Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ पत्रुस 5:4 - केवट नया कारार

4 जब येशू ख्रीष्ट फेर वापस ऐतै, जे आपनसिके प्रमुख चरवाहा छै, तब तोरासिके एकटा सुन्दर मकुट देतौ, जकर चमक कहियो कम नैहैतै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ पत्रुस 5:4
22 Iomraidhean Croise  

हमे बढियाँ चरवाहा छियै। बढियाँ चरवाहा आपन भेंडाके लिए आपन मर्जीसे आपन जान तक द्या दैछै।


दौडमे हिस्सा लिए चाहेवाला आदमीसब पहेला अभ्यास करैछै आर खुदके अनुशासनमे राखैछै। ऊसब एरं इहे ल्याके करैछै ताकी ऊसब जिते सकै आर आदर पाबे सकै। ओकरासिके आदर करैके लिए ओकरासिके फूलके मल्ला लग्या दैछै जे बहुते समयतक नैरहैछै। मगर येशू ख्रीष्टमे विश्वास राखेवाला सभेको आदर पैतै आर अपनासिके देल आशिष सभे दिन रहतै। सेल्याके अपनासिके खुदके अनुशासनमे राखना चाही।


आब प्रभु हमर लिए स्वर्गमे धार्मिकताके मकुट राखल्कै छे, कहिनेकी हमे ओकरा पसन्द हुएवाला जीवन जिलियै छे। ऊ प्रभु जे सहीसे फैसला करैछै, हमरा उटा मकुट तब देतै जब ऊ फेर वापस ऐतै। ऊ खाली हमरा नै मगर ओकरा सभैके देतै जेसब ओकर वापस आबैके बहुते इच्छा करैछै।


आर आब, शान्ति दिएवाला परमेश्वर, जे आपनसिके प्रभु येशूके मुर्दासे फेर जिन्दा बनैल्कै, तोरासिके उटा सभे चीजसे पुरा करौ जकर तोरासिके ओकर इच्छा पुरा करैके लिए जरुरत छौ। येशू ख्रीष्टके शक्तिके द्वारा ऊ तोरासिमे उटा सभे चीज उत्पन्न करौ जे ओकरा खुश करैछै। येशू कहियो खतम नैहुएवाला करारके द्वारा भेंडासिके महान चरवाहा बनी गेलै छे, जकरापर ओकर खूनके द्वारा सही कैल गेलै छे। ओकर महिमा सभे दिन हैते रहै। आमेन।


ऊ आदमी धन्यके छै, जे परीक्षामे स्थिर रहैछै, कहिनेकी ऊ आपन विश्वास साबित कैलके बाद ऊ कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके मकुट पैतै, जे परमेश्वरके प्रेम करेवाला आदमीसिके दियैके वादा परमेश्वर कैल्कै छे।


अपनासब उटा महान आशिषसिके प्राप्त करैके लिए आगु महर देखैछियै जे आशिष परमेश्वर आपन आदमीसिके लिए राखैछै। परमेश्वर उटा आशिषसब तोरसिके लिए स्वर्गमे राख्ले छौ, जते ऊ नैसडैछै या खराब नैहैछै या नैहेराबैछै।


पहेला तुहेंसब भेंडासिके जुगुर रहैं जे गलत रस्तापर जैते रहैं। मगर आब तुहेंसब ख्रीष्टके लगत वापस लौटिके ऐल्हैं छे, जे तोरसिके आत्माके देख-रेख करैछौ आर रक्षा करैछौ।


जेरंके चरवाहासब आपन भेंडासिके रखवाली करैछै, ओहिने करिके तोरासिके हरेकके रखवाली करना चाही जकरा परमेश्वर तोरसिके देखरेखमे राखल्कौ छे। एकरा स्वेच्छासे कर, कहिनेकी परमेश्वर इहे चाहैछै कि तुहें एरं कर। एरं खाली इहे ल्याके नैकर कहिनेकी तोरासिके एरं करैके लिए मजबूर कैल गेलौ छे। यी काम इहे ल्याके नैकर कहिनेकी तुहेंसब धन कमाबैके लिए चाहैछैं मगर परमेश्वर आर आदमीसिके सेवा करैके इच्छाके साथ कर।


हे प्रिय दोस्तसब, आब अपनासब परमेश्वरके बेटाबेटीसब छियै, आर एखनतक यी दिखाई नैदेल्कै छे, कि अपनासब भविष्यमे केरंको हैबै। मगर एतनें जानैछियै कि जब ख्रीष्ट फेर यी संसारमे वापस ऐतै, तब अपनासब ओकरे जुगुर हैबै। कहिनेकी ऊ जेरं छै अपनासब ओकरा ओहिने देख्बै।


देख, ऊ बादलके सवारीमे आबैछै, आर हरेक आदमी ओकरा देख्तै। जे आदमीसब ओकर मौतके लिए जिम्मेदार रहै, ऊसब भी ओकरा ऐते देख्तै आर धर्तीके सभे आदमीसब जोर-जोरसे कान्तै जब ऊसब ओकरा देख्तै। हौं, अहिने हैतै। आमेन।


उटा तकलीफसिसे नैडर जे तोरा मिल्तौ। शैतान तोरासिमेसे कुछु आदमीसिके गिरफ्तार करवैतौ आर तोरासिके कैद करि देल जैतौ ताकी ऊ तोरसिके परीक्षा करे सकौ। तुहें दश दिनतक बडका कष्टके अनुभव कर्भैं। मगर हमरापर विश्वास करैले कहियो नैछोडिहैं, चाहे तोर जान भी मारि देल जौ, कहिनेकी हमे तोरा जितके पुरस्कारके रुपमे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देबौ।


हमे जल्दी ही आबेवाला छियौ। इहे ल्याके, आपन विश्वासमे मजगुतसे र, ताकी कोय भी तोर प्रतिफल छिनी नैलौ।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan