाप करैले छोडैके फैसला कैल्हैं छे।


मगर एक दिन ऊसब जरुर परमेश्वरके समनामे फैसलाके लिए खडा हैतै आर परमेश्वर ओकरासिमेसे हरेकसे ओकरसिके द्वारा धर्तीपर कैल गेल कामसिके विषयमे पुछतै। परमेश्वर जिन्दा आर मुर्दा आदमीसिके न्याय कर्तै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan